नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सरकार बचत कि जाएत ?

जेना -जेना 22 तारीख नजदीक आबि रहल अछि सरकार के दिल के धड़कन बढ़ि रहल अछि. भने सरकार के कहनाय होय कि हुनका पास बहुमत के आंकड़ा अछि... अमर सिंह सेहो संग आबि भने कहथिन्ह कि 280 के समर्थन अछि. मुदा संख्या के लs कs यूपीए के सभ नेता सभके बीपी अखन बढ़ल छनि. एकटा- एकटा वोट जुटनाय मुश्किल भs रहल छै. 272 के आंकड़ा तक पहुंचनाय एवरेस्ट के फतह करनाय सं बेसि कठिन भs गेल छै. झारखंड मुक्ति मोर्चा के शिबू सोरेन आओर राष्ट्रीय लोकदल के अजित सिंह सेहो पेंच लगौने छथिन्ह. जखन कि सरकार अजित सिंह के पार्टी के तीन टा वोट के लेल लखनऊ के हवाई अड्डा अमौसी के नाम हिनकर पिताजी पूर्व प्रधानमंत्री चौधरी चरण सिंह जी के नाम पर करय के एलान सेहो कs देलक. हल्ला सेहो भ गेल कि तीन वोट एक एयरपोर्ट. मुदा अजित सिंह अपन हाथ पकड़य नहिं दs रहल छथिन्ह. सरकार के बेचैनी बढ़ौने छथिन्ह.
खबर त इहो छै जे सरकार शिबू सोरेन उर्फ गुरुजी के फेर सं केन्द्रीय मंत्रिमंडल में शामिल करय लेल तैयार अछि. मुदा गुरुजी अखन एतबे गुरुदक्षिणा पर राजी नहिं भs रहल छथिन्ह. खुशपुस्सी छै जै आबय वाला चुनाव के लेल अजित सिंह जी आओर गुरुजी बेसि सीट मांगि रहल छथिन्ह. हिनकर इहो चिंता छनि जे अगर ओ सरकार के वोट दैत छथिन्ह आ सरकार गिरि पड़य छै त वायदा के कोनो महत्व नहिं रहत. किएक तs सरकारे नहिं रहत तs ओ मंत्रि केना बनताह. एहि लेल ओ कोनो फैसला करय सं पहिने सभ गरे देख लेबय चाहय छथिन्ह. बीजेपी से कहि रहल छै जे अगर ओ सरकार के गिरा देथिन्ह तs ओ हुनका झारखंड के मुख्यमंत्री बनाबय में मदद करत. ओम्हर देवेगौड़ा से अटकैने छथिन्ह. अपन पत्ता नहिं खोलि रहल छथिन्ह. हुनका तं लs दs क अपन पुत्रक चिंता रहैत छनि. पुत्रक प्रेम में ओ कर्नाटक सरकार गंवा चुकल छथि. किछ दिन पहिने तक यूपीए के संगी टीआरएस आब साफ कहि देलक अछि जे ओ सरकार के खिलाफ वोट करत. कांग्रेस के अपन सांसद सेहो सिरदर्द साबित भs रहल छनि. भिवानी सं निलंबित सांसद कुलदीप विश्नोई के कहनाय छनि जे ओ विरोध में वोट देताह. कर्नाटक के चारिटा सांसद बीजेपी के सम्पर्क में अछि. ममता बनर्जी त सरकार के पक्ष में जा सकय छथिन्ह ओना नेशनल कांफ्रेंस अखन कोनो फैसला नहिं करलक अछि. जेल में बंद दु टा सांसद सूरजभान आओर मोहम्मद शहाबुद्दीन के वोटिंग में जाय के इजाजत देल गेल अछि. एक- एक वोट के जुटाबय लेल दिन राति एक कs देल गेल अछि. मुदा राजनीति में आखिरी समय तक किछ कहनाय मुश्किल अछि. अगर दु चारि टा सांसद 22 जुलाई के गैर हाजिर रहय छथिन्ह तहुं सं सरकार के खेल बनि सकत अछि. चलु छोड़ु हुनका सभ के बीपी बढ़ाबय दिऔन. अपना सभ त पर्दा उठला पर सभ देखिए लेब. अपन नींद किएक खराब करि किएक तs क्लाइमैक्स आबय तक रोचकता बनल रहय सेहे बेहतर.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु