Skip to main content

राजनीति में इहे होइछै !

राजनीति में नहिं कोई दोस्त होइत अछि नहिं कोई दुश्मन. मौका पर जे संग देय से दोस्त... नहिं s दुश्मन. सभगप्प मौकापरस्ती के होई छै. मौका परल नहिं कि सभ सं नीक दोस्त... दुश्मन बनि गेल आओर सभसं बड़कादुश्मन खांटी दोस्त. किछ समझि में नहिं आबैत छै. एक दोसरा के सम्मान सेहो खत्म भेल जाइ छै. राजनीतिकमजबूरी अपन जगह छै. मुदा आब राजनीति एकटा जोड़तोड़...खरीद फरोख्त के बाजार बनि गेल अछि. सभककोशिश एकटा रहैत अछि कोनो तरहे हाथ में सत्ताक सूत्र बनल रहय... कोनो तरहे सत्ता बनल रहय. चाहे ओकरालेल किछओ किएक नहिं करय पड़य. राजनीति में अखनो बड़ नीक लोक सभ छथिन्ह मुदा किछ एहनो लोक सभआबि गेलाह अछि जिनका कारणे राजनीतिक स्तर गिरल अछि. पहिने राजनेता ओहन लोक बनय छलाह जेशुरूए सं सामाजिक कार्य... समाजसेवा... जनसेवा में लागल रहैत छलाह. एकटा विचारधारा s s चलैतछलाह. अपन विचारधारा के लड़ाई लड़ैत छलाह. किछ खास मकसद s चलय छलाह. जनता आओर राज्य केखुशहाली पर हुनकर नजर रहय छल. एहि लड़ाई के कारणे इलाका के बच्चा-बच्चा हुनका संग दैत छल. गाम-गामघर-घर के लोक सभ सम्पर्क में रहैत छलाह. हुनकर सभ सं बड़का चिंता रहैत छल जे जनता के उम्मीद परकेना खरा उतरताह. लोकक दुख-दर्द के अपन दुख-दर्द समझय छलाह.
मुदा आब पूरा ध्यान अपना ऊपर रहय छन्हि. आई काल्हि के नेता के देखिऔ. तीने-चारि साल में हुनकर आमदनीसौ... हजार गुना बढ़ि जाइ छन्हि. एकटा छोटका घर सं कइटा बंगला... फ्लैट बनि जाइ छन्हि. फार्म हाउस मॉलबना लैत छन्हि. सीबीआई कोनो जांच होय कोनो फर्क नहिं पड़ैत छन्हि. विरोध में रहला पर जांच शुरू समर्थन में अएला पर सभ जांच कोठी तर में चलि जाइ छनि.
आई काल्हि सरकार बचाबय के लेल यूपीए के नेता सभ जोड़तोड़...गुणा-भाग में लागल छथि. सभक चिंता किसरकार के केना बचावल जाय. एक-एक सांसद के खोजय जाय लागल अछि. सरकार के संकटमें आबय सं कइतरहक संकट आबि गेल अछि. सरकार के ध्यान पर देशक कामकाज सं हटि सरकार के बचाबय पर आबि गेलअछि. बाजार सेहो डगमगा हरल अछि. मुदा सभस बड़का बात छै जे जेहि मुद्दा पर लेफ्ट सरकार सं समर्थनवापस लेलक अछि नवका मुद्दा नहिं अछि. मुदा टांग खींचलक चुनावक समय करीब अएला पर. चारि सालजतेक मलाई खाय के छल खइलकि आब मैदान में सेहो जयबाक छन्हि... कोन मुंह s जएताह. बहाना नीकभेटल. अमरीका संग परमाणु डील. कांग्रेस सेहो चाहैत छल जे किछ एहन होय जाहि सं लोक महंगाई के बिसरिदोसर मुद्दा में भटकि जाय. लेफ्ट मौका देलक. एहि मौका के तलाश में समाजवादी पार्टी सेहो छल. बसपा केप्रहार सं हुनकर हालात नहिं घरक नहिं बाहर वाला रहि गेल छल. बसपा सेहो ओहि समय कांग्रेसक समर्थन संसमाजवादी पार्टी के खिलाफ जोर- शोर सं अभियान चलैने छल. मुदा लेफ्ट बसपा के हटिते समाजवादी पार्टी केलेल जेना छिंका टुटल तुरंते लपकि लेलाह. जे अमर सिंह कांग्रेस के नाम आबिते बिदकि जाइ छलाह आई ओहि पार्टी के तारणहार बनि गेलाह अछि. कहय छथिन्ह किछ s जाइ सरकार के नहिं गिरय देबय. जेसीबीआई काल्हि तक मायावती के समर्थन के समय समाजवादी पार्टी के परेशान करय छल आब उहे सीबीआईसामाजवादी पार्टी के कांग्रेस के करीब आबिते मायावती के खिलाफ मामला उठाबय लागल.
बड़ घोंच छै ... किछ समझि में नहिं आबैत छै. आई गरिअएलौं काल्हि गठजोड़ कएलौं. एतेक जोड़तोड़ होय छैकि सभ किछ ओझरा जाइ छै. अपना सभ ओझराइल रहय छी सभ हमरा सभके कठपुतली जकां नचाबैतरहैत छथि. अपना के गरीब लोक के संगी... पहरुआ कहय वाला लेफ्ट अखन महंगाई पर चुप्पी साधने अछि. लेफ्टके डील सं बेसि महंगाई पर समर्थन वापस लेबाक चाहि छल. मुदा चारि साल सरकार के हर गलत-सही में संगचलल... साथ देलक. आब जखन चुनाव में किछ दिन रहि गेल अछि s धोंस दिखा रहल अछि. समाजवादी पार्टी केसेहो लगैत अछि मायावती सं बचय के लेल कांग्रेस के संग जरूरी अछि आओर जहां तक चुनाव के गप्प s यूपी मेंकांग्रेस के कोनो खास असर चलय वाला नहिं अछि... यूपी में या s बसपा या सपा... तेसर पर बीजेपी ओकर बादकांग्रेस. सपा के लगैत अछि जे अखन कांग्रेस के दामन थामने नुकसान नहिं फायदा अछि. सभ बात फायदा-नुकसान पर आबि जाइत अछि.
एतबा सभ के बादो हम सभ हुनका सभ के समझि नहिं पाबैत छी. चुनावक समय... वोटक समय सभ भूलि जाति- पाति में...भाई भतीजावाद में भटकि जाइ छी. ध्यान रखल जाई उम्मीदवार कोनो दल के किएल नहिं होय ... जेनीक उम्मीदवार होय हुनके चुनि अपन प्रतिनिधि बनाउ.
...

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर