बिहार मे नवका आईआईटी मे सात अगस्त सं पढ़ाई शुरू भs जाएत. बिहारक आईआईटी के उद्घाटन मानव संसाधन विकास मंत्री अर्जुन सिंह करताह. बिहारक लेल ई गर्वक गप्प अछि. जेहि के लेल बिहार सालक साल इंतजार कएलक ओ अगिला मास पूरा भs जाएत. ओना अखन आईआईटी कैम्पस नहि बनल अछि. ई कैम्पस बिहटा में करीब 300 एकड़ में बनत. काज चलि रहल अछि. अखन जे सात तारीख सं पढ़ाई शुरू होएत ओ पाटलीपुत्र पोलिटेक्निक में होएत. अर्जुन सिंह जी उद्घाटन करय लेल राजी भs गेलखिन्ह अ. उद्घाटन समारोह में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो शामिल रहताह. ओ मुख्य अतिथिक रूप में समारोह के मान बढ़ौतिन्ह. उद्घाटन के लेल तैयारी जोर शोर सं चलि रहल अछि. बिहार आईआईटी के लेल एडमिशन भs चुकल अछि. सिर्फ पढ़ाई शुरू होबाक देरी छै. एहि बेर 120 सीट के लेल एडमिशन भेल अछि. एहि में 40 टा सीट मैकेनिकल... 40 टा इलेक्ट्रानिक आ 40 टा कम्प्यूटर इंजीनियरिंग के लेल अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment