जयनगर-दिल्ली गरीब रथ 10 सं !

जयनगर- दिल्ली निजामुद्दीन के बीच गरीब रथ 10 जुलाई सं चलय लागत. एकरा लेल जयनगर स्टेशन पर जोर- शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. उम्मीद छै जे रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव 10 तारीख के हरी झंडी दिखाकय गरीब रथ के रवाना करथिन्ह. उद्घाटन के लेल मंच बनाबय आओर स्टेशन के सजाबय... रंग रोगन के काज शुरू अछि. अखन ई ट्रेन सप्ताह में दु दिन चलत. जयनगर सं ई ट्रेन सोम आओर शुक्र दिन चलत आओर हजरत निजामु्द्दीन सं मंगल आओर शनि दिन खुलत. जयनगर - दरभंगा सं ई सभसं नीक ट्रेन होएत. एहि ट्रेन सं जयनगर सं दिल्ली पहुंचय में सिर्फ 21 घंटा लागत. बेरिया में 12 बजे चढु आओर दोसर दिन भोरे भोर नौ बजे दिल्ली पहुंच जाउ. एहि सं नीक ट्रेन आओर कोन होएत. गरीब ट्रेन के बोगी सभ जयनगर आबि गेल अछि. अखन ओकर जांच परख भs रहल छै. उम्मीद छै जे एहि में सभ बोगी एसी-3 रहत. मुदा एहि ट्रेन में अखन पेंट्री के सुविधा नहिं मिलत. ई अखरय वाला बात अछि. एहि पर ध्यान देबय के जरूरत छै. हां एकटा नीक गप्प ई अछि जे मिथिला के ह्रदय स्थल जयनगर...मधुबनी...दरभंगा सं गुजरय के कारण एहि ट्रेन के हर बोगी में मिथिला पेंटिंग के लगायल गेल अछि.

Comments

  1. बार निक समाचार दलो, गरीब रथ जनता का बार पुराण मांग रहे. लेकिन हम एखन दरभंगा म रही ता, समाचार पत्र म आयल चला जे, गरीब रथ वाया पटना जात. ओना लालू जी का साधुबाद. आभारी रहत मिथला बासी.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मजिस्ट्रेट के पिटाई

केंद्र मे हारल बिहार...

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा

दिन-रात

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

पूर्णिया मे सुखोई