मिथिलांचल आओर कोसी क्षेत्र के जोड़य वाला जानकी एक्सप्रेस एक बेर फेर सं दौड़नाय शुरू करत. दु जुलाई के रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव सहरसा में झंडा दिखाs एकरा जयनगर लेल रवाना करथिन्ह. जयनगर आओर सहरसा के बीच चलय वाला जानकी एक्सप्रेस में छहटा सामान्य, तीनटा स्लीपर, एकटा थ्री टीयर एसी कोच होएत. ओना अखन ई ट्रेन सप्ताह में तीने दिन चलत बाद में एकर फेरा बढ़ाएल जाएत. जानकी एक्सप्रेस पहिने सेहो चलैत छल मुदा बीच में बंद भs गेल छल. मुदा बड़ी लाइन बनला के बाद एकरा फेर सं चलाबय के मांग जोर पकड़य लागल. जकरा देखि रेल मंत्री जानकी एक्सप्रेस के फेर सं चलाबय के निर्णय लेलखिन्ह. एहि सं इलाका के लोक सभ के बड़ फायदा होएत. जयनगर सं दरभंगा समस्तीपुर के बीच चलय वाला लोक सभ के सेहो सुविधा होएत. अखन ट्रेन कम होय के कारण आबय- जाय में बड़ दिक्कत होएत अछि. जानकी आओर किछ दिन बाद गरीब रथ शुरू भेला सं राहत मिलत. उम्मीद अछि जे जयनगर सं दिल्ली ( निजामुद्दीन ) के बीच चलय वाला गरीबरथ एक्सप्रेस के सेहो जल्दीए शुरू कएल जाएत. कोशिश तs एहि महीना सं चलाबय के छै. देखिऔ की होएत छै. ओना दु तारीख सं सहरसा - अमृतसर के बीच चलयवाला जनसाधारण एक्सप्रेस के सेहो झंडा दिखाs कय रेलमंत्री रवाना करताह.
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
yes... love this text :))
ReplyDelete