आई काल्हि दुनिया भर में मिथिला पेंटिंग के चर्चा भs रहल अछि. संसद तक में एकर जिक्र भेल. आब देश के सभ प्रमुख स्टेशन पर मिथिला पेंटिंग लगायल जाएत. कला प्रेमी सभ सेहो अपन घर... दफ्तर... ड्राइंग रूम में मिथिला पेंटिंग के जगह देबय लागलथिन्ह अ. लोकक बीच मिथिला पेंटिंगक मांग बढ़ल अछि मुदा ई दुखक गप्प अछि जे एहि मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला लोक सभ के संख्या दिन पर दिन कम भs रहल अछि. पहिने हर गाम घर में मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला मिलि जाइत छलाह मुदा आब किछ खास गाम... घर रहि गेल अछि. एहि सभ के ध्यान में रखैत मधुबनी में मुजफ्फरपुर के एमएसएमई विकास संस्थान आओर मधुबनी जिला उद्योग केंद्र के सहयोग सं उद्यमिता कौशल विकास प्रशिक्षण कार्यक्रम के आयोजन कएल जा रहल अछि. मधुबनी पेंटिंग के बढावा देबय के संग- संग एकर मकसद कमजोर वर्ग के लोक में उद्योग के प्रति जागरुकता लनाय छै. एहि प्रशिक्षण के लेल कोनो फीस नहिं लेल जाएत. ई निशुल्क प्रशिक्षण छह सप्ताह तक चलत. एहि प्रशिक्षण के लेल लोकक चयन इंटरव्यू के मार्फत सं होएत. प्रशिक्षण के लेल मधुबनी जिला उद्योग केंद्र सं फॉर्म लय ओकरा 22 जुलाई तक जमा कs देल जाय. 22 जुलाई फॉर्म जमा करय के अंतिम तारीख अछि.
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
Comments
Post a Comment