नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किछ हरायल शब्द

फेसबुक पर भवेश नंदन जी बड़ नीक चीज शुरू कएलाह. ओ अपन प्रोफाइल मे मैथिलीक भोजन सं संबंधित किछ एहन शब्द रखलाह जकर इस्तेमाल कम भ रहल अछि. हिनकर एहि कोशिश पर नीक-नीक कमेंट सेहो आबि रहल छनि.

Vixy Pro के नाम सं विकास झा जीक कमेंट देखिऔ.. की यौ बाऊ...जमैन फैंक क फेसबुक पर बैसल छलु की. विकास जीक किछ शब्द जोड़य सेहो छथिन्ह. भवेश जी आओर विकास जी दूनु फिल्मकार छथिन्ह. दिल्ली मे रहय छथिन्ह आओर एहिठाम होए वाला मैथिली कार्यक्रम... समारोह मे बढ़ि-चढ़ि कs भाग लय छथिन्ह.

अहां सभ सेहो भवेश जी... विकास जी आओर कृपा नंद झाजी जकां एहने किछ-किछ शब्द डालि एहि कड़ी के जोड़ैत रहिऔ. एहि शब्द के देखि क हम सभ गाम-घर मे वापस चलि जाए छी. ई शब्द अपन मिथिलाक याद दिलाबैत अछि.

भवेश जी...विकास जी आओर कृपानंद झा जीक भोजन सं संबंधित किछ शब्द अछि...

तीमन (vegetable), सोहारी (Bread),

रामतरोई (Ladyfinger) , भांटा (Brinjal),

भंसा घर' (Kitchen) , भानस (Cooking) ,

करछ (Serving spoon/Laddle),

चंगेरा (Flatten Bamboo Basket) ,

रही(Blender) , गीरनाई (Gobble),

झोर (Gravy) , संतोला (Orange),

सियो (Apple), लेमनचूस (Candy) ,

नून (Salt), करुआ तेल (Mustard oil) ,

आलू सन्ना ( Massed Potato) ,

खिच्चैर (Rice & Pulse cooked together) ,

गहुम(Wheat), खेरही (मूंग) ( green bean)

दाइल (Pulse), झौंसगर (Spicy),

झूर सोहारी (crispy bread) , बासन (Utensil),

घाईट (Gram Flour), नेमो (Lemon),

मूर (Radish), अल्हुआ (Sweat Potato),

माउस (Meat), कांट-कूस ( Fish),

ओरिका (Milk boiling tool made with coconut Shel),

फटोन (Cheese) ,

डाढ़ी (thick layer of milk cream accumulated in milk boiling pan)

औग्थान ( post mid night dinner)

जलखई(breakfast) , पैनपियाई(brakfast for labors),

तप्पत(very hot dish), भूजा(corn snacks) ,

कुच्चा(typical mango pickle),

पिरिकिया(barley made sweet snacks)

छिट्टा (bamboo Basket),

मौनी (Small Bamboo Basket), अर्नेबा (Papaya),

लताम (Guava)
अहां सभ सेहो एहने किछ शब्द भेजबाक कष्ट करु...

11 टिप्‍पणियां:

  1. किछु आर जोड़ू :

    चिनबार

    खोंईछ्

    पजेबा

    चिक्कस

    अनसोहांत

    आरो फेर कहियो ... प्रकाश चन्द्र

    जवाब देंहटाएं
  2. धन्यवाद प्रकाश जी, एहिना लिखैत रहिऔ.

    जवाब देंहटाएं
  3. हरेक भाषा के अप्पन विशिष्टता होइत छै ...आ मैथिली त' बड्ड मधुर भाषा छैहे आ एही में शब्द भंडार सेहो अपार छैक ....हम सब मिली क' अहि भाषाक अप्रचलित होइत जा रहल शब्द के संकलन त' करबे करी....संगे एकर प्रयोग कर' के सेहो आदत बनाबी ...से अनुरोध ...धन्यवाद हितेंद्र जी अहांके, अहि क्रम के आगा बढ़ाब' लेल .....

    जवाब देंहटाएं
  4. भवेश जी... ई अहांक कारण संभव भेल. अहां नहिं फेसबुक पर एकरा डालतौं नहि हम हेलो मिथिला पर. उम्मीद अछि जेना-जेना अहांके नव-नव शब्द याद आएत. कमेंट के मार्फत सं एहि मे जोडने जाएब. धन्यवाद

    जवाब देंहटाएं
  5. दलान
    भिनसर
    कोजगरा
    मखान
    टिकुला
    मोछी
    केरा
    बांस क कोपर
    घूर
    छौर
    घघरा
    आइग
    टटीबा
    कोछ्बी

    जवाब देंहटाएं
  6. दलान
    भिनसर
    कोजगरा
    मखान
    टिकुला
    मोछी
    केरा
    बांस क कोपर
    घूर
    छौर
    घघरा
    आइग
    टटीबा
    कोछ्बी

    जवाब देंहटाएं
  7. धन्यवाद शशि जी. कोछबी के मायने बताबय के कष्ट करब. याद नहि आबि रहल अछि.

    जवाब देंहटाएं
  8. pathia, phautiba, kabauch, sohjan, kadima, sajmani, genhari saag, arikanchan, itta, bharkothi, bakhari etc.

    जवाब देंहटाएं
  9. अदहन
    अन्ह्रजाली
    कनसुप्ती
    उधियायल
    कोनिया
    राम झुमनी
    कुसियार
    उक
    जारैन
    लुती
    दाईल
    झर्कल

    अन्हार क s दूर भगाबू एहेन फेरु उक |
    धन कुबेर के सतत वर्षा सँ भरल रहे संदूक ||
    माँ लक्ष्मी स्नेहक छाया सदिखन परय अहाँ पर |
    धन, दौलत आ यशक पताका फहरय सदा धरा पर ||


    समस्त मैथिल, मिथिलावाशी अओर मिथिला आ मैथिलि से स्नेह रख्नियर के हमरा तरफ सँ दीयाबातीक हार्दिक शुभकामना |

    दयाकांत

    जवाब देंहटाएं
  10. Sarji, hamar naam Dinesh Mishra achi aa Maithili filmak lel Hero/Heroine ke avyashkta achi. Se add. katay likhu kani sujhaw deb? Hamar Mobile no.09830823698 mail ID: mishradinesh32@yahoo.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु