दरभंगा रेडियो स्टेशन सं मैथिली कार्यक्रम

दरभंगा रेडियो स्टेशन... आकाशवाणी सं मैथिली फोन इन कार्यक्रम शुरू कएल गेल अछि. एहि फोन इन कार्यक्रम के प्रसारण मंगलवार के दिन कएल जाएत. एकरा सांझ पांच सं छह बजे के बीच सुनल जा सकय अ. एहि कार्यक्रम में श्रोता लोकनि के फरमाईश पर मैथिली लोकगीत, फिल्मगीत आओर विद्यापति गीत के प्रसारण कएल जाएत. शुरू केर आधा घंटा लोकगीत सुनाएल जाएत ओकरा बाद के आधा घंटा में फिल्म संगीत के प्रसारण कएल जाएत.
एहि सुगम संगीतक कार्यक्रम में स्थानीय लोकगायक के सेहो मौका मिलत. एकरा संग ओहन कलाकार सभ के सेहो मौका देल जाएत जिनका अखन तक कोनो मंच नहिं मिलल अछि. दरभंगा आकाशवाणी के कोशिश मैथिली के माध्यम सं बेसि सं बेसि लोक के अपना सं जोड़नाय अछि, मुदा पिछला किछ दिन प्रसारण बड़ गड़बड़ रहल अछि.. कोनो न कोनो तकनीकि कारणे प्रसारण में खराबी रहल अछि. एहि सं श्रोता लोकनि दुखी रहैत छथिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह-6

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

बिहार के एकटा आओर सम्मान

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

हमर विआह-10

हमर विआह-9

किछ हरायल शब्द

बिहार लोक सेवा आयोग परीक्षा