Posts

Showing posts with the label मिथिला- मैथिली

गामक तिला संक्रांति

Image
बच्चा मे जखन गाम मे रहय छलौं तं तिला संक्रांति केर बड़ उमंग रहैत छल. पावनि सं पहिने चूड़ा कुटैनाए... मुरही भुजैनाय... गुड़ खरीदनाय... तिल धोनाय... सूखैनाय... तिलबा बनैनाय सभ चारि-पांच दिन पहिनहिं सं शुरू भ जाएत छल. गाम मे पहिने उजरका तिल सं तिलबा नहि बनैत छल. करिकबा तिल के धो...सूखा ओकर छिलका हटा तखन तिलबा बनैल छल. बड़ परिश्रम लगैत छल एहिमे. आब त उजरका तिल

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

Image
शनि दिन 4 तारीख के नोएडा स्टेडियम मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भेल. समारोहक टाइम देल गेल छल सांझ सात बजे. मुदा गीतनादक कार्यक्रम शुरू भेल राति के ग्यारह बजे. राति के पौने दस बजे सं ग्यारह बजे राति धरि मुख्य अतिथि बीजेपी नेता राजनाथ सिंह जीके स्वागत होएत रहल.

कनिआ मोन पड़ैय अ...

Image
नोएडा स्टेडियम मे भेल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे गायल कुंज बिहारी मिश्र जीक एकटा गीत सुनु. हिनकर आओर गीत हम एहिठाम अहांके सुनाएब...   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

मिथिलोत्सव-10 क हकार

Image
रंग-संस्कृतिक सुपरिचित संगठन मैलोरंग ( मैथिली लोक रंग ) दिनांक 02 जनवरी, 2011 क’ सांझक 6 बजे स मिथिलोत्सव-10 आयोजित क रहल अछि । ई आयोजन बाबा यात्रीजीक जन्म शताब्दी वर्षके समर्पित अछि.

एनसीआर मे एकहिं दिन दू ठाम विद्यापति समारोह...

Image
दिल्ली मे बदरपुर-फरीदाबाद सं सटल जैतपुर मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाएल गेल. समारोह मे मैथिलीक मशहूर गायक कुंज बिहारी मिश्र ... हरिनाथ झा... कुमकुम मिश्र ... रामबाबू झा...अंजू झा...माधव राय आओर दोसर कलाकार सभ अपन गीतनाद सं लोक के मंत्रमुग्ध करि देलखिन्ह. कार्यक्रम मे लोकक भारी भीड़ उमड़ल छल. एहिठामं दिल्ली-फरीदाबाद दिसक बड़ लोक आएल छलखिन्ह.

नोएडा विद्यापति समारोह मे कुंजबिहारी

Image
नोएडा स्टेडियम मे आई शनि दिन 4 दिसंबर के सांझ सात बजे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भ रहल अछि. समारोह मे गीतनाद के आनंद लेबय के अहां सभ के नीक मौका मिलत. मिथिला-बिहार के तमाम लोकप्रिय कलाकार अहांक मनोरंजन लेल एहिठाम रहताह.

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

Image
दिल्ली...नोएडा-एनसीआर मे रहय वाला सभ मैथिल के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के लेल न्योत अछि.  समारोह नोएडा  स्टेडियम  परिसर मे शनि दिन ०4 दिसंबर के सांझ  7 बजे सं शुरू होएत.

श्रद्धांजलि सभाक आयोजन

Image
मैथिलीक आओर मिथिलाक जननायक चुनचुन मिश्रा (25-10-1942-- 15-11-2010) जीक श्रद्धांजलि सभाक आयोजन 27 नवंबर शनि दिन राखल गेल अछि. ई श्रद्धांजलि सभा दिल्लीक राजेन्द्र भवन मे होएत. राजेन्द्र भवन आईटीओ के पास अछि. अहां सभ सं आग्रह जे एहि श्रद्धांजलि सभा मे आबि दिवंगत मैथिली पुत्र के अपन श्रद्धासुमन अर्पित करि. श्रद्धांजलि समारोह सांझ के 6 बजे राखल गेल अछि. एहि ठाम होए वाला समारोह के बारे मे अहांके कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के महासचिव कृपानंद झा जी सं सम्पर्क क सकय छी. K N Jha Mob-9868551104 समारोह स्थल के पता अछि- राजेन्द्र भवन दीन दयाल उपाध्याय मार्ग आईटीओ नई दिल्ली Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

चुनचुन मिश्रजीके श्रद्धांजलि...

Image
 Chunchun Mishra (25-10-1942-- 15-11-2010) चुनचुन मिश्रजीक पार्थिव शरीर के माँ मैथिली अपन कोरा मे नुका लेलनि। 1942 के क्रान्तिगर्भसँ जनमल चुनचुन बाबू आजीवन संघर्ष करैत रहलाह। डाँ जयकांत मिश्र जी जेका चुनचुनबाबू सेहो 16-11-2010 के 2 बजे रति मे मिथिला राज्यक सपना लेने स्वर्गीय भयगेलाह्। एकटा आधा बाहि वाला कुर्ता, दू टा कपड़ा वल गन्जी, एकटा गमछा आ एकटा धोती बस सबटा एकटा झोरा मे। कोनो लाम काफ नहि। कोनो रिजर्वेशन के चिन्ता नहि। ककरो डर नहि। कानपुर, बम्बई, दिल्ली, हैदराबाद आ कतय नहि, चुनचुन बाबू सबठाम्। आन्दोलन मैथिली के अष्ट्म सूचिक लेल हो, मिथिला राज्य के लेल हो, या सैराठ सभाक उत्थान के लेल चुनचुन बाबू के अगुआ बिना कोना एखन धरि सम्भव नहि भेल छल्। दिल्ली मे हुनका देखितहि Intelligence ओ दिल्ली पुलिस सब कहनि, “आ गये मिथिला राज्य वाले”।  जन्त्तर मन्तर पर एकटा पुलिस कहलकनि “बाबा आप चौरहे से पीछे जा कर धरना पर बैठिये, यहाँ जाम लग जायेगा” चुनचुन बाबू कहल्थिन “कोनो हम पहुनाई करय आयल छियैक, हम त धरना पर आयल छियौक, बैसबौ त एहिठाम, हिम्मत छौ त पकड़ि क हमरा जेहल में दय दे। ओहि समय मात...

दिल्ली मे सामा चकेवा

Image
दिल्ली मे रहय वाला मैथिल भाई-बहिन लोकनि के लेल बड़ नीक खबर अछि. आई 21 तारीख रवि दिन बिरला मंदिर मे सामा चकेवा के कार्यक्रम भ रहल अछि. सामा चकेवा भाई बहिन के प्रेमक त्योहार अछि. गाम मे रहय छलहुं त बच्चा मे दीदी...बुआ सभ के संग हमहुं सभ शामिल भ जाए छलहुं. सामा चकेवा कार्तिक शुक्ल द्वितीया के शुरू भ पूर्णिमा धरि चलैत अछि. एहि मे भाई आओर पति के दीर्घायु के लेल भगवान सं कामना कएल जाएत अछि. बिरला मंदिर मे यूथ ऑफ मिथिला के तरफ सं सामा फोरन कार्यक्रम सेहो भ रहल अछि. जे एकदम सं मैथिल तौर तरीका सं होएत. ई कार्यक्रम जय मिथिला ग्रुप के लहकचहक डॉट कॉम के सहयोग सं आयोजित भ रहल अछि. दिल्ली मे रहय वाला सभ मैथिल के एहि कार्यक्रम के लेल न्योत छनि. अहां सभ एहि कार्यक्रम के देखय लेल... एहि मे शामिल होए लेल अवश्य आबि. सामा चकेवा कार्यक्रम के समय अछि सांझ 6 बजे. ई करीब 8 बजे राति धरि चलत. कार्यक्रम स्थल के पूरा पता अछि. वाटिका, बिरला मंदिर, मंदिर मार्ग, नई दिल्ली- 110001 कोनो तरहक परेशानी होए त अहां सभ एहि फोन पर सम्पर्क क सकय छी. 96540-15163 आओर 90159-42074 त फेर भेंट होएत अछि बिरला मंदिर मे. Plann...

हमर विआह-10

जकर डर छल, सेहे भेल। पार्टी मे आएल किछु महिला सभ लेल त जेना मुंह मांगल मुराद पूरा भ गेलन्हि। गाम-घर के माए-बहिन सभ के जखन शहरक कोनो मसाला मिलि जाए छनि, त ओकरा चटकारा ल क सुनाबए मे कोनो कसर नहि छोड़ै छथिन्ह। पार्टी खत्म भेल, मुदा कानाफूसी शुरू भ गेल। मामला दिल्ली सं वाया रिश्तेदारी गाम तक पहुंचि गेल। सभ ठाम गप्प के केंद्र बनि गेल अल्का के हमरा सं चिपैट जनाए। अगर ई चिपटनाए कॉलेज मे भेल रहैत, त आम बात रहैत। मुदा मिथिलाक समाज मे, गाम-घर के लोक के बीच, ओहो मे एकटा विआहल महिला के—ई बात सभक लेल हजम करनाए कठिन छल। एक सं दोसरा, दोसरा सं तेसरा—बात फैलैत-फैलैत हमर गाम तक पहुंचि गेल। मां-बाबूजी के कान मे सेहो पड़ि गेल। पंडित जी के कान मे सेहो। मां-बाबूजी जतबा चिंतित, पंडितजी ओतबा उत्साहित। ओ सीधा हमर घर पहुंचि गेलाह, आ अपन पक्ष राखए लगलाह—हमरा प्रति लोक के भड़काबय के जतेक कोशिश होएत अछि, सब करय लगलाह। मुदा बाबूजी संयमित स्वर मे पंडित जी से कहलखिन्ह- एक त हमर बेटा चिपटल नहि, दोसर ओ लड़की विआहल छथीह, नीक परिवार के छथीह, आओर दिल्ली मे पढ़ि-लिखि क अमेरिका मे रहय छथीह। जतए गला मिलनाए साधारण बात छी। दून...

परदेस मे छठि

Image
अपन मैथिल ...बिहारी लोक के लेल छठि सभ सं पैघ पावनि अछि. देश-विदेश मे रहय वाला लोक सभ के कोशिश रहय छनि जे कम सं होली-दुर्गापूजा आओर छठि मे गाम अवश्य जाए. अगर नहि त कम सं कम छठि मे त गाम जाए के कोशिश जरूर करए छथिन्ह. शुरू-शुरू मे एहन होएत रहल. छठि मे गाम मे शादी-विआह जकां माहौल रहैत छल. सभ लोक कम सं कम एको-दूओ दिन के लेल गाम जरूर आबए-जाए छलखिन्ह. मुदा आब लोक अपन काम-काज सं एतेक बंधल छथिन्ह जे छठि पूजा तक मे गाम नहि जा पाबय छथिन्ह. अहां एकरा लोक मे काम-काज के प्रति असुरक्षा के भावना... मंदी...महंगाई आओर बेरोजगारी के कारण परिवार चलाबए के टेंशन सेहो कहि सकय छी. लोक पूरा परिवार के संग आबए-जाए मे लागए वाला भारी खर्च के ध्यान मे राखि गाम जाए सं बचए सेहो चाहए छथिन्ह. एकटा पैघ कारण आबय जाए मे बड़का परेशानी होनाए सेहो अछि. कोनो गाड़ी.. ट्रेन मे टिकट नहि मिलत. बिहार के कोनो ट्रेन होए होली...गर्मी छुट्टी...दुर्गापूजा... दिवाली आओर छठि मे टिकट मिलला पर लोक अपना के भाग्यशाली समझय छथिन्ह. आब त लोक गाम-घर जाए के बदला दिल्ली...मुम्बई...पुणे... बंगलुरु आओर दोसर ठाम जतए रहय छथिन्ह ओतए सभ पावनि त्योहार...

हमर विआह-9

अल्का के गेलाह के बाद, जिनगी एकदम सं सुनसान, वीरान जकां भ गेल। हम रोज हुनका सं बात करय के कोशिश करैत रहलौं—फोन करैत रहलौं, मैसेज पठबैत रहलौं, मुदा हर बेर ओ चुप्पी साधि लैत रहलीह। कोनो जवाब नै।  हुनकर आवाज सुनय के आस मे दिन मे कई बेर फोन लगाबैत रहैत छलौं, मुदा ओ हर बेर फोन काटि दैत रहय छलीह। हुनका देखय आ मिलय केर चाह मे अहमदाबाद तक गेलहुं, मुदा ओ हमरा संग खुद अपना सं एतेक नाराज भ गेल छलीह जे ओ मिलय तक सं इनकार करि देलीह। ओहि दिन के बाद फेर कोनो संपर्क नहि रहल। किछु दिन बाद पता चलल जे हुनकर शादी भ गेलन्हि। ओ आब हमर दुनिया सं बहुत दूर, सात समुंदर पार यूएस चलि गेलीह। ई खबर सुनि, मोन के भीतर किछु टुटि गेल। फेर हुनका सं संपर्क करय के कोनो कोशिश नहि कएलौं। दिन-राति आब त बस ओहि याद मे बीतय लागल। कोनो काज मे मोन नहि लागए, बस अपना-आप सं भागैत, भीड़ मे रहितौं अकेलापन के अनुभव करैत रहलौं। किछ दिन छुट्टी ल क एक तरहे डेरा मे बंद भ गेलौं। हंसी-मजाक करय वाला हम, धीरे-धीरे गंभीर आ देवदास जकां बनि गेलौं। जिनगी के सभ रंग फीका पड़ि गेल। ऐना कतेक दिन करतौं। समय के संग-संग, धीरे-धीरे अपन आप के सम्हारय क...

हमर विआह- 8

Image
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

आरोह-अवरोहक सानिध्य

दिल्लीक त्रिवेणी सभागार मे मैलोरंगक सौजन्य सं शनिदिन संगीतक सानिध्य भेटल. मैथिलीक एहि पहिल बैंड सानिध्यक प्रस्तुति कए देखबा लेल सभागार छोट पडि गेल छल. करीब तीन घंटाक अपन प्रस्तुति मे बैंड मैथिली... नेपाली... हिंदीक संग-संग अंग्रेजीक बोल सेहो सुनौलक. कार्यक्रम के दौरान श्रौता संगीतक आरोह आ अवरोह मे डूबल रहलाह. किछु तकनीकी खामी कए अगर नजरअंदाज करि देल जाए त कार्यक्रम अद्भुत छल. मैथिल नवयुवकक इ समूह आधुनिक संगीत मे पारंपरिक शैलीक एहन मिश्रण करबा मे सफल भेलथि अछि जाहि स अल्ला-रूदल सन लुप्त भ चुकल मैथिल गीतक शैली कए एक प्रकार स नव जन्म भेट गेल अछि. सारंगी लेने गुदरिया बाबा क गीत एक बेर फेर नव वाद्ययंत्रक संग लोकक सामने आयल त थापड़ि अनायास बाजय लागल. गामक स्मरणक संगहि नैनपन सेहो आंखिक सामने आबि गेल. अपन हिंदी प्रस्तुति यह संभव नहीं है स कार्यक्रम कए संपन्न करबाक बावजूद सानिध्य इ कहबा मे पूर्णतः सफल जे हुनका सब लेल कोनो चीज असंभव नहीं अछि. जरूरत अछि हुनका सब कए श्रौताक सानिध्य भेटैत रहै. www.esamaad.com

किछ हरायल शब्द

फेसबुक पर भवेश नंदन जी बड़ नीक चीज शुरू कएलाह. ओ अपन प्रोफाइल मे मैथिलीक भोजन सं संबंधित किछ एहन शब्द रखलाह जकर इस्तेमाल कम भ रहल अछि. हिनकर एहि कोशिश पर नीक-नीक कमेंट सेहो आबि रहल छनि. Vixy Pro के नाम सं विकास झा जीक कमेंट देखिऔ.. की यौ बाऊ...जमैन फैंक क फेसबुक पर बैसल छलु की. विकास जीक किछ शब्द जोड़य सेहो छथिन्ह. भवेश जी आओर विकास जी दूनु फिल्मकार छथिन्ह. दिल्ली मे रहय छथिन्ह आओर एहिठाम होए वाला मैथिली कार्यक्रम... समारोह मे बढ़ि-चढ़ि कs भाग लय छथिन्ह. अहां सभ सेहो भवेश जी... विकास जी आओर कृपा नंद झाजी जकां एहने किछ-किछ शब्द डालि एहि कड़ी के जोड़ैत रहिऔ. एहि शब्द के देखि क हम सभ गाम-घर मे वापस चलि जाए छी. ई शब्द अपन मिथिलाक याद दिलाबैत अछि. भवेश जी...विकास जी आओर कृपानंद झा जीक भोजन सं संबंधित किछ शब्द अछि... तीमन (vegetable), सोहारी (Bread), रामतरोई (Ladyfinger) , भांटा (Brinjal), भंसा घर' (Kitchen) , भानस (Cooking) , करछ (Serving spoon/Laddle), चंगेरा (Flatten Bamboo Basket) , रही(Blender) , गीरनाई (Gobble), झोर (Gravy) , संतोला (Orange), सियो (Apple), लेमनचूस (Candy...

दिल्ली मे विद्यापति संगीत

Image
कॉमनवेल्थ गेम्स के अवसर पर दिल्ली मे संगीत नाटक अकादमी के तरफ सं देश पर्व महोत्सवक आयोजन कएल गेल अछि. जेहि मे 11 अक्तूबर सोमदिन भारतीय संगीतक मुख्य प्रादेशिक परंपरा खंड मे बिहारक विद्यापति संगीतक प्रस्तुति कएल गेल. मेघदूतम थियेटर मे भेल कार्यक्रम मे विद्यापति संगीत के पेश कएलखिन्ह मशहूर मैथिली लोकगायक कुंज बिहारी मिश्र जी. देश पर्व महोत्सवक आठम दिन कहि सकय छी पूरा तरह सं मैथिल संगीत के नाम रहल. विद्यापति संगीत के सुनय लेल मैथिल सभ के संग दोसर वर्गक लोकक सेहो भारी भीड़ उमड़ल छल. सभ सं अचरजक गप ई रहल जे एहि कार्यक्रम के दौरान अंग्रेजी मीडिया सं जुड़ल पत्रकार काफी संख्या मे आएल छलाह . कुंज बिहारी मिश्र जीक कार्यक्रमक शुरूआत विद्यापति जीक प्रसिद्ध गोसाउनिक गीत जय जय भैरवी सं भेल. एहि के बाद महेशवाणी...चानन भेल विषम सर से, भुषन भेल भारी सुनि दर्शक मंत्रमुग्ध भ गेलाह. गाम-घर सं दूर राजधानी दिल्ली मे विद्यापतिक संगीत आनंद लेनाए एकटा अलगे अनुभव छल. संगीत नाटक अकादमी के ई नीक कदम अछि. मुदा एक घंटा समय बड़ कम छल. लोक सभ आओर सुनय चाहय छलखिन्ह. दर्शक तरफ सं आओर सुनाबय के मांग सेहो भ रहल छल. मुदा क...

आब मैथिली मे गीता...

Image
रामायण के बाद आब गीता सेहो मैथिली मे आबि गेल अछि. मैथिली मे ई नवका गीता लिखलखिन्ह मधुबनी जिला के रुद्रकांत पाठक जी. रुद्रकांत जी रहिका ब्लॉक के सतलखा पाठकटोल सं छथिन्ह. पाठक टी रिटायर टीचर छथिन्ह. हिनकर गीता केर नाम छनि 'रद्रांशकृत वचनामृत गीता' रुद्रकांत जी गीता के श्लोक के पहिने मैथिली मे पद्य के रूप मे अनुवाद कएलखिन्ह फेर ओकर भाव के अनुवाद करि ओकरा आम लोक के लेल आसान बना देलखिन्ह. सभ सं अचरज के गप ई जे ओ एहि गीता के अनुवाद सिर्फ डेढ़ मास मे कएलखिन्ह. जखन कि गीता के 18 अध्याय मे कुल 705 श्लोक अछि. हिनकर अनुवाद कएल गीता आम लोक के आसानी सं समझ मे आबि सकैत अछि. मैथिली के लेल ई एकटा नीक खबर अछि. एहि सं मैथिली साहित्य आओर समृद्ध होएत आओर लोक के रुझान सेहो बढ़त. हुनका सं प्रेरणा ल आओर लोक एहि क्षेत्र मे काज करय लेल आगां अएताह आओर नव-नव किताबक... ग्रंथक अनुवाद करताह. मुदा सभसं पैघ जरूरत अछि मैथिली साहित्य के आम लोक तक पहुंचाबय के. अखन धरि ई आम लोक के पहुंत सं दूर अछि. दिल्ली...पटना केर त गप छोडुं दरभंगा...मधुबनी तक मे मैथिलीक पोथी...किताब खरीदय लेल लोक के भारी परेशानी उठाबय पड़य छनि...

मधुबनी मे एफएम रेडियो...

Image
अपन मिथिला मे मैथिली एफएम रेडियो के धूम मचल अछि. नेपाल सं लागल सीमावर्ती इलाका मे करीब दर्जन भर एफएम रेडियो स्टेशन मैथिली मे कार्यक्रम प्रसारित करैत अछि. मुदा दुख के बात ई अछि जे अखन धरि एकोटा एफएम स्टेशन अपन मिथिला, बिहार दिस वाला इलाका मे नहि अछि. सभ के सभ एफएम स्टेशन नेपाल सं चलि रहल अछि. ई सभ काफी लोकप्रिय अछि. नेपाल सं चलय वाला सभ एफएम के लोकप्रिय होए के एकमात्र कारण मैथिली मे गीतनाद देनाय अछि. एहि ठाम सं इंटरव्यू... समाचार... एतेक कि विज्ञापन तक मैथिली मे आबैत अछि. आब किछ एफएम पर भोजपुरी मे सेहो कार्यक्रम आबय लागल अछि. कांतिपुर एफएम... जनकपुर एफएम... मिथिला एफएम जकां दर्जनों एफएम लोक के जुबान पर चढ़ि गेल अछि. एहि एफएम सभ के ढेर विज्ञापन सेहो मिल रहल अछि. मैथिली गीत तक त ठीक रहैत अछि मुदा जखन समाचार...इंटरव्यू आबैत अछि ओहि मे नेपाल सं जुड़ल बेसि चीज रहैत अछि... आओर ओहि मे नेपाल के हित जुड़ल रहैत अछि. ओहि मे नेपाल सरकार के नीति-निर्देश के गुणगान कएल जाएत अछि. नेपाल के प्रचार-प्रसार रहैत अछि. एहि सं सीमावर्ती लोक सभ धीरे-धीरे नेपाली सरकार के नीति सं प्रभावित भs रहल छथिन्ह. बीच-बी...

मैथिली विरोधी !!

Image
   बिहारक चुनाव जँ जँ लग आयल जा रहल अछि सरगर्मी बढी रहल अछि ......कथिक सरगर्मी से तs हम आ समूचा देशक लोक बूझि रहल छथि. नेतागण आरोप प्रत्यारोप एक दोसर पर तेना लगा रहल छथि जेना आशीर्वाद  हो . लेखा जोखा भs रहल अछि मुदा अपन कार्यक नहि....दोसर नेता की नहि केलाह ताहि केर . जनता केर बुझाबय के प्रयास में कोनो तरहक कोताही कियैक छोड़ताह . सूतल नेता सब जागि गेलाह अछि . अपन भरि कार्यकाल मद में मस्त छलथि, बटोरय सs फुर्सत कहाँ छलैन्ह जे ओ सब जनताक सुख दुःख के विषय में सोचितथि. आब जाहि पर नोन मिरचाई छिरकने छलाह ताहि लहरि केर कम करबाक प्रयास केनाई तs उचिते. जाहि प्रमंडल केर नाम मात्र उगाही करबाक प्रयोजन के लेल भेल होयतैंह ताहि ठाम जा अपन उपस्थिति दर्ज तs करबे करताह..... आ.. वाह रे जनता.  आजु कतहु हम पढ़य छलहुँ जे कोनो कांग्रेसी नेताक बयान छलैन्ह "नितीश जी मैथिली विरोधी छथि .......चुनाव लग आबि देखि नितीश जी के मैथिली आ विद्यापति याद आबि गेलैन्ह. यदि ई नहि तs मैथिली के सिलेबस सs कियैक हटेलाह". हम ओहि नेता सँ सहमति छी..... नितीश जी मैथिली विरोधी छ...