गरीब रथ के चलय के लेल लोक के अखन आओर इंतज़ार करय पड़ि सकैत अछि. दिल्ली में जारी राजनीतिक संकट के कारणे आब गरीब रथ के 20 तारीख सं शुरू नहिं होय के उम्मीद अछि. राजनीतिक उठापटक के कारण रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव के जयनगर आबि एकरा शुरू करनाय मुश्किल छनि. कहि सकय छी अखन एहि ट्रेन के चलय के जतरा नहिं बनल अछि. आब देखु सरकार बचय अ कि जाय अ. सरकार बचत त लालू जी जल्दीए अएताह झंडा दिखाबय लेल. नहिं त एक बेर फेर लटकि जाएत मामला. लोकक माननाय छलन्हि जे एहि ट्रेन के चलला सं दिल्ली के संग- संग जयनगर सं दरभंगा...समस्तीपुर जनाय सुविस्तगर भs जाएत. किएक तs बड़ी लाइन बनलो पर अखन धरि ट्रेन के टाइम टेबल ठीक नहिं छै. तीन-तीन...चारि चारि घंटा घरि ट्रेनक इंतजार करय पड़ैत छै. कइ बेर तs ट्रेन के इंतजार करय सं नीक पैदल चलि जनाय बुझाइत अछि. हमरे लिअ. किछ दिन पहिने मधुबनी गेल छलहुं. मधुबनी सं राजनगर जाइ के छल. स्टेशन पर पहुंचला पर पता चलल जे ट्रेन चारि घंटा लेट अछि. आब कि करल जाय. ताबैत में स्टेशन पर राजनगर के जान-पहचान वाला तीन टा लड़का मिलि गेल. सभ लोकनि तय कएलौं जे इंतजार करय सं नीक पैदल चलल जाय. हम चारु गोटे हंसैत बतियाएत... रेलक पटरी पकड़ि राजनगर लेल विदा भेलहुं. रास्ता में कुसियार खाएत दु घंटा में राजनगर पहुंच गेलहुं. ट्रेन आबय सं दु घंटा पहिने. ओ त हम सभ युवक छलहुं ताहि लेल पटरी काते कात चलि गेलहुं. मुदा परिवार के संग... नेना-भुटका के संग लs एना नहिं भs सकैत अछि. आओर रोज- रोज एना पैदल नहिं जा सकय छी. बड़ी लाइन बनला के बाद जयनगर सं दरभंगा आओर समस्तीपुर के बीच दु- तीन टा लोकल ट्रेन आओर चलाबय के जरूरत छै. तखन जा क एहि ठामक लोकक परेशानी किछ कम होएत.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment