सीतामढ़ी के रुन्नीसैदपुर मे बागमती नदी के तटबंध टूटि गेल अछि. तटबंध टूटला सं एकटा बड़का इलाका मे पानि घुसि गेल. सीतामढ़ी... मुजफ्फरपुर के करीब 200 गाम मे पानि घुसल अछि. बिहार सरकार के तरफ सं एकटा उच्च स्तरीय जांच दल भेजल जा रहल अछि. एहि दल मे तमाम बड़का अफसर शामिल होथिन्ह. सरकार के तरफ सं राहत के काज शुरू कएल जा रहल अछि. मुदा लोक के कहनाय छनि कि ओ नाकाफी अछि. लोक सभ के इहो कहनाय छनि जे तटबंध प्रशासन के लापरवाही के कारण टूटल अछि. रुन्नीसैदपुर के लोक के कहनाय छनि जे बांध मे पहिने छोटका छेद छल. छेद दsक पानि के निकलैत देखि लोक सभ एकर जानकारी अफसर सभ के देलखिन्ह. मुदा एहि गरमी मे के घर सं बाहर निकलैत अछि ? किछ नहि कएल गेल. छोट छेद बड़का भs गेल. एहन बड़का भेल जे 50- 60 फीट चौड़ा भs गेल. आओर पानि के दबाव पर ई हर समय बढ़िए रहल अछि. मुदा अहां कोनो अफसर सं लापरवाही के बात कहिऔ ओ मानए लेल तैयार नहि होताह. कहताह हमर व्यवस्था दुरुस्त अछि. दूर-दराज के गाम मे बांध टूटला के खबर फैलल त लोक सभ सामान ल भागय लगला....
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे