राजनगर सिमरी के माता मंदिर में प्रतिमा स्थापना के लेल शुक्रदिन प्राण प्रतिष्ठा समारोह शुरू भेल. ई समारोह 6 दिन तक चलत. समारोहक शुरूआत कलश यात्रा सं भेल जे राज कैम्पस के गंगासागर तालाब सं शुरू भs स्टेशन रोड, भट्टी चौक, गांधी चौक होएत भूतनाथ मंदिर परिसर तक पहुंचल. ई नवका मंदिर भूतनाथ मंदिर परिसर में बनावल गेल अछि. मंदिर परिसर में 251 कलश पहुंचला के बाद शतचंडी यज्ञ के आयोजन कएल गेल. एकरा बाद
शिवलिंग पूजन आओर नवनिर्मित माता पार्वती केर प्रतिमाक जलाभिषेक कएल गेल... एहि पार्वती मंदिर के प्राण प्रतिष्ठा 9 तारीख के आचार्य कुणाल किशोर करताह. एहि आयोजन सं पूरा इलाका में माहौल भक्तिमय भs गेल अछि.
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु