नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केंद्रीय विद्यालय खुलय में देरी

मधुबनी में केंद्रीय विद्यालय खुलय में देरी भs सकय अ. जमीन आ मकान नहिं मिलला के कारण स्कूल नहिं खुलि रहल अछि. मधुबनी में दु साल पहिने केंद्रीय विद्यालय खोलय के मंजूरी भेंट गेल छल मुदा जिला प्रशासन के एहि दिशा में अखन तक कोनो कामयाबी नहि मिलल अछि. भs सकय अ एहि काज के गंभीरता सं नहिं लेल जा रहल होय. पिछला दिन ई खबर आएल रहय जे पंडौल औद्योगिक परिसर में स्थित ग्लूकोज स्टार्च फैक्ट्री के प्रशासनिक भवन में स्कूल खुलत. मुदा ई जगह नहिं मिलल. कहल गेल जे ई भवन उद्योग के लेल अछि. ओना उद्योग के कि हाल अछि देखते छी. ई सभ बात सोचय लेल मजबूर करैत अछि जे किएक अपन मिथिला पिछड़ल अछि. दोसर इलाका सभ अपना एहिठाम स्कूल...संस्थान खोलय लेल मारि करैत अछि आ अहि ठाम मंजूरी मिललो पर नहिं खुलि रहल अछि . एहि सं बड़का दुर्भाग्य आओर कि होएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु