Skip to main content

मिथिलाक किसानक संग सौतेला बर्ताव

उत्तर बिहारक कइटा इलाका अखन बाढ़ि मे डूबल अछि. लोक बाढ़िक पानि सं परेशान अछि. रहनाय... खनाय... पिनाय सं लsक दिशा-मैदान दिस जनाय तक के तकलीफ अछि. ऐहन मे भारत सरकार के मकई के निर्यात पर रोक लगयला सं मिथिलांचलक कोशी क्षेत्रक किसान परेशान छथि. कोशीक बाढ़ि वाला इलाका में मकई प्रमुख फसल अछि. लोकक खनाय... पिनाय... सभ किछ खेती पर निर्भर अछि आओर एहि इलाका के खेती आई- काल्हि बड़ किछ मकई केर खेती पर निर्भर अछि. बाढ़ि वाला एहि इलाका मे एहि नकदी फसल सं लोकक चेहरा पर खुशहाली आएल अछि. मुदा एकर निर्यात पर रोक लगला सं किसानक चेहरा मुरझा गेल अछि. जेना -तेना कोनो दाम पर अपन फसल के... अनाज के बेच रहल छथिन्ह. किएक तं बेसि दिन ओ एकरा अपना पास रखिओ नहिं सकैत छथि. बाढ़ि कनि बिसेक भेल नहिं कि सभ मकई केर भंडार पानि में बहि जाएत. मुदा किछिए किसान अपन मकई बेच सकलाह अ. ज्यादातर किसानक मकई अखनो हुनके पास छनि. व्यापारी सभ जे थोक मे किसान सं माल खरीद लैत छलाह ओ एकदमे सं हाथ खिंच लेने छथिन्ह. व्यापारी सभ के कहनाय छनि जे सरकारे रोक लगा देने छै त हम कि कs सकय छी. हम एकदम मजबूर छी. किसानक मकईक फसल बर्बाद भs रहल अछि. लाखों टन मकई रेलवे के वैगन मे... ट्रक आओर ट्रेक्टर पर लादल रखल अछि. मुदा जेहिना लादल गेल तेहिना राखल अछि. सिर्फ किसाने नहिं सभ परेशान छथि... व्यापारी... मजदूर... घोड़ा-गाड़ी वाला सभ. सभक कमाई एक दोसरा सं जुड़ल अछि.
एहि में अगर पूरा देश मे निर्यात पर रोक लागल रहैत त सोचलो जा सकैत छल मुदा ई रोक दक्षिण भारतक किसानक मकई पर नहिं अछि. दक्षिण के किसान के एहि सं छूट मिलल अछि. कहि सकय छी जे ई मिथिलाक... बिहारक किसान केर संग सौतेला भेदभाव अछि. आओर ई भेदभाव केंद्र् सरकार कs रहल अछि. लाखों... करोड़ों रुपया के फसल बर्बाद भs रहल अछि आ कृषि मंत्री शरद पवार सदिखन केर भांति सुतल छथि. एम्हर काने नहिं द रहल छथिन्ह. हिनका जकां खतSSमSS कृषि मंत्री आई तक भारत में शायदे कोनो भेल होताह. हिनकर नींद तखने टूटत जखन कि मिथिला में सेहो हिनकर अपन राज्य महाराष्ट्र के विदर्भ जकां किसान खुदकुशी करय लगताह. हिनकर जे करनी छैन ओ त एहने लगैत छनि. पहिने किछ नहिं करताह बाद मे लोन माफ करथिन्ह आ विदेश सं घटिया अनाज मंगाय लोक के खिओथिन्ह.
कोशी क्षेत्रक किसान सभ एहि के लेल काफी विरोध प्रदर्शन सेहो कएलाह अछि. धरना प्रदर्शन सेहो भेल. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री के पत्र लिखि निर्यात पर लागल रोक हटावय के मांग सेहो कएलथिन्ह अ. प्रधानमंत्री के भेजल अपन पत्र में मुख्यमंत्री साफ कहलथिन्ह अ जे बिहार मे 17 लाख मिट्रिक टन मकई के पैदावार होएत अछि जे देश मे होय वाला मकई के पैदावार के 10 प्रतिशत अछि. आओर एकर खेती करय वाला बेसि किसान छोट किसान छथि. जिनकर सभ किछ खेतीए पर निर्भर अछि. पहिने जे मकई साढ़े सात सय रुपए क्विंटल बिकाय छल आई ओ पांच सय रुपए क्विंटल बिका रहल अछि. जाहि कारणे किसान के काफी नुकसान उठाबय पड़ि रहल अछि आब देखल जाय प्रधानमंत्री कि करय छथिन्ह. अगर ओ एहि पर ध्यान नहिं देथिन्ह त देशक खाद्यान्न सुरक्षा खतरा मे पड़ि सकैत अछि.

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर