जानकी आओर जनसाधारण शुरू

जयनगर- सहरसा जानकी एक्सप्रेस आओर सहरसा -अमृतसर जनसाधारण एक्सप्रेस चलनाय शुरू भ गेल अछि. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव दुनु रेल के हरी झंडी दिखा रवाना कएलथिन्ह. चौदह साल पहिने जानकी एक्सप्रेस के परिचालन बंद भ गेला सं एक तरहे मिथिलांचल के ई इलाका दु भाग में बंटि गेल छल. आब फेर सं दिल जुड़ि गेल अ. एहि अवसर पर रेल मंत्री कहलथिन्ह जे जल्दीए मधेपुरा में विद्युत रेल इंजन कारखाना खुलत. देर सिर्फ जमीन मिलला में देरी के कारण भ रहल अछि. एहि कारखाना के लेल जे छोट- छिन्ह कल पुर्जा के जरूरत होएत ओकरा लेल सहरसा सुपौल में कइटा छोट- छिन्ह कारखाना खोलल जाएत. लालू यादव इहो कहलथिन्ह जे बिहारीगंज आओर कुरसैला के बीच रेल लाइन बिछाइल जाएत. एहि अवसर पर लोक सभ के रेल मंत्री ई भरोस देलथिन्ह जे सहरसा में वाशिंग पीट बनि गेलाह के बाद कइटा आओर ट्रेन चलावल जाएत. लालू जी के कहनाय छलन्हि जे मुंगेर - खगड़िया के बीच रेल पुल बनावल जाएत जाहि सं एहि इलाका के लोक के आबय जाय में सहुलियत होएत.रेलमंत्री कहलथिन्ह जे सहरसा फारबिसगंज के बीच बड़ी लाइव बिछाबय के काज दु साल के भीतर पूरा कए लेल जाएत. हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे देश के सभ स्टेशन पर कृषि आपटलेट खोलल जाएत. एकर मकसद किसान भाई के आर्थिक रूप से मदद करनाय आओर कृषि के बढावा देनाय अछि.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?