Skip to main content

Posts

Showing posts from July, 2008

मिथिलाक किसानक संग सौतेला बर्ताव

उत्तर बिहारक कइटा इलाका अखन बाढ़ि मे डूबल अछि. लोक बाढ़िक पानि सं परेशान अछि. रहनाय... खनाय... पिनाय सं लsक दिशा-मैदान दिस जनाय तक के तकलीफ अछि. ऐहन मे भारत सरकार के मकई के निर्यात पर रोक लगयला सं मिथिलांचलक कोशी क्षेत्रक किसान परेशान छथि. कोशीक बाढ़ि वाला इलाका में मकई प्रमुख फसल अछि. लोकक खनाय... पिनाय... सभ किछ खेती पर निर्भर अछि आओर एहि इलाका के खेती आई- काल्हि बड़ किछ मकई केर खेती पर निर्भर अछि. बाढ़ि वाला एहि इलाका मे एहि नकदी फसल सं लोकक चेहरा पर खुशहाली आएल अछि. मुदा एकर निर्यात पर रोक लगला सं किसानक चेहरा मुरझा गेल अछि. जेना -तेना कोनो दाम पर अपन फसल के... अनाज के बेच रहल छथिन्ह. किएक तं बेसि दिन ओ एकरा अपना पास रखिओ नहिं सकैत छथि. बाढ़ि कनि बिसेक भेल नहिं कि सभ मकई केर भंडार पानि में बहि जाएत. मुदा किछिए किसान अपन मकई बेच सकलाह अ. ज्यादातर किसानक मकई अखनो हुनके पास छनि. व्यापारी सभ जे थोक मे किसान सं माल खरीद लैत छलाह ओ एकदमे सं हाथ खिंच लेने छथिन्ह. व्यापारी सभ के कहनाय छनि जे सरकारे रोक लगा देने छै त हम कि कs सकय छी. हम एकदम मजबूर छी. किसानक मकईक फस...

नेपालक उपराष्ट्रपति मिथिलांचल सं

जखन हम ई समाचार पढ़लौं जे नेपालक पहिल उपराष्ट्रपति परमानंद झा अपन मिथिलांचल के छथिन्ह. मन गदगद भs गेल. परमानंद जी मूल रूप सं दरभंगा जिलाक कुशेश्वरस्थान प्रखंड के गरौल गाम सं छथिन्ह. हिनकर पिताजीक नाम स्व. मदन झा छन्हि. परमानंद जी चारि भाई में सभ सं पैघ छथिन्ह. हिनका सं छोट धनानंद झा दरभंगा के हसनचक में साइकिल के दोकान चलाबय छथिन्ह. धनानंद जी शुभंकरपुर टोल में रहय छथिन्ह. हिनका सं छोट भाई विराटनगर में इंजीनियर छथिन्ह आ सभस छोट भाई नेपाल के सप्तरी जिला के मौवाहा गाम में शिक्षक छथिन्ह. हिनकर परदादा शंकर झा अपना जमाना में बड़का पहलवान छलखिन्ह आ हिनका सं खुश भs नेपाल नरेश मौवाहा गाम में हिनका रहय लेल 2100 एकड़ जमीन देलथिन्ह. जेहि के बाद ओ गरौल सं मौवाहा चलि गेलाह. शंकर जी के पुत्र भेलन्हि भयंकर दत्त झा. भयंकर दत्त झा जी के छह संतान भेलन्हि जेहि में सं सभस छोट मदन झा जी क पुत्र छथिन्ह परमानंद झा जी. परमानंद जी क शुरुआती पढ़ाई मधुबनी जिलाक खजौली हाई स्कूल मे भेलन्हि. आ कॉलेजक पढ़ाई मधुबनी के आर के कॉलेज सं. एहि के बाद कानूनक पढ़ा...

Aryabhatt Gyan Vishwavidyalay

बिहारक सभ तकनीकी शिक्षण संस्थान केर एकटा अलग विश्वविद्यालय होएत. एहि विश्वविद्यालय के नाम आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय रखल जाएत. पटना में खुलय वाला ई विश्वविद्यालय मानव संसाधन विकास मंत्रालय के अधीन काज करत. राज्य कैबिनेट सं एकर मंजूरी मिलि गेल अछि. आओर उम्मीद अछि जे विधेयक एहि मानसून सत्र में पेश करि देल जाएत. बिहारक सभ इंजीनियरिंग, प्रबंधन, विधि, फॉर्मेसी कॉलेज के एहि विश्वविद्यालय सं जोड़ि देल जाएत. सरकारी होय या निजी... सभ शैक्षणिक संस्थान एहि विश्वविद्यालय सं सम्बद्ध रहताह. सभ संस्थानक एडमिशन आओर परीक्षा के स्टैंडर्ड... मानक आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय तय करत. ई पंजाब तकनीकी विश्वविद्यालय के तर्ज पर बनावल जाएत. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि सं बिहारक तकनीकी संस्थानक पढ़ाईक स्तर में सुधार आएत. आओर उच्च शिक्षा केर लेल बाहर जाए वाला विद्यार्थी के घरे पर स्तरीय आओर नीक पढ़ाई के मौका मिलत.

Bihar IIT me padhai 7 August se

बिहार मे नवका आईआईटी मे सात अगस्त सं पढ़ाई शुरू भs जाएत. बिहारक आईआईटी के उद्घाटन मानव संसाधन विकास मंत्री अर्जुन सिंह करताह. बिहारक लेल ई गर्वक गप्प अछि. जेहि के लेल बिहार सालक साल इंतजार कएलक ओ अगिला मास पूरा भs जाएत. ओना अखन आईआईटी कैम्पस नहि बनल अछि. ई कैम्पस बिहटा में करीब 300 एकड़ में बनत. काज चलि रहल अछि. अखन जे सात तारीख सं पढ़ाई शुरू होएत ओ पाटलीपुत्र पोलिटेक्निक में होएत. अर्जुन सिंह जी उद्घाटन करय लेल राजी भs गेलखिन्ह अ. उद्घाटन समारोह में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो शामिल रहताह. ओ मुख्य अतिथिक रूप में समारोह के मान बढ़ौतिन्ह. उद्घाटन के लेल तैयारी जोर शोर सं चलि रहल अछि. बिहार आईआईटी के लेल एडमिशन भs चुकल अछि. सिर्फ पढ़ाई शुरू होबाक देरी छै. एहि बेर 120 सीट के लेल एडमिशन भेल अछि. एहि में 40 टा सीट मैकेनिकल... 40 टा इलेक्ट्रानिक आ 40 टा कम्प्यूटर इंजीनियरिंग के लेल अछि.

Darbhanga: primary shiksha par zor

शिक्षा केर मामला में अपन मिथिलांचल अखनो बड़ पिछड़ल अछि. पढ़ाई- लिखाई के मामला में बड़ किछ करय के जरूरत अछि. बेसि सं बेसि लोक अपन नुनु... धियापुता के स्कूल भेजथिन्ह एकरा लेल लोक में जागरूकता लाबय पड़त. शिक्षा के प्रति बिना जागरूकता लएने विकासक बात करनाय बेकार होएत. शिक्षित भेला पर लोक अपन अधिकार आओर कर्तव्य के प्रति जागरूक होताह. नीक- बेजाय के नीक सं समझि पयताह. अपन जीवन स्तर में सुधारि लाबि सकताह. अखन लोक जे दस तरहक शोषण के शिकार होय छथि ओहि सं छुटकारा पयताह. समाज के निचला तबका के लेल सरकार सेहो बड़ किछ कs रहल अछि. मुदा ओहि सभ के जानकारी लोक के नहि रहैत अछि. सरकार शिक्षा... रोजगार... कामकाज... बीमा...रोटी .. कपड़ा आओर मकान के लेल दसियों टा कार्यक्रम चलाबैत अछि. मुदा बिना पढ़ल लिखल... शिक्षित भेने एकर फायदा उठयनाय मुश्किल अछि. एकटा काज कराबय के लेल दस टा लोक सं पूछय पड़ैत अछि. कमीशन दय पड़ैत अछि. मुदा साक्षर भेला पर एहि सभ सं बचल जा सकय अ. सरकार के विभिन्न योजना सभ के बेसि सं बेसि फायदा उठाबल जा सकय अ. गाम सभ में लोक सभ दु चारि साल अपन नुनु के स्कूल भेजय छथिन्ह...

Hi-fi banat gaon

एकटा नीक खबर अछि. पता लागल अ जे सहरसा के नवहट्टा गाम के एकटा अप्रवासी भारतीय... एनआरआई गोद लs लेलखिन्ह अ. एनआरआई के गोद लेना के बाद एहि गामक तस्वीर बदलनाय शुरू भs गेल अछि. सहरसा के नवहट्टा गाम के इलाका कोशी नदी के जद में आबय छै. हर साल एहि ठामक लोग के बाढ़िक परेशानी सं दु चारि होबय पड़ैत छन्हि. बाढि एहि ठामक लोक के लेल तबाही लs क अबैत अछि. कोशी नदी के आस पास बसल गाम घर... इलाका पिछड़ल अछि. विकासक दरस नहि होएत अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर के मामला होय...या दोसर विकासक... हर क्षेत्र में पिछड़ल अछि. पिछड़ापन के लेल अपन नेता सभ सेहो जिम्मेदार छथिन्ह जे केवल वोट लेबय जानय छथिन्ह ...काज करय के नहि. दोसर राज्य में जाउ. गाम...घर चमचम करैत रहैत छै...चौबीसों घंटा बिजली... टेलीफोनक सुविधा घोड़ा- गाड़ी के सुविधा. गली- गली में पक्की सड़क. अपना दिस शहर में सेहो टुटल सड़क मिलत. पता नहिं चलत कतs गड्डा छै आ कतs सड़क. एहि सभ के बीच अगर कोनो एनआरआई एहन हिम्मत कएलाह अ त हुनकर जतेक तारीफ कएल जाए कम होएत. ई त आओर एनआरआई के लेल प्रेरणाक गप्प अछि. खबर अछि जे सभ सं पहिने गाम में एकटा मंद...

Open University me dakhila

बिहार मे विश्वविद्यालयक...महाविद्यालयक हड़ताल सं विद्यार्थी सभक पढ़ाई खूब हर्जा होएत अछि. पिछला दिन हड़ताल सं परेशान भs कइटा विद्यार्थी सभ ओपेन यूनिवर्सिटी में नाम लिखा लेलाह. देश में ओना त कइटा विश्वविद्यालय सं पत्राचार केर माध्यम सं पढ़ाई होइ छै. मुदा बिहार... मिथिला... अपना दिसक बेसि विद्यार्थी या त नालंदा ओपेन यूनिवर्सिटी या इंदिरा गांधी खुला विश्वविद्यालय मे नाम लिखाबैत छथिन्ह. खबर तं ऐहन छै जे एहि बेर ओपेन यूनिवर्सिटीमे पिछला साल सं दुगुना दाखिला भेल अछि. आओर अखन नाम लिखैनाय रुकल अ नहि ... जारी अछि. ओना इंदिरा गांधी ओपेन यूनिवर्सिटी... इग्नू के स्टडी मैटेरियल बड़ नीक होएत अछि. एकर स्टडी मैटेरियल सं अहां प्रतियोगी परीक्षा के तैयारी नीक जकां कs सकैत छी. एकर पाठ्यक्रम तैयार करय वाला टीम में ओहि विषयक विद्वान लोकनि सभ के शामिल कएल जाइत अछि. किताब सभ उच्च स्तरीय होएत अछि. इग्नू कामकाजी... नौकरीपेशा लोकक लेल एकटा वरदान के तरह अछि. नौकरी के संग घर बैसल पढ़ाई करैत रहुं... डिग्री... डिप्लोमा प्राप्त करैत रहुं. रोज-रोज कॉलेज जाए आओर हाजिरी के चक्कर नहिं रहैत अछि. जखन मन ह...

जयनगर-समस्तीपुर के बीच सवारी गाड़ी

जयनगर -समस्तीपुर के बीच जल्दीए एकटा आओर सवारी गाड़ी शुरू भ रहल अछि. अखन एहि रुट पर गाड़ी के बड़ दिक्कत अछि. दु टा गाड़ी के बीच चारि-चारि...पांच-पांच घंटा के समय अछि. एकटा गाड़ी छुटल नहिं कि इंतजार करैत रहुं. मधुबनी जिला के लोक सभ के जिला मुख्यालय आओर दरभंगा आबय -जाय लेल भारी परेशानी के सामना करय पड़ैत अछि. बड़ी लाइन पर ट्रेन चलनाय शुरू भेला के बादो अखनो बसे के आसरा अछि. आब देखु नबका ट्रेन के टाइमिंग केहन राखल जाइत अछि. एहि के लेल लोकल यात्री सभ सं सेहो फीडबैक लेबाक चाही जे कोन समय पर गाड़ी चलानाय नीक रहत. एकरा संगे एकटा आओर खबर अछि जे लौकहा सं झंझारपुर के बीच चलय वाला 228 डाउन आब सकरी तक चलत. एहि सं सेहो इलाका के लोक सभके सुविधा मिलत. मधुबनी- राजनगर के बीच पड़य वाला मंगरपट्टी के लोक के लेल नीक खबर ई अछि जे आब मंगरपट्टी में हाल्ट बनत. एहि सं इलाका के लोक के आब बाहर जाय लेल मधुबनी आबि के ट्रेन नहिं पकड़य पड़त.

शिक्षाकर्मी जेल भेजल गेलाह

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कैम्पस में आंदोलनरत 25 बर्खास्त शिक्षाकर्मी के गिरफ्तार करि 14 दिन के लेल जेल भेज देल गेल अछि. विश्वविद्यालय के बर्खास्त 283 शिक्षक आओर कर्मचारी सभ के जबरन धरनास्थल सं हटाएल गेल. डीएसपी आओर एसडीओ के अगुवाई में हिनका सभ के अहिठाम सं हटा देल गेल आ विरोध करय वाला के 31 जुलाई तक जेल भेज देल गेल. हिनका सभ पर सरकारी कामकाज में बाधा पहुंचाबय आओर विश्वविद्यालय कर्मी के संग अभद्रता के आरोप लगाएल गेल अछि. करीब मास पहिने दिन 20 जून के महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल कॉलेज दरभंगा आओर झूमक महासेठ धर्मप्रिय लाल महिला कॉलेज मधुबनी के 283 शिक्षाकर्मी के बर्खास्त कए देल छल. जकर बाद सं बर्खास्त शिक्षाकर्मी विश्वविद्यालय मुख्यालय पर ताला जड़ि घेरा डालो-डेरा डालो आंदोलन पर छलाह. तहिआ सं विश्वविद्यालय के कामकाज ठप छल. परीक्षा सेहो नहिं भs सकल. परीक्षा समय पर नहिं भेला सं सेशन पिछड़ि गेल अछि. गिरफ्तारी के बाद सं विश्वविद्यालय में आब फेर सं पहिने जकां कामकाज शुरू भ गेल अछि.

आबि गेल सावन...

सावन आबि गेल. सावन आबय के संग कांवड़ ल s क बाबाधाम जनाय सेहो शुरू भs गेल अछि. बोल बम के नारा अछि... बाबा एकटा सहारा अछि.... आओर बोल बम- बोल बम बोलैत लोक सुल्तानगंज सं जल भरि बाबाधाम के लेल निकलि पड़लाह अछि. सुल्तानगंज सं लsक बाबाधाम देवघर रावणेश्वर महादेव तक 105 किलोमीटर के रास्ता केसरिया... भगवा रंग में रंगि जाएत अछि. आन दिन त लोक बस... गाड़ी सं बाबाधाम चलि जाइत छथि मुदा भरि सावन लोकक कोशिश पैदल कांवड़ ल जाइ के रहैय छन्हि. भरि सावन बिहार... उत्तर प्रदेश... बंगाल...असम... नेपाल के संग दोसरो ठाम सं लोक आबि बाबा के दर्शन करैत छथि. सुल्तानगंज में उत्तरवाहिनी गंगा में नहाकए पूजा पाठ कS जल भरि नंगे पैर बोल बम- बोल बम बोलैत बाबा धाम लेल विदा होएत छथि. सुल्तानपुर में बाबा अजगैबीनाथ के दर्शन सेहो करय छथि ई मंदिर बीच गंगा में अछि आ नाव सं जाsक दर्शन करय पड़ैत अछि. सुल्तानगंज सं भगवा...केसरिया कपड़ा पहिन लोक कांवड़ लए चलैत छथि. एहि 105 किलोमीटर के यात्रा कई तरहे होएत अछि. कइटा लोक भरि रास्ता डंडवत करैत चलय छथि. हुनका बाबाधाम पहुंचय में बीस दिन सं मास दिन तक लगि जाइत छनि. जखन कि...

सरकार बचत कि जाएत ?

जेना -जेना 22 तारीख नजदीक आबि रहल अछि सरकार के दिल के धड़कन बढ़ि रहल अछि. भने सरकार के कहनाय होय कि हुनका पास बहुमत के आंकड़ा अछि... अमर सिंह सेहो संग आबि भने कहथिन्ह कि 280 के समर्थन अछि. मुदा संख्या के लs कs यूपीए के सभ नेता सभके बीपी अखन बढ़ल छनि. एकटा- एकटा वोट जुटनाय मुश्किल भs रहल छै. 272 के आंकड़ा तक पहुंचनाय एवरेस्ट के फतह करनाय सं बेसि कठिन भs गेल छै. झारखंड मुक्ति मोर्चा के शिबू सोरेन आओर राष्ट्रीय लोकदल के अजित सिंह सेहो पेंच लगौने छथिन्ह. जखन कि सरकार अजित सिंह के पार्टी के तीन टा वोट के लेल लखनऊ के हवाई अड्डा अमौसी के नाम हिनकर पिताजी पूर्व प्रधानमंत्री चौधरी चरण सिंह जी के नाम पर करय के एलान सेहो कs देलक. हल्ला सेहो भ गेल कि तीन वोट एक एयरपोर्ट. मुदा अजित सिंह अपन हाथ पकड़य नहिं दs रहल छथिन्ह. सरकार के बेचैनी बढ़ौने छथिन्ह. खबर त इहो छै जे सरकार शिबू सोरेन उर्फ गुरुजी के फेर सं केन्द्रीय मंत्रिमंडल में शामिल करय लेल तैयार अछि. मुदा गुरुजी अखन एतबे गुरुदक्षिणा पर राजी नहिं भs रहल छथिन्ह. खुशपुस्सी छै जै आबय वाला चुनाव के लेल अजित सिंह जी आओ...

गरीब रथ अखन आओर इंतज़ार

गरीब रथ के चलय के लेल लोक के अखन आओर इंतज़ार करय पड़ि सकैत अछि. दिल्ली में जारी राजनीतिक संकट के कारणे आब गरीब रथ के 20 तारीख सं शुरू नहिं होय के उम्मीद अछि. राजनीतिक उठापटक के कारण रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव के जयनगर आबि एकरा शुरू करनाय मुश्किल छनि. कहि सकय छी अखन एहि ट्रेन के चलय के जतरा नहिं बनल अछि. आब देखु सरकार बचय अ कि जाय अ. सरकार बचत त लालू जी जल्दीए अएताह झंडा दिखाबय लेल. नहिं त एक बेर फेर लटकि जाएत मामला. लोकक माननाय छलन्हि जे एहि ट्रेन के चलला सं दिल्ली के संग- संग जयनगर सं दरभंगा...समस्तीपुर जनाय सुविस्तगर भs जाएत. किएक तs बड़ी लाइन बनलो पर अखन धरि ट्रेन के टाइम टेबल ठीक नहिं छै. तीन-तीन...चारि चारि घंटा घरि ट्रेनक इंतजार करय पड़ैत छै. कइ बेर तs ट्रेन के इंतजार करय सं नीक पैदल चलि जनाय बुझाइत अछि. हमरे लिअ. किछ दिन पहिने मधुबनी गेल छलहुं. मधुबनी सं राजनगर जाइ के छल. स्टेशन पर पहुंचला पर पता चलल जे ट्रेन चारि घंटा लेट अछि. आब कि करल जाय. ताबैत में स्टेशन पर राजनगर के जान-पहचान वाला तीन टा लड़का मिलि गेल. सभ लोकनि तय कएलौं जे इंतजार ...

मिथिलाक माछ

बरसातक मौसम अछि. चारुकात पानि-पानि. पानि में एम्हर-ओम्हर भागैत माछ. पानि सं पोखरि... डबरा के संग -संग खेत खलिहान सभ डूबि जाइत अछि. खेत...बाध दिस माछ पकड़ैत लोक सभ दिख जयताह. कोई बंसी लs त कोई टॉप लs माछ पकड़य में व्यस्त. मिथिलांचल में माछ सभ लोकक पसंदक खनाय अछि. मिथिला में त कोनो शुभ काज बिना माछ के सम्पन्न नहिं होएत. कतोहुं जाउ माछक दर्शन भs गेल त समझु जतरा बनि गेल. कोनो नीक काज सं पहिने माछक दर्शन कराएल जाइत अछि. दरभंगा राज कैम्पस में कई ठाम महल में... गेट पर माछक निशान बनल देखबा के मिलि जाएत. मिथिला पेंटिंग में सेहो माछक पेंटिंग के खूब स्थान मिलल अछि. मिथिला के कोनो गाम... शहर में जाउ हाट बाजार में माछ जरूर मिलत. किछ मिलय या नहिं मिलय. जेहि गाम में जतेक पोखरि ओ ओतेक समृद्ध. जिनका जइटा पोखरि ओ ओतेक समृद्ध. खाय पियवाला लोकक पहचान घरक पिछबाड़ा में छोट छिन्ह पोखरि. कोनो पाहुन... कुटुम्ब अएला...एकटा जाल फेंकबयलौं... दु चारि टा नीक माछ निकलि गेल. पाहुनक स्वागतक इंतजाम भs गेल. जतेक छोट पोखरि ओतेक स्वादिष्ट माछ. पोखरिक रोहु...

अभावक सुख...

बरसातक मौसम चलि रहल अछि... सब किछ हरियाइल अछि... चारूकात हरियरी देखि मन खुश भs जाइत अछि. मन करैत अछि जे खेत...गाछी दिस घुमिते रहि...हरियरी के देखिते रहि... खेत में धानक हरियर बीया... आमक गाछी में हरियर...पीयर आम. एम्हर...ओम्हर...जिम्हर देखु चारूकात या त पानि या हरियरी...रंगबिरंगा फूल... पोखरि... डबराक कात में में बंसी लs क माछ पकड़ैत लोक. बड़ धैर्यक जरूरत होइछै एकरा लेल. शांति सं बैसल रहु माछक इंतजार में. सभ किछ भूलि. ई काज सभ सं नहिं भs सकैत अछि. अहां ओतेक देर एकटा माछ लेल इंतजार करिए नहिं सकय छी. एको पाव माछ भेल कि मस्त. कोनो चिंता फिकिर नहिं. एहिना अपन मिथिला सभस शांत... संतुष्टि वाला जगह नहिं अछि ? सभ अपना में मस्त. झगड़ा भेल त दोसरा के लागल झड़नीए भs रहल अछि. चूड़ा-दही... माछ-भात खाके मस्त रहनाय दुनिया मिथिलाक लोक सं सीख सकैत अछि. गाम में नहिं किछ रहितो लोक जतेक मस्त रहैत छथि... शहर अएला पर सब किछ रहितो ओतेक खुशी नहिं मिलैत छन्हि. किछ त जरूर एहन छै गामक माटि में जे अभाव में... परेशानी में...कष्ट में... फाटल अंगा में... टूटल चप्पल में... चुअइत छप्पड़ में...भसकल दलान म...

आब किएक जाएब पंजाब ?

आई गाम पर बात भs रहल छल. गाम तरफ दु-तीन दिन सं पानि भs रहल छै. हम पूछलिएन्हि जे रोपनि के कि हाल छै त मालूम भेल एहि बेर रोपनि के लेल जन-बनिहार के ओतेक दिक्कत नहिं छै. एहि बेर पंजाब- हरियाणा जाय वाला जन बनिहार... किसान... मजदूर के संख्या कम भेल अछि. आब जन-बनिहार पंजाब जनाय सं गामे-घर में काज करनाय बेहतर समझय छथिन्ह. गाम-घर में सेहो आब नीक मजदूरी मिलि जाइत अछि. एहि के लेल सरकार सेहो बधाई के पात्र अछि. मजदूरी तय करि देल गेल अछि. मजदूरी के लेल जे जन बनिहार बाहर जाइत छलाह ओ आब जखन गामे-घर में मिलि जा रहल अछि तs किएल बाहर जइताह. गाम घर में तs खैनी खा रहल छी.. पनपिआई आबि रहल अछि रोपनि क रहल छी, ओहि ठाम तs दिन-राति लागल रहुं. नहिं कोई गप्प करय वाला नहिं कोई अपन सुनय वाला. जंs कनिओ सुस्तइलौं कि चारि टा गाइरि सुनइ पड़ैत छल. हर बात पर बिहारी...बिहारी कs गरिआबैत छल. आब गाम-घर ...अपना जिला टा में दस तरहक काज मिलय लागल अछि. कतउ सड़क बनि रहल अछि त कतहुं पुल...कतहुं बांधक काज भs रहल अछि त कतहुं स्कूल मकान बनि रहल अछि. कतहुं मुख्यमंत्री सड़क योजना पर काज भs रहल अछि त कतहुं प्रधानमंत्री...

राजनीति में इहे होइछै !

राजनीति में नहिं कोई दोस्त होइत अछि नहिं कोई दुश्मन . मौका पर जे संग देय से दोस्त ... नहिं त s दुश्मन . सभ गप्प मौकापरस्ती के होई छै . मौका परल नहिं कि सभ सं नीक दोस्त ... दुश्मन बनि गेल आओर सभसं बड़का दुश्मन खांटी दोस्त . किछ समझि में नहिं आबैत छै . एक दोसरा के सम्मान सेहो खत्म भेल जाइ छै . राजनीतिक मजबूरी अपन जगह छै . मुदा आब राजनीति एकटा जोड़तोड़ ... खरीद फरोख्त के बाजार बनि गेल अछि . सभक कोशिश एकटा रहैत अछि कोनो तरहे हाथ में सत्ताक सूत्र बनल रहय ... कोनो तरहे सत्ता बनल रहय . चाहे ओकरा लेल किछओ किएक नहिं करय पड़य . राजनीति में अखनो बड़ नीक लोक सभ छथिन्ह मुदा किछ एहनो लोक सभ आबि गेलाह अछि जिनका कारणे राजनीतिक स्तर गिरल अछि . पहिने राजनेता ओहन लोक बनय छलाह जे शुरूए सं सामाजिक कार्य ... समाजसेवा ... जनसेवा में लागल रहैत छलाह . ओ एकटा विचारधारा ल s क s चलैत छलाह . अपन विचारधारा के लड़ाई लड़ैत छलाह . किछ खास मकसद ल s क चलय छलाह . जनता आओर र...

सिफी पर मैथिली ब्लॉगक चर्चा

सिफी डॉट कॉम पर मैथिली भोजपुरी ब्लॉग के बारे में एकटा लेख आएल अछि. शीर्षक अछि भोजपुरी और मैथिली में भी हैं ब्लॉग. एहि खबर में गिरीन्द्र जी लिखने छथिन्ह जे अंग्रेजी... हिंदीए टा नहिं आब आंचलिक भाषा में सेहो ब्लॉग लिखल जा रहल अछि. खास कय मैथिली आओर भोजपुरी में रोज नवका ब्लॉग आबि रहल अछि. एहि में मैथिलीक कतेक रास बात, मिथिला मिहिर, माटिक लोक, टोला आओर हेलो मिथिला क चर्चा अछि. ब्लॉग के संग- संग अगर मैथिली लोक गीतक आनंद लेबय चाहय छी तs मैथिली लोक गीतक नामक ब्लॉग सेहो अछि. एकर संग एकटा ब्लॉग आओर अछि समदिया. ओना एहि लेख में एकर जिक्र नहिं अछि मुदा एहि ब्लॉग पर लिखय वाला रौशनजी अमर उजालाक पत्रकार छथि आओर नीक कोशिश कय रहल छथिल्ह. सिफी डॉट कॉम पर जेहि ब्लॉगक जिक्र कएल गेल अछि ओहि सभ ब्लॉगक लिंक हमर ब्लॉग में अछि अहां ओकरा क्लिक कय ओहि ब्लॉग के पढ़ि सकय छी.

मिथिला पेंटिंग केर प्रशिक्षण

आई काल्हि दुनिया भर में मिथिला पेंटिंग के चर्चा भs रहल अछि. संसद तक में एकर जिक्र भेल. आब देश के सभ प्रमुख स्टेशन पर मिथिला पेंटिंग लगायल जाएत. कला प्रेमी सभ सेहो अपन घर... दफ्तर... ड्राइंग रूम में मिथिला पेंटिंग के जगह देबय लागलथिन्ह अ. लोकक बीच मिथिला पेंटिंगक मांग बढ़ल अछि मुदा ई दुखक गप्प अछि जे एहि मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला लोक सभ के संख्या दिन पर दिन कम भs रहल अछि. पहिने हर गाम घर में मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला मिलि जाइत छलाह मुदा आब किछ खास गाम... घर रहि गेल अछि. एहि सभ के ध्यान में रखैत मधुबनी में मुजफ्फरपुर के एमएसएमई विकास संस्थान आओर मधुबनी जिला उद्योग केंद्र के सहयोग सं उद्यमिता कौशल विकास प्रशिक्षण कार्यक्रम के आयोजन कएल जा रहल अछि. मधुबनी पेंटिंग के बढावा देबय के संग- संग एकर मकसद कमजोर वर्ग के लोक में उद्योग के प्रति जागरुकता लनाय छै. एहि प्रशिक्षण के लेल कोनो फीस नहिं लेल जाएत. ई निशुल्क प्रशिक्षण छह सप्ताह तक चलत. एहि प्रशिक्षण के लेल लोकक चयन इंटरव्यू के मार्फत सं होएत. प्रशिक्षण के लेल मधुबनी जिला उद्योग केंद्र सं फॉर्म लय ओकरा 22 जुलाई तक जमा कs...

गरीब रथ के चलय में विलंब

गरीब रथ के आब 20 तारीख सं चलय के उम्मीद अछि . पहिने ई ट्रेन 10 जुलाई सं चलय वाला छल. मुदा केंद्र में राजनीतिक उठापटक के कारण एकर चलनाय टालि देल गेल. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव अखन मनमोहन सरकार के बचाबय में जुटल छथि. लालू जी अखन नीक काज कs रहल छथि आओर बिहार के लेल तs हुनका अखन केंद्र में मंत्री बनल रहनाय जरूरी अछि. आब अगर सभ किछ नीक रहल तs 20 जुलाई सं चलनाय शुरू करत. रेल चलाबय के सभ तैयारी करीब करीब पूरा भs गेल अछि. जयनगर... मधुबनी के लोक के लेल एकटा आओर नीक खबर ई अछि जे इंटरसिटी एक्सप्रेस आब जयनगर सं खुलत. पटना... दानापुर तक जाय वाला ई एक्सप्रेस रवि छोड़ि सभ दिन चलत. ई ट्रेन जयनगर सं दिन में 10 बजे खुलय के उम्मीद छै. आगां देखिऔ कि टाइन राखल जाय छै.

राजनगर: प्राण प्रतिष्ठा समारोह

राजनगर सिमरी के माता मंदिर में प्रतिमा स्थापना के लेल शुक्रदिन प्राण प्रतिष्ठा समारोह शुरू भेल. ई समारोह 6 दिन तक चलत. समारोहक शुरूआत कलश यात्रा सं भेल जे राज कैम्पस के गंगासागर तालाब सं शुरू भs स्टेशन रोड, भट्टी चौक, गांधी चौक होएत भूतनाथ मंदिर परिसर तक पहुंचल. ई नवका मंदिर भूतनाथ मंदिर परिसर में बनावल गेल अछि. मंदिर परिसर में 251 कलश पहुंचला के बाद शतचंडी यज्ञ के आयोजन कएल गेल. एकरा बाद शिवलिंग पूजन आओर नवनिर्मित माता पार्वती केर प्रतिमाक जलाभिषेक कएल गेल... एहि पार्वती मंदिर के प्राण प्रतिष्ठा 9 तारीख के आचार्य कुणाल किशोर करताह. एहि आयोजन सं पूरा इलाका में माहौल भक्तिमय भs गेल अछि.

जयनगर-दिल्ली गरीब रथ 10 सं !

जयनगर- दिल्ली निजामुद्दीन के बीच गरीब रथ 10 जुलाई सं चलय लागत. एकरा लेल जयनगर स्टेशन पर जोर- शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. उम्मीद छै जे रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव 10 तारीख के हरी झंडी दिखाकय गरीब रथ के रवाना करथिन्ह. उद्घाटन के लेल मंच बनाबय आओर स्टेशन के सजाबय... रंग रोगन के काज शुरू अछि. अखन ई ट्रेन सप्ताह में दु दिन चलत. जयनगर सं ई ट्रेन सोम आओर शुक्र दिन चलत आओर हजरत निजामु्द्दीन सं मंगल आओर शनि दिन खुलत. जयनगर - दरभंगा सं ई सभसं नीक ट्रेन होएत. एहि ट्रेन सं जयनगर सं दिल्ली पहुंचय में सिर्फ 21 घंटा लागत. बेरिया में 12 बजे चढु आओर दोसर दिन भोरे भोर नौ बजे दिल्ली पहुंच जाउ. एहि सं नीक ट्रेन आओर कोन होएत. गरीब ट्रेन के बोगी सभ जयनगर आबि गेल अछि. अखन ओकर जांच परख भs रहल छै. उम्मीद छै जे एहि में सभ बोगी एसी-3 रहत. मुदा एहि ट्रेन में अखन पेंट्री के सुविधा नहिं मिलत. ई अखरय वाला बात अछि. एहि पर ध्यान देबय के जरूरत छै. हां एकटा नीक गप्प ई अछि जे मिथिला के ह्रदय स्थल जयनगर...मधुबनी...दरभंगा सं गुजरय के कारण एहि ट्रेन के हर बोगी में मिथिला पेंटिंग के लगायल गेल अछि.

जानकी आओर जनसाधारण शुरू

जयनगर- सहरसा जानकी एक्सप्रेस आओर सहरसा -अमृतसर जनसाधारण एक्सप्रेस चलनाय शुरू भ गेल अछि. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव दुनु रेल के हरी झंडी दिखा रवाना कएलथिन्ह. चौदह साल पहिने जानकी एक्सप्रेस के परिचालन बंद भ गेला सं एक तरहे मिथिलांचल के ई इलाका दु भाग में बंटि गेल छल. आब फेर सं दिल जुड़ि गेल अ. एहि अवसर पर रेल मंत्री कहलथिन्ह जे जल्दीए मधेपुरा में विद्युत रेल इंजन कारखाना खुलत. देर सिर्फ जमीन मिलला में देरी के कारण भ रहल अछि. एहि कारखाना के लेल जे छोट- छिन्ह कल पुर्जा के जरूरत होएत ओकरा लेल सहरसा सुपौल में कइटा छोट- छिन्ह कारखाना खोलल जाएत. लालू यादव इहो कहलथिन्ह जे बिहारीगंज आओर कुरसैला के बीच रेल लाइन बिछाइल जाएत. एहि अवसर पर लोक सभ के रेल मंत्री ई भरोस देलथिन्ह जे सहरसा में वाशिंग पीट बनि गेलाह के बाद कइटा आओर ट्रेन चलावल जाएत. लालू जी के कहनाय छलन्हि जे मुंगेर - खगड़िया के बीच रेल पुल बनावल जाएत जाहि सं एहि इलाका के लोक के आबय जाय में सहुलियत होएत.रेलमंत्री कहलथिन्ह जे सहरसा फारबिसगंज के बीच बड़ी लाइव बिछाबय के काज दु साल के भीतर पूरा कए लेल जाएत. हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे दे...

केंद्रीय विद्यालय खुलय में देरी

मधुबनी में केंद्रीय विद्यालय खुलय में देरी भs सकय अ. जमीन आ मकान नहिं मिलला के कारण स्कूल नहिं खुलि रहल अछि. मधुबनी में दु साल पहिने केंद्रीय विद्यालय खोलय के मंजूरी भेंट गेल छल मुदा जिला प्रशासन के एहि दिशा में अखन तक कोनो कामयाबी नहि मिलल अछि. भs सकय अ एहि काज के गंभीरता सं नहिं लेल जा रहल होय. पिछला दिन ई खबर आएल रहय जे पंडौल औद्योगिक परिसर में स्थित ग्लूकोज स्टार्च फैक्ट्री के प्रशासनिक भवन में स्कूल खुलत. मुदा ई जगह नहिं मिलल. कहल गेल जे ई भवन उद्योग के लेल अछि. ओना उद्योग के कि हाल अछि देखते छी. ई सभ बात सोचय लेल मजबूर करैत अछि जे किएक अपन मिथिला पिछड़ल अछि. दोसर इलाका सभ अपना एहिठाम स्कूल...संस्थान खोलय लेल मारि करैत अछि आ अहि ठाम मंजूरी मिललो पर नहिं खुलि रहल अछि . एहि सं बड़का दुर्भाग्य आओर कि होएत.

दरभंगा, मधुबनी में बाढ़

अखन बरसात शुरूए भेल अ कि दरभंगा... मधुबनी में बाढ़िक हालात बनि गेल अछि. पूरा टाउन में पानि भरि गेल छै. बाइढ़क हाल छै. कई ठाम तs घर में पानि सेहो घुसि गेल अछि. शहर में चलनाय मुश्किल भs गेल छै. दरभंगा... मधुबनी के ज्यादातर इलाका में पानि भरल छै. दरभंगा में कादिराबाद सं लsक कटहलबाड़ी... बाकरगंज..लहेरियासराय आओर मधुबनी में गिलेशन बाजार... गदियानी... मिलन टाकीज सं गांधी चौक... महादेव मंदिर रोड... लहेरियागंज रोड सभ ठाम पानि भरला सं लोक के चलनाय फिरनाय दूभर भs गेल अछि. बाटा चौक के हाल तs आओर खराब अछि . चारु कात कादो पानि नजर आबैत अछि. लोक बेसि जरूरी काज पड़ले पर घर सं निकलैत छथि. अखने ई हाल अछि तs बाढ़िक समय में कि होएत अंदाजा लगा सकैत छी? ओना दरभंगा के प्रमंडलीय आयुक्त डॉ दीपक प्रसाद शहर के बाढि आओर जलजमाव सं बचाबय के लेल कार्य योजना पर काज शुरू करय के कहलथिन्ह अ. संगहि संग शहर के सुरक्षा तटबंध पर सेहो नजर राखय के आदेश देलथिन्ह अ.

दरभंगा रेडियो स्टेशन सं मैथिली कार्यक्रम

दरभंगा रेडियो स्टेशन... आकाशवाणी सं मैथिली फोन इन कार्यक्रम शुरू कएल गेल अछि. एहि फोन इन कार्यक्रम के प्रसारण मंगलवार के दिन कएल जाएत. एकरा सांझ पांच सं छह बजे के बीच सुनल जा सकय अ. एहि कार्यक्रम में श्रोता लोकनि के फरमाईश पर मैथिली लोकगीत, फिल्मगीत आओर विद्यापति गीत के प्रसारण कएल जाएत. शुरू केर आधा घंटा लोकगीत सुनाएल जाएत ओकरा बाद के आधा घंटा में फिल्म संगीत के प्रसारण कएल जाएत. एहि सुगम संगीतक कार्यक्रम में स्थानीय लोकगायक के सेहो मौका मिलत. एकरा संग ओहन कलाकार सभ के सेहो मौका देल जाएत जिनका अखन तक कोनो मंच नहिं मिलल अछि. दरभंगा आकाशवाणी के कोशिश मैथिली के माध्यम सं बेसि सं बेसि लोक के अपना सं जोड़नाय अछि, मुदा पिछला किछ दिन प्रसारण बड़ गड़बड़ रहल अछि.. कोनो न कोनो तकनीकि कारणे प्रसारण में खराबी रहल अछि. एहि सं श्रोता लोकनि दुखी रहैत छथिन्ह.

जानकी एक्सप्रेस दु जुलाई सं

मिथिलांचल आओर कोसी क्षेत्र के जोड़य वाला जानकी एक्सप्रेस एक बेर फेर सं दौड़नाय शुरू करत. दु जुलाई के रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव सहरसा में झंडा दिखाs एकरा जयनगर लेल रवाना करथिन्ह. जयनगर आओर सहरसा के बीच चलय वाला जानकी एक्सप्रेस में छहटा सामान्य, तीनटा स्लीपर, एकटा थ्री टीयर एसी कोच होएत. ओना अखन ई ट्रेन सप्ताह में तीने दिन चलत बाद में एकर फेरा बढ़ाएल जाएत. जानकी एक्सप्रेस पहिने सेहो चलैत छल मुदा बीच में बंद भs गेल छल. मुदा बड़ी लाइन बनला के बाद एकरा फेर सं चलाबय के मांग जोर पकड़य लागल. जकरा देखि रेल मंत्री जानकी एक्सप्रेस के फेर सं चलाबय के निर्णय लेलखिन्ह. एहि सं इलाका के लोक सभ के बड़ फायदा होएत. जयनगर सं दरभंगा समस्तीपुर के बीच चलय वाला लोक सभ के सेहो सुविधा होएत. अखन ट्रेन कम होय के कारण आबय- जाय में बड़ दिक्कत होएत अछि. जानकी आओर किछ दिन बाद गरीब रथ शुरू भेला सं राहत मिलत. उम्मीद अछि जे जयनगर सं दिल्ली ( निजामुद्दीन ) के बीच चलय वाला गरीबरथ एक्सप्रेस के सेहो जल्दीए शुरू कएल जाएत. कोशिश तs एहि महीना सं चलाबय के छै. देखिऔ की होएत छै. ओना दु तारीख सं सहरसा - अमृतसर के ब...