आई काल्हि दुनिया भर में मिथिला पेंटिंग के चर्चा भs रहल अछि. संसद तक में एकर जिक्र भेल. आब देश के सभ प्रमुख स्टेशन पर मिथिला पेंटिंग लगायल जाएत. कला प्रेमी सभ सेहो अपन घर... दफ्तर... ड्राइंग रूम में मिथिला पेंटिंग के जगह देबय लागलथिन्ह अ. लोकक बीच मिथिला पेंटिंगक मांग बढ़ल अछि मुदा ई दुखक गप्प अछि जे एहि मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला लोक सभ के संख्या दिन पर दिन कम भs रहल अछि. पहिने हर गाम घर में मिथिला पेंटिंग के बनाबय वाला मिलि जाइत छलाह मुदा आब किछ खास गाम... घर रहि गेल अछि. एहि सभ के ध्यान में रखैत मधुबनी में मुजफ्फरपुर के एमएसएमई विकास संस्थान आओर मधुबनी जिला उद्योग केंद्र के सहयोग सं उद्यमिता कौशल विकास प्रशिक्षण कार्यक्रम के आयोजन कएल जा रहल अछि. मधुबनी पेंटिंग के बढावा देबय के संग- संग एकर मकसद कमजोर वर्ग के लोक में उद्योग के प्रति जागरुकता लनाय छै. एहि प्रशिक्षण के लेल कोनो फीस नहिं लेल जाएत. ई निशुल्क प्रशिक्षण छह सप्ताह तक चलत. एहि प्रशिक्षण के लेल लोकक चयन इंटरव्यू के मार्फत सं होएत. प्रशिक्षण के लेल मधुबनी जिला उद्योग केंद्र सं फॉर्म लय ओकरा 22 जुलाई तक जमा कs देल जाय. 22 जुलाई फॉर्म जमा करय के अंतिम तारीख अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment