Open University me dakhila

बिहार मे विश्वविद्यालयक...महाविद्यालयक हड़ताल सं विद्यार्थी सभक पढ़ाई खूब हर्जा होएत अछि. पिछला दिन हड़ताल सं परेशान भs कइटा विद्यार्थी सभ ओपेन यूनिवर्सिटी में नाम लिखा लेलाह. देश में ओना त कइटा विश्वविद्यालय सं पत्राचार केर माध्यम सं पढ़ाई होइ छै. मुदा बिहार... मिथिला... अपना दिसक बेसि विद्यार्थी या त नालंदा ओपेन यूनिवर्सिटी या इंदिरा गांधी खुला विश्वविद्यालयमे नाम लिखाबैत छथिन्ह. खबर तं ऐहन छै जे एहि बेर ओपेन यूनिवर्सिटीमे पिछला साल सं दुगुना दाखिला भेल अछि. आओर अखन नाम लिखैनाय रुकल अ नहि ... जारी अछि.
ओना इंदिरा गांधी ओपेन यूनिवर्सिटी... इग्नू के स्टडी मैटेरियल बड़ नीक होएत अछि. एकर स्टडी मैटेरियल सं अहां प्रतियोगी परीक्षा के तैयारी नीक जकां कs सकैत छी. एकर पाठ्यक्रम तैयार करय वाला टीम में ओहि विषयक विद्वान लोकनि सभ के शामिल कएल जाइत अछि. किताब सभ उच्च स्तरीय होएत अछि. इग्नू कामकाजी... नौकरीपेशा लोकक लेल एकटा वरदान के तरह अछि. नौकरी के संग घर बैसल पढ़ाई करैत रहुं... डिग्री... डिप्लोमा प्राप्त करैत रहुं. रोज-रोज कॉलेज जाए आओर हाजिरी के चक्कर नहिं रहैत अछि. जखन मन होय पढैत रहुं. एहि में नौकरी के संग पढ़ाई सेहो भs जाइत अछि. ई व्यापारी... व्यवसायी सभ के लेल सेहो नीक मौका उपलब्ध कराबैत अछि. काम सं संग घर बैसल... दुकान पर बैसल पढ़ाई करु. कोनो दिक्कत होय तं स्टडी सेंटर...रीजनल सेंटर जाउ...अहांक समस्याक समाधान भs जाएत. नाम लिखाबय के मामला में बिहार के स्थान देश में पहिल अछि. बिहार में दुटा रीजनल सेंटर अछि... पटना आओर दरभंगा में. झारखंड में रांची में अछि. बिहार में बेसि दाखिला बीए... बीकॉम... बीसीए के लेल होएत अछि. ओना इंग्नू के कएटा प्रबंधन आओर डिग्री ... डिप्लोमाक संग सार्टिफिकेट कोर्स सेहो चलैत अछि. इग्नू के पढ़ाई ज्ञान दर्शन चैलन के माध्यम सं सेहो होएत अछि.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा