Skip to main content

सरकार बचत कि जाएत ?

जेना -जेना 22 तारीख नजदीक आबि रहल अछि सरकार के दिल के धड़कन बढ़ि रहल अछि. भने सरकार के कहनाय होय कि हुनका पास बहुमत के आंकड़ा अछि... अमर सिंह सेहो संग आबि भने कहथिन्ह कि 280 के समर्थन अछि. मुदा संख्या के लs कs यूपीए के सभ नेता सभके बीपी अखन बढ़ल छनि. एकटा- एकटा वोट जुटनाय मुश्किल भs रहल छै. 272 के आंकड़ा तक पहुंचनाय एवरेस्ट के फतह करनाय सं बेसि कठिन भs गेल छै. झारखंड मुक्ति मोर्चा के शिबू सोरेन आओर राष्ट्रीय लोकदल के अजित सिंह सेहो पेंच लगौने छथिन्ह. जखन कि सरकार अजित सिंह के पार्टी के तीन टा वोट के लेल लखनऊ के हवाई अड्डा अमौसी के नाम हिनकर पिताजी पूर्व प्रधानमंत्री चौधरी चरण सिंह जी के नाम पर करय के एलान सेहो कs देलक. हल्ला सेहो भ गेल कि तीन वोट एक एयरपोर्ट. मुदा अजित सिंह अपन हाथ पकड़य नहिं दs रहल छथिन्ह. सरकार के बेचैनी बढ़ौने छथिन्ह.
खबर त इहो छै जे सरकार शिबू सोरेन उर्फ गुरुजी के फेर सं केन्द्रीय मंत्रिमंडल में शामिल करय लेल तैयार अछि. मुदा गुरुजी अखन एतबे गुरुदक्षिणा पर राजी नहिं भs रहल छथिन्ह. खुशपुस्सी छै जै आबय वाला चुनाव के लेल अजित सिंह जी आओर गुरुजी बेसि सीट मांगि रहल छथिन्ह. हिनकर इहो चिंता छनि जे अगर ओ सरकार के वोट दैत छथिन्ह आ सरकार गिरि पड़य छै त वायदा के कोनो महत्व नहिं रहत. किएक तs सरकारे नहिं रहत तs ओ मंत्रि केना बनताह. एहि लेल ओ कोनो फैसला करय सं पहिने सभ गरे देख लेबय चाहय छथिन्ह. बीजेपी से कहि रहल छै जे अगर ओ सरकार के गिरा देथिन्ह तs ओ हुनका झारखंड के मुख्यमंत्री बनाबय में मदद करत. ओम्हर देवेगौड़ा से अटकैने छथिन्ह. अपन पत्ता नहिं खोलि रहल छथिन्ह. हुनका तं लs दs क अपन पुत्रक चिंता रहैत छनि. पुत्रक प्रेम में ओ कर्नाटक सरकार गंवा चुकल छथि. किछ दिन पहिने तक यूपीए के संगी टीआरएस आब साफ कहि देलक अछि जे ओ सरकार के खिलाफ वोट करत. कांग्रेस के अपन सांसद सेहो सिरदर्द साबित भs रहल छनि. भिवानी सं निलंबित सांसद कुलदीप विश्नोई के कहनाय छनि जे ओ विरोध में वोट देताह. कर्नाटक के चारिटा सांसद बीजेपी के सम्पर्क में अछि. ममता बनर्जी त सरकार के पक्ष में जा सकय छथिन्ह ओना नेशनल कांफ्रेंस अखन कोनो फैसला नहिं करलक अछि. जेल में बंद दु टा सांसद सूरजभान आओर मोहम्मद शहाबुद्दीन के वोटिंग में जाय के इजाजत देल गेल अछि. एक- एक वोट के जुटाबय लेल दिन राति एक कs देल गेल अछि. मुदा राजनीति में आखिरी समय तक किछ कहनाय मुश्किल अछि. अगर दु चारि टा सांसद 22 जुलाई के गैर हाजिर रहय छथिन्ह तहुं सं सरकार के खेल बनि सकत अछि. चलु छोड़ु हुनका सभ के बीपी बढ़ाबय दिऔन. अपना सभ त पर्दा उठला पर सभ देखिए लेब. अपन नींद किएक खराब करि किएक तs क्लाइमैक्स आबय तक रोचकता बनल रहय सेहे बेहतर.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...