गरीब रथ के चलय में विलंब

गरीब रथ के आब 20 तारीख सं चलय के उम्मीद अछि. पहिने ई ट्रेन 10 जुलाई सं चलय वाला छल. मुदा केंद्र में राजनीतिक उठापटक के कारण एकर चलनाय टालि देल गेल. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव अखन मनमोहन सरकार के बचाबय में जुटल छथि. लालू जी अखन नीक काज कs रहल छथि आओर बिहार के लेल तs हुनका अखन केंद्र में मंत्री बनल रहनाय जरूरी अछि. आब अगर सभ किछ नीक रहल तs 20 जुलाई सं चलनाय शुरू करत. रेल चलाबय के सभ तैयारी करीब करीब पूरा भs गेल अछि. जयनगर... मधुबनी के लोक के लेल एकटा आओर नीक खबर ई अछि जे इंटरसिटी एक्सप्रेस आब जयनगर सं खुलत. पटना... दानापुर तक जाय वाला ई एक्सप्रेस रवि छोड़ि सभ दिन चलत. ई ट्रेन जयनगर सं दिन में 10 बजे खुलय के उम्मीद छै. आगां देखिऔ कि टाइन राखल जाय छै.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

अहां केना सहैत होएब ?

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे