नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सिफी पर मैथिली ब्लॉगक चर्चा

सिफी डॉट कॉम पर मैथिली भोजपुरी ब्लॉग के बारे में एकटा लेख आएल अछि. शीर्षक अछि भोजपुरी और मैथिली में भी हैं ब्लॉग. एहि खबर में गिरीन्द्र जी लिखने छथिन्ह जे अंग्रेजी... हिंदीए टा नहिं आब आंचलिक भाषा में सेहो ब्लॉग लिखल जा रहल अछि. खास कय मैथिली आओर भोजपुरी में रोज नवका ब्लॉग आबि रहल अछि. एहि में मैथिलीक कतेक रास बात, मिथिला मिहिर, माटिक लोक, टोला आओर हेलो मिथिला क चर्चा अछि. ब्लॉग के संग- संग अगर मैथिली लोक गीतक आनंद लेबय चाहय छी तs मैथिली लोक गीतक नामक ब्लॉग सेहो अछि. एकर संग एकटा ब्लॉग आओर अछि समदिया. ओना एहि लेख में एकर जिक्र नहिं अछि मुदा एहि ब्लॉग पर लिखय वाला रौशनजी अमर उजालाक पत्रकार छथि आओर नीक कोशिश कय रहल छथिल्ह. सिफी डॉट कॉम पर जेहि ब्लॉगक जिक्र कएल गेल अछि ओहि सभ ब्लॉगक लिंक हमर ब्लॉग में अछि अहां ओकरा क्लिक कय ओहि ब्लॉग के पढ़ि सकय छी.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु