Skip to main content

Posts

Showing posts from October, 2010

हमर विआह-6

श्वेता, हिनका सं मिलू... अपन दरभंगे के छथिन्ह। ई कहि राजीव जी विस्तार सं हमर परिचय देबय लगलाह। हम दूनू हाथ जोड़ि नमस्कार क श्वेता के जन्मदिनक शुभकामना देलौं आ अपना संग लाएल गिफ्ट हुनका थमा देलौं। राजीव जी हमरा दूनू के अकेला मे बातचीत करय के मौका देबय लेल खाना-पीना के तैयारी देखय के नाम पर ओतय सं चलि गेलाह। बर्थडे विश के बाद आब की गप्प कएल जाए- दूनू गोटे के जेना किछु फुराइए नै रहल छल। बस एक-दोसर के देखैत, मुस्कुरा रहल छलौं। मोन मे होए छल जे ई कहिएन्हि त ओ कहिएन्हि, मुदा शब्द जेना गुम भ गेल छल। जिनका सं मिलए लेल ओतेक तैयारी- सामने अएलि त एकदम सं बोलती बंद! जेना-जेना लोक सभ के हमरा बारे मे पता चलय लगलन्हि, खुसुर-पुसुर शुरू भ गेल। सभ गोटे के नजर हमरा आ श्वेता पर। मुदा हम त जेना ओहि ठाम के लोक, देश-दुनिया सं बेखबर, बस श्वेता मे गुम। ओहि बीच श्वेता के नजर शेखर पर पड़ल। हाए शेखर, केहन छी अहां? की सभ भ रहल छै? शेखर सं गप्प करैत देख, राजीव जी हमरा अपन आओर रिश्तेदार, गाम-घर के लोक सभ सं मिलाबय लगलाह। लोक सभ सं परिचय होएत रहल, गप्प-सप्प चलैत रहल। मुदा बीच-बीच मे नजर अपने-आप श्वेता दिस चलि जाइत छल...

आरोह-अवरोहक सानिध्य

दिल्लीक त्रिवेणी सभागार मे मैलोरंगक सौजन्य सं शनिदिन संगीतक सानिध्य भेटल. मैथिलीक एहि पहिल बैंड सानिध्यक प्रस्तुति कए देखबा लेल सभागार छोट पडि गेल छल. करीब तीन घंटाक अपन प्रस्तुति मे बैंड मैथिली... नेपाली... हिंदीक संग-संग अंग्रेजीक बोल सेहो सुनौलक. कार्यक्रम के दौरान श्रौता संगीतक आरोह आ अवरोह मे डूबल रहलाह. किछु तकनीकी खामी कए अगर नजरअंदाज करि देल जाए त कार्यक्रम अद्भुत छल. मैथिल नवयुवकक इ समूह आधुनिक संगीत मे पारंपरिक शैलीक एहन मिश्रण करबा मे सफल भेलथि अछि जाहि स अल्ला-रूदल सन लुप्त भ चुकल मैथिल गीतक शैली कए एक प्रकार स नव जन्म भेट गेल अछि. सारंगी लेने गुदरिया बाबा क गीत एक बेर फेर नव वाद्ययंत्रक संग लोकक सामने आयल त थापड़ि अनायास बाजय लागल. गामक स्मरणक संगहि नैनपन सेहो आंखिक सामने आबि गेल. अपन हिंदी प्रस्तुति यह संभव नहीं है स कार्यक्रम कए संपन्न करबाक बावजूद सानिध्य इ कहबा मे पूर्णतः सफल जे हुनका सब लेल कोनो चीज असंभव नहीं अछि. जरूरत अछि हुनका सब कए श्रौताक सानिध्य भेटैत रहै. www.esamaad.com

किछ हरायल शब्द

फेसबुक पर भवेश नंदन जी बड़ नीक चीज शुरू कएलाह. ओ अपन प्रोफाइल मे मैथिलीक भोजन सं संबंधित किछ एहन शब्द रखलाह जकर इस्तेमाल कम भ रहल अछि. हिनकर एहि कोशिश पर नीक-नीक कमेंट सेहो आबि रहल छनि. Vixy Pro के नाम सं विकास झा जीक कमेंट देखिऔ.. की यौ बाऊ...जमैन फैंक क फेसबुक पर बैसल छलु की. विकास जीक किछ शब्द जोड़य सेहो छथिन्ह. भवेश जी आओर विकास जी दूनु फिल्मकार छथिन्ह. दिल्ली मे रहय छथिन्ह आओर एहिठाम होए वाला मैथिली कार्यक्रम... समारोह मे बढ़ि-चढ़ि कs भाग लय छथिन्ह. अहां सभ सेहो भवेश जी... विकास जी आओर कृपा नंद झाजी जकां एहने किछ-किछ शब्द डालि एहि कड़ी के जोड़ैत रहिऔ. एहि शब्द के देखि क हम सभ गाम-घर मे वापस चलि जाए छी. ई शब्द अपन मिथिलाक याद दिलाबैत अछि. भवेश जी...विकास जी आओर कृपानंद झा जीक भोजन सं संबंधित किछ शब्द अछि... तीमन (vegetable), सोहारी (Bread), रामतरोई (Ladyfinger) , भांटा (Brinjal), भंसा घर' (Kitchen) , भानस (Cooking) , करछ (Serving spoon/Laddle), चंगेरा (Flatten Bamboo Basket) , रही(Blender) , गीरनाई (Gobble), झोर (Gravy) , संतोला (Orange), सियो (Apple), लेमनचूस (Candy...

लालू- पासवान जीक परीक्षाक दौर

बिहार विधानसभा चुनाव के 48 सीट के लेल तेसर चरण के वोटिंग 28 अक्तूबर को होएत. गुरुवार के होए वाला एहि वोटिंग के लेल 785 उम्मीदवार मैदान मे अछि. करीब एक करोड़ मतदाता हिनकर भाग्य के फैसला करथिन्ह. तेसर चरण मे पूर्वी चंपारण... पश्चिमी चंपारण... गोपालगंज... सीवान... सारण आओर वैशाली जिला मे वोट पड़य वाला अछि. पूर्वी चंपारण के सात... पश्चिमी चंपारण के नौ... गोपालगंज के छह... सीवान के आठ... सारण के 10 आओर वैशाली जिला के आठ विधानसभा सीट पर मतदान होएत. जेहि ठाम वोट पड़त ओकर नाम अछि-   वाल्मीकिनगर, रामनगर [अजा], नरकटियागंज, बगहा, लौरिया, नौतन, चनपटिया, बेतिया, सिकटा, रक्सौल, सुगौली, हरसिद्धि [अजा], गोविंदगंज, केसरिया, कल्याणपुर, मोतिहारी, बैकुंठपुर, बरौली, गोपालगंज, कुचायकोट, भोरे [अजा], हथुआ, सिवान, जीरादेई, दरौली [अजा], रघुनाथपुर, दरौंदा, बड़हरिया, गोरियाकोठी, महाराजगंज, एकमा, माझी, बनियापुर, तरैया, मढ़ौरा, छपरा, गरखा [अजा], अमनौर, परसा, सोनपुर, हाजीपुर, लालगंज, वैशाली, महुआ, राजापाकड़ [अजा], राघोपुर, महनार और पातेपुर [अजा]. एहि चरण के वोट आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी... एलजेपी प्रमुख ...

वर्तिका नंदा केर टेलीविजन एण्ड क्राइम रिपोर्टिंग

वर्तिका नंदा केर नवका किताब टेलीविजन एण्ड क्राइम रिपोर्टिंग के विमोचन पिछला दिन भेल. जेहि दिन विमोचन छल ओहि दिन अयोध्या मामला पर इलाहाबाद हाईकोर्ट के फैसला सेहो आबय के छल. ओहि कारण सं विमोचन कार्यक्रम मे नहि जा सकलौं. मुदा आब जखन वर्तिका नंदा के एहि किताब के पढ़य के मौका मिलल त लिखय लेल बैसि गेलहुं. वर्तिका जी एहि सं पहिने 'अपराध मीडिया और अपराध रिपोर्टिंग' 'टेलीविजन और अपराध पत्रकारिता' और 'मीडिया और जन संवाद' किताब लिख चुकल छथीह. वर्तिका बड़ नीक लिखय छथीह. लेखनी पर हिनकर पकड़ गजब के छनि. हिनकर लेखनी मे अहां के गजब के प्रवाह देखय लेल मिलत. कोनो विषय पर अहां हिनका सं विचार ल सकय छी. वर्तिका जी आओर हम आईआईएमसी मे संगे छलहुं. एहि के बाद एनडीटीवी आओर सहारा समय न्यूज़ चैनल मे सेहो संगे काज कएलहुं. वर्तिका जी न्यूज मे सेहो काज क चुकल छथीह आओर लोकसभा चैनल के शुरुआत करय वाला मे से छथीह. देश के तमाम पत्र-पत्रिका मे हिनकर लेख छपैत रहय छनि. आब ई जे नवका किताब आएल त पढ़य के मौका मिलल. ई किताब रिपोर्टिंग के क्षेत्र मे आबय वाला नवका पत्रकार सभ के लेल बड़ नीक छनि. वर्तिका ...

केवटी सं के ?

हमर गाम आओर विधानसभा क्षेत्र केवटी मे 24 अक्तूबर के वोट पड़य वाला अछि. परिसीमन के बाद एकर चुनाव क्षेत्र मे किछ बदलाव आएल अछि. ओना त जिला दरभंगा अछि मुदा परिसीमन के बाद लोकसभा क्षेत्र मधुबनी मे आबि गेल अछि. केवटी सं अखन अशोक कुमार यादव विधायक छथिन्ह. बीजेपी विधायक अशोकजी पूर्व केंद्रीय मंत्री हुकुमदेव नारायण यादव जीक के सुपुत्र छथिन्ह. 38 साल के अशोक जी तेसर बेर विधायक बनय चाहय छथिन्ह. अशोक जीक मानल जाए त हुनकर कहनाय छनि कि पिछला विधानसभा चुनाव के दौरान ओ जतेक वादा कएने छलखिन्ह ओकरा करीब-करीब पूरा करि देने छथिन्ह. सिंघवाड़ा मे 34 करोड़ रुपया सं पुल बनएलाह...महम्मदपुर मे सेहो पुल बनि रहल अछि. दूटा पुल लाइन मे अछि. मौजूदा एमएलए साहब के इहो कहनाय छनि जे कइटा दोसर काज के संग ओ 30 बेडवाला एकटा पीएचसी आओर दोसर 12 प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के लेल मंजूरी ल लेने छथिन्ह. हिनकर कहनाय छनि जे एहि बेर पार्टी के स्थिति पिछला बेर सं बेसि मजबूत अछि. केवटी असेम्बली क्षेत्र मे यादव वोट करीब पचास हजार अछि. अशोक जी यादव वोट के संग अगिड़ा-पिछड़ा दूनु वोट मिलय के उम्मीद करि रहल छथिन्ह. हिनका मुस्लिम वोट ब...

मिथिलाक ह्रदयस्थली मे ककर चलत?

बिहार विधानसभा चुनाव के दोसर चरण मे 24 अक्तूबर के मिथिलाक ह्रदयस्थली मे वोट पड़य वाला अछि. एहि चरण मे राज्य के 6 जिला केर 45 सीट पर वोटिंग होएत. एहि के लेल 22 तारीख के सांझ प्रचार खत्म भ जाएत. दोसर चरण मे 45 सीट के लेल 674 उम्मीदवार मैदान मे अछि. वोटिंग राज्य के 6 जिला दरभंगा...शिवहर... सीतामढ़ी... पूर्वी चम्पारण... मुजफ्फरपुर आओर समस्तीपुर के विधानसभा क्षेत्र मे होए वाला अछि. पैंतीलिसों सीट ऐना अछि... शिवहर, रीगा, बथनाहा (अनुसूचित जाति), परिहार, सुरसंड, बाजपट्टी, सीतामढी, रून्नीसैदपुर, बेलसंड, कुशेश्वर स्थान (अनुसूचित जाति), गौरा बौराम, बेनीपुर, अलीनगर, दरभंगा ग्रामीण, दरभंगा, हायाघाट, बहादुरपुर, केवटी, जाले, गायघाट, औराई, बोचहां (अनुसूचित जाति), सकरा (अनुसूचित जाति), कुढनी, मुजफ्फरपुर, कांटी, बरूराज, कल्याणपुर (अनुसूचित जाति), वारिसनगर, समस्तीपुर, उजियारपुर, मोरवा, सराईरंजन, मोइउद्दीननगर, विभूतिपुर, रोसड़ा (अनुसूचित जाति), हसनपुर, नरकटिया, पिपरा, मधुबन, चिड़ैया, ढाका, मीनापुर, पारू आओर साहबगंज. पहिल चरण के वोटिंग खत्म भ गेलाह के बाद पार्टी सभक नजर दोसर चरण पर टिकल अछि. सभ पार्टी अपन...

पहिल दौर के मतदान खत्म

बिहार विधानसभा चुनाव लेल प्रथम चरणक मतदान खत्म भ गेल अछि. आठ जिला के 47 विधानसभा क्षेत्र मे करीब 55% वोट पड़ल. छोट-मोट घटना के छोड़ि देल जाए त कहि सकय छी मतदान शांतिपूर्ण रहल. किछ ठाम सं मतदान के बहिष्कार करय के खबर मिलल. मुदा ओकर खास असर नहि रहल. पहिल चरण मे जेहि ठाम वोट पड़ल अछि ओ मिथिलाक कोसी आओर सीमांचल वाला इलाका अछि. जेहि 47 सीट पर चुनाव भेल अछि ओहि मे अररिया के छह... सुपौल के पांच... किशनगंज के चारि...पूर्णिया के सात... कटिहार के सात...सहरसा के चारि...मधेपुरा के चारि आओर मधुबनी जिला के 10 सीट शामिल अछि. एहि मतदान मे कइटा दिग्गज के भाग्य सेहो दांव पर अछि. जेहि मे नीतीश सरकार के चारिटा मंत्री सेहो शामिल छथिन्ह. एहि के संग आनंद मोहन के पत्नी लवली आनंद... पप्पू आनंद की पत्नी रंजीता रंजन सेहो मैदान मे छथीह. लवली आनंद आलमनगर सं आओर रंजीता रंजन बिहारीगंज सं कांग्रेस के उम्मीदवार छथीह. जोकिहाट सं पूर्व केंद्रीय मंत्री तस्लीमुद्दीन के सुपुत्र सरफराज आलम जदयू सं ठाड़ छथिन्ह. बाहुबली दिलीप यादव आरजेडी के टिकट पर धमदाहा सं अपन धमक कायम राखय के कोशिश मे छथिन्ह. हिनकर मुकाबला पूर्व बाहुबली...

बिहार चुनाव: परीक्षाक पहिल पेपर

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के परीक्षाक पहिल पेपर आई अछि. छह पेपर के एहि परीक्षा मे आई हुनकर तैयारी के किछ अंदाजा मिलत. आई 21 अक्तूबर के बिहार विधानसभा चुनाव के पहिल चरणक वोटिंग भ रहल अछि. पहिल चरण मे 243 मे सं 47 सीट पर वोट पड़ि रहल अछि. मतदान के लेल भारी सुरक्षा इंतजाम कएल गेल अछि. राज्यक सीमा सील करि देल गेल अछि. हेलीकॉप्टर सं सेहो नजर राखल जा रहल अछि. मतदान भ रहल आठ जिला के करीब-करीब सभ बूथ पर अर्धसैनिक बल के जवान तैनात करल गेल अछि. आजुक 47 सीट के लेल कुल 631 उम्मीदवार ठाड़ अछि. एहि मे 52 महिला उम्मीदवार छथीह. कांग्रेस सभ सीट पर उम्मीदवार उतारने अछि. बीजेप-जेडीयू के संग आओर आरजेडी- एलजेपी के संग चुनाव लड़ि रहल अछि. एहि चरण मे 47 सीट के लेल 47 पार्टी मैदान मे अछि. 16 पार्टी के सिर्फ एक –एकटा उम्मीदवार ठाड़ अछि. निर्दलीय आओर दोसर तरहक उम्मीदवार के संख्या करीब चारि सय (394) अछि. जेहि इलाका मे आई वोट पड़ि रहल अछि ओ मिथिलाक कोसी आओर सीमांचल वाला इलाका अछि. कहि सकय छी जे ई इलाका एक तरह सं यादव आओर मुस्लिम बहुल वाला अछि. जखन कि मधुबनी आओर एहि सं सटल जिला मे ब्राह्मण वोट खास प्रभाव रखैत अछ...

मिथिला मे कि होएत?

बिहार मे विधानसभा चुनाव के लेल पहिल चरण मे जेहि 47 सीट पर वोटिंग भ रहल अछि ओ मिथिलाक इलाका अछि. एहि मिथिला क्षेत्र मे कोसीक बाढ़ि वाला इलाका सेहो शामिल अछि. ई सीट आठ जिला मधुबनी... अररिया... सुपौल... किशनगंज... पूर्णिया... कटिहार... सहरसा आओर मधेपुरा मे फैलल अछि. मिथिलाक आओर सीट पर अगिला चरण मे वोट पड़त. अगर सैंतालीसों सीट के हिसाब सं देखल जाए त पहिल चरण मे हरलाखी... बेनीपट्टी... खजौली... बाबूबरही... बिस्फी... मधुबनी... राजनगर (सुरक्षित)... झंझारपुर... फुलपरास... लौकहा... निर्मली... पिपरा... सुपौल... त्रिवेणीगंज (सुरक्षित)... छातापुर... नरपतगंज... रानीगंज (सुरक्षित)... फारबिसगंज... अररिया... जोकीहाट... सिकटी... बहादुरगंज... ठाकुरगंज... किशनगंज... कोचाधामन... अमौर... बायसी... कसबा... बनमनखी (सुरक्षित)... रूपौली... धमदाहा... पूर्णियां... कटिहार... कदवा... बलरामपुर... प्राणपुर... मनिहारी (सुरक्षित)... बरारी... कोढ़ा (सुरक्षित)... आलमनगर... बिहारीगंज... सिंहेश्वर (सुरक्षित)... मधेपुरा... सोनवर्षा (सुरक्षित)... सहरसा... सिमरी बख्तियारपुर आओर महिषी शामिल अछि. ई 47 सीट पहिने 48 सीट छल. मुदा...

पहिल चरणक वोट केर प्रचारक अंतिम दिन...

बिहार विधानसभा चुनाव के लेल पहिल चरण के वोटिंग 21 अक्तूबर के होए वाला अछि. एहि के लेल 19 तारीख मंगलदिन प्रचारक आखिरी दिन अछि. सांझ सं नेता सभक प्रचारक शोर थमि जाएत. अगिला दिन ओ घर-घर जाक लोक सभ सं मिलि सकय छथिन्ह. मुदा सभा नहि क सकय छथिन्ह आओर नहि कोनो लाउडस्पीकर सं प्रचार क सकय छथिन्ह. प्रचारक आखिरी दिन होए के कारण सभ पार्टी के बड़का-बड़का नेता इलाका मे जोर-शोर सं जुटल छथिन्ह. बेसि सं बेसि सभा... रैली करि लेबय चाहय छथिन्ह. प्रचार मे कोनो कोर-कसर नहि छोड़य चाहय छथिन्ह. अपन जतेक ताकत होएत अछि सभ लगा देने छथिन्ह. नेताजी के संग फिल्मी कलाकार सेहो आबि रहल छथिन्ह. पहिल चरण मे 47 सीट के लेल वोट पड़त. ई 47 सीट मिथिला...कोसी क्षेत्र केर आठ जिला मे फैलल अछि. पहिल चरण मे कुल 636 उम्मीदवार के भाग्य दांव पर अछि. जेहि मे मौजूदा सरकार के मंत्री नरेन्द्र नारायण यादव... रेणु कुमारी आओर प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष महबूब अली कैसर शामिल छथिन्ह. एहि चुनाव मे जेडीयू के बीजेपी सं आओर आरजेडी के एलजेपी सं तालमेल अछि. कांग्रेस एहिबेर एकसरे लड़ि रहल अछि. 47 सीट पर होए वाला पहिल चरण के चुनाव मे जेडीयू 26... बीजेप...

अहांक वोट किनका ?

बिहार विधानसभा के लेल 21 अक्तूबर सं वोटिंग शुरू होबय जा रहल अछि. राज्य केर 243 सीट के लेल एहि बेर छह चरण मे मतदान भ रहल अछि. वोट त भ रहल अछि मुदा सभसं पैघ सवाल ई अछि जे अहांक वोट किनका जाएत ? अहां एहि बेर किनका गद्दी पर बैसाबय चाहैत छी ? कि नीतीश जी फेर मुख्यमंत्री बनि सकताह? कि लालू प्रसाद यादव जी रामविलास पासवान जीक संग मिलि क नीतीश जीके कात लगाबय मे कामयाब भ पएताह? आ अहांके लगैत अछि जे महबूब अली कैसर जीक देखरेख मे कांग्रेस किछ करामात देखा पाएत? आजादी के बाद पिछला 60 साल मे देखल जाए त कांग्रेस करीब 40 साल कांग्रेस राज करलक...आओर ओहि के बाद कांग्रेस के सहयोग सं 15 साल लालू...राबड़ी देवी जीक राज रहल. एहि पचपन साल मे बिहार देश के छोट-छोट राज्य सं पिछड़ैत चलि गेल. पिछला पांच साल सं नीतीश जी बीजेपी के सहयोग सं सरकार चला रहल छथि. हिनका राज्य मे विकास के गाड़ी किछ चलल अछि. आब फेर चुनाव भ रहल अछि. अहां किनकर सरकार चाहय छी? जाति... धर्म... परिवार... कका/ मामा छोड़ि बिहार के बारे मे सोचल जाए त अहांक वोट किनका मिलत? A. नीतीश कुमार / सुशील कुमार मोदी B. लालू यादव / राबड़ी देवी / रामविलास पा...

Sunu Sunu Rasia By Kunj Bihari Mishra

Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

दिल्ली मे विद्यापति संगीत

कॉमनवेल्थ गेम्स के अवसर पर दिल्ली मे संगीत नाटक अकादमी के तरफ सं देश पर्व महोत्सवक आयोजन कएल गेल अछि. जेहि मे 11 अक्तूबर सोमदिन भारतीय संगीतक मुख्य प्रादेशिक परंपरा खंड मे बिहारक विद्यापति संगीतक प्रस्तुति कएल गेल. मेघदूतम थियेटर मे भेल कार्यक्रम मे विद्यापति संगीत के पेश कएलखिन्ह मशहूर मैथिली लोकगायक कुंज बिहारी मिश्र जी. देश पर्व महोत्सवक आठम दिन कहि सकय छी पूरा तरह सं मैथिल संगीत के नाम रहल. विद्यापति संगीत के सुनय लेल मैथिल सभ के संग दोसर वर्गक लोकक सेहो भारी भीड़ उमड़ल छल. सभ सं अचरजक गप ई रहल जे एहि कार्यक्रम के दौरान अंग्रेजी मीडिया सं जुड़ल पत्रकार काफी संख्या मे आएल छलाह . कुंज बिहारी मिश्र जीक कार्यक्रमक शुरूआत विद्यापति जीक प्रसिद्ध गोसाउनिक गीत जय जय भैरवी सं भेल. एहि के बाद महेशवाणी...चानन भेल विषम सर से, भुषन भेल भारी सुनि दर्शक मंत्रमुग्ध भ गेलाह. गाम-घर सं दूर राजधानी दिल्ली मे विद्यापतिक संगीत आनंद लेनाए एकटा अलगे अनुभव छल. संगीत नाटक अकादमी के ई नीक कदम अछि. मुदा एक घंटा समय बड़ कम छल. लोक सभ आओर सुनय चाहय छलखिन्ह. दर्शक तरफ सं आओर सुनाबय के मांग सेहो भ रहल छल. मुदा क...

हमर विआह-5

फोटो देखला के बाद मोन मे श्वेता सं भेंट करबाक इच्छा एतेक प्रबल भ गेल जे बुझाए, काल्हि मिलबाक बात छोड़ि, आइए मिल लेल जाए। मुदा मोन मे संकोच सेहो छल- लोक सभ की कहताह, बाबूजी के पता चलतन्हि त की सोचताह? मोन मे दस तरहक विचार घूमए लागल। किछु नै फुराइत छल। सोचैत रहलौं—जन्मदिन पर जाएल जाए की नै? एकदम सं कन्फ्यूज भ गेलहुं। एहन उहापोह मे कहिओ नै रहलहुं। एक मोन कहए जे बाबूजी सं पूछि लेल जाए, दोसर मोन कहए- एतबा छोट गप्प लेल हुनका किएक परेशान कएल जाए। इहै सोच मे डूबल रही कि जन्मदिन सं एक दिन पहिने श्वेता जीक भाय, राजीव जी के फोन आबि गेल। ओ आग्रह कैलाह-अहां जरूर आबू। देखू, रिश्ता-नाता तं ऊपर वाला के बनाएल होइत अछि। होबए के होएत तं होएत, नै होबए के होएत तं नै होएत। एहि लेल परेशान नै होउ। अहां आउ, घर-परिवार के लोक सं मिलू, मेलजोल बढ़य। एहि सं हमरा खुशी मिलत। रिश्ता नै सही, मैथिल आ बिरादरी सं होए के कारण तं मिलु। अपन इलाका, अपन मैथिल- गाम-घर सं बाहर एक-दोसर सं संपर्क होबए के चाही। राजीव जी के बात सुनि मिलबाक उत्साह आओर बढ़ि गेल। मोन पक्का क लेलहुं- जे होए, देखल जाए। ई तय करला के बाद जाए केर तैयारी करय...

लोहियाक चेला क राज मे ‘लाल’ क जलवा

सुशांत झा बिहार चुनाव मे एहि बेर ‘लाल’ क चांदी अछि। ओना त एहि बेर इ नहि पहिल बेर भ रहल अछि आ नहि आखरि बेर। मुदा जे पार्टी एहि गप पर गर्व करैत छल जे हुनकर पार्टी मे पारिवारिक संपर्क क आधार पर टिकट नहि बांटल जाइत अछि ओ सेहो एहि मे पाछु नहि रहलाह। गप करि नीतीश कुमार क जेडी-यू क, त हुनकर लिस्ट मे दूटा पूर्व मुख्यमंत्री-जगन्नाथ मिश्र आ राम सुंदर दास क दुलारूआ क नाम अहम अछि। ओना त जगन्नाथ मिश्र क बेटा पहिने सेहो एहि पार्टी स विधायक रहि चुकल छथि। नीतीश मिश्र कए फेर स झंझारपुर स टिकट देल गेल अछि, जखकि रामसुंदर दास क बेटा संजय कुमार कए राजपाकड़ विधानसभा सीट स उम्मीदवार बनाउल गेल अछि। जेडीयू जहानाबाद क सांसद जगदीश शर्मा क बेटा राहुल शर्मा कए घोसी स टिकट देलक अछि। घोसी ओ सीट अछि जतए स शर्मा खानदान 1977 स लगातार जीत रहल अछि। पिछला लोकसभा मे चुनल गेलाक बाद जगदीश शर्मा अपन कनिया कए ओहि ठाम स निर्दलीय जितवा देलथि। नीतीश कुमार, एहि ताकतवर क्षत्रप क दुस्साहस पर किछु नहि करि सकलाह। आब हुनकर बेटा कए टिकट देल गेल अछि। नीतीश सरकार क दोसर कद्दावर मंत्री नरेंद्र सिंह क बेटा अजय प्रताप सिंह कए जमुई स जेडी-यू ...

अपना कए फेर उठेबाक मौका

हरिवंश चर्चिल विश्वयुद्ध क समय कहने छलाह अतीत कए जेतबा पाछु दूर तक देख सकैत छी, देखू, एहि स भविष्य क लेल संदेश भटैत अछि आ बाट सेहो। बिहार, विकास क दृष्टि स सबस पिछड़ा राज्य अछि। हम मानैत छी जे 80 क दशक मे डेमोग्राफर इन चीफ प्रो आशीष बोस हिंदी इलाकस कए बीमारू कहलाह, त एहन मे हमर भूमिका की भ सकैत अछि? भ्रष्टाचार, गवर्नेस, मूल्यहीनता क राजनीति क बीच हम की कए सकैत छी। आइ पूरा दुनिया मे बहस चलि रहल अछि जे श्रेष्ट शासक (इनलाइटेंड लर्स) केहन हेबाक चाही? ओकरा मे केहन मूल्य हेबाक चाही? ओकर जीवन दर्शन की हेबाक चाही? किशन पटनायक सेहो लिखने छथि चंद्रगुप्त क दरबार मे चाणक्य छलाह, चापलूस क जमात नहि छल। चंद्रगुप्त महान योद्धा छलाह, जे अपन शेष जीवन जैन सन्यासी क तरह बितेलाह (जैन साहित्य क अनुसार)। अशोक युद्ध स मुंह मोड़ि लेलथि आओर बौद्ध भ कए धम्म क संवाहक बनलाह। यानी दूटा महान दार्शनिक आदर्श कए लोक जीवन मे उतारबाक काज एहि वंश क राजा केलथि। अपन समय क सीमा मे भारत क सर्वश्रेष्ट ब्राह्मण नेता चाणक्य छलाह। ओ भारत क प्रथम राष्ट्रनेता छलाह, राजा नहि रहितो। फेर, आगू किशन जी लिखैत छथि चंद्रगुप्त कोनो सामान्य...

जोर पकड़लक चुनाव प्रचार

बिहार विधानसभा चुनाव के लेल सभ पार्टी जोर-शोर सं प्रचार मे जुटि गेल अछि. वोटर के अपना पक्ष मे करय लेल... लुभाबय लेल जतेक जुगत होएत अछि करल जा रहल अछि. उम्मीदवार सभक नजर पार्टी के स्टार प्रचार पर लागि गेल छनि. टिकट मिलला के बाद सभ पार्टी के उम्मीदवार आब एहि लेल जोर लगौने छथिन्ह जे बड़का-बड़का नेता हुनका विधानसभा क्षेत्र मे आबि लोक सभ के संबोधित करथुन्ह. उम्मीदवार सभ के उम्मीद छनि जे स्टार प्रचार के आबय के असर वोट पर पड़ि सकैत अछि. जेडीयू के देखल जाए त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी खुद स्टार प्रचारक छथिन्ह आओर 8 तारीख सं जनादेश यात्रा पर निकलि रहल छथिन्ह. चारि दिन तक ओ पहिल चरण मे मतदान होए वाला क्षेत्र मे सं 26 ठाम जनसभा करथिन्ह. जेडीयू के सभ उम्मीदवार के तरफ सं नीतीश जीक मांग छनि आओर मुख्यमंत्री जीक कोशिश हर ठाम जएबाक छनि. हुनका संग पार्टी नेता शरद यादव... शिवानंद तिवारी ... विजय कुमार चौधरी सेहो प्रचार लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. बिहार मे जेडीयू आओर बीजेपी के गठबंधन अछि. आओर उम्मीद कएल जा रहल अछि जे नीतीशजी बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी जीक संग जनसभा करताह. ई सेहो तय अछि जे नरेन्द्र म...

टिकट लेल जूतम-पैजार

बिहार मे जेना-जेना पार्टी सभ के लिस्ट बहरा रलह अछि. टिकट चाहय वाला नेता सभ के असंतोष बढ़ल जा रहल अछि. टिकट लेल ओ अपना भरि जतेक जुगत भ सकैत अछि करय छथिन्ह. मुदा लिस्ट मे नाम नहि देखि नेता जी आओर नेताजीक कार्यकर्ता अपन धैर्य खो रहल छथिन्ह. राज्यक सभ प्रमुख पार्टी मे टिकट के लेल बगावत जकां हाल अछि. टिकट नहि मिलला पर नेताजी सभ अपन दल-बल के संग पाला बदलि रहल छथिन्ह. पांच साल सं जकरा लेल इंतजार करय छलाह अगर सेहे नहि मिलल त आखिर दोसर कोनो रास्ता सेहो नहि रहि जाएत अछि न. बिहार मे एहन कोनो दल नहि अछि जेहि मे टिकट के लेल मारि-पीट... तोड़-फोड़ नहि भेल होए. सत्ताधारी पार्टी जेडीयू होए आ सहयोगी बीजेपी... आ फेर विपक्षी आरजेडी... एलजेपी आओर कांग्रेस. टिकट के लsक सभ ठाम धमगज्जर भ रहल अछि. कोनो ठाम पार्टी ऑफिस मे तोड़-फोड़ त कोनो ठाम आगि तक लगा देल जा रहल अछि. कोनो ठाम टिकट के लेल नंग-धड़ंग प्रदर्शन भ रहल अछि त कोनो ठाम पार्टी के वरिष्ठ नेताजी के मुंहें पर गरिआएल जा रहल छनि. कोनो ठाम दोसर पार्टी सं आबय वाला के टिकट मिलला पर विरोध भ रहल अछि त कोनो ठाम बाहुबली आ फेर परिवार के लोक के... रिश्तेदार के ट...

Invitation To Art Exhibition in London

Dear Friends, I am exhibiting Madhubani Paintings in this exhibition. Please do visit................

कॉमनवेल्थ गेम्स: विद्यापति संगीत

कॉमनवेल्थ गेम्स के अवसर पर अहां दिल्ली मे मैथिली गीतनाद के आनंद सेहो उठा सकय छी. संगीत नाटक अकादमी एहि दौरान 4 सं 13 अक्तूबर तक देश पर्व मना रहल अछि. जेहि मे भारतीय संगीतक मुख्य प्रादेशिक परंपरा खंड मे बिहारक विद्यापति संगीतक प्रस्तुति होएत. विद्यापति संगीत के पेश करताह मशहूर मैथिली लोकगायक कुंज बिहारी मिश्र जी. गायन मे कुंज बिहारी मिश्र जीक संग देथिन्ह गोविन्द बिहारी मिश्र आओर चंद्र मोहन मिश्र जी. एहि के संग वाद्ययंत्र झल्लर पर सज्जन कुमार मिश्र... पखावज पर परशुराम सिंह...ढोलक पर अशोक यादव...मंजीरा पर मिथिलेश मंडल आओर तानपुरा पर अरुण कुमार मल्लिक संगत करथिन्ह. हिनकर कार्यक्रम करीब घंटा भरि चलत. संगीत नाटक अकादमी के ई कार्यक्रम विद्यापति जीक नाम पर छनि ताहि लेल एहि मे हुनकर रचित जय जय भैरवि... उगना रे मोर कतए गेलाह... चानन भेल विषम... आजू नाथ एक व्रत प्रस्तुति सुनय लेल मिल सकैत अछि. कुंज बिहारी मिश्र जी अपन ग्रुप के संग अखन जोर -शोर सं एकर तैयारी मे लागल छथिन्ह. कुंज बिहारी जी मैथिलीक लोकप्रिय गायक छथिन्ह. हिनकर कार्यक्रम देश भर मे होएत रहय छनि. हिनका कइटा अवार्ड सेहो मिलल छनि. हालह...