नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पहिल दौर के मतदान खत्म

बिहार विधानसभा चुनाव लेल प्रथम चरणक मतदान खत्म भ गेल अछि. आठ जिला के 47 विधानसभा क्षेत्र मे करीब 55% वोट पड़ल. छोट-मोट घटना के छोड़ि देल जाए त कहि सकय छी मतदान शांतिपूर्ण रहल. किछ ठाम सं मतदान के बहिष्कार करय के खबर मिलल. मुदा ओकर खास असर नहि रहल.

पहिल चरण मे जेहि ठाम वोट पड़ल अछि ओ मिथिलाक कोसी आओर सीमांचल वाला इलाका अछि. जेहि 47 सीट पर चुनाव भेल अछि ओहि मे अररिया के छह... सुपौल के पांच... किशनगंज के चारि...पूर्णिया के सात... कटिहार के सात...सहरसा के चारि...मधेपुरा के चारि आओर मधुबनी जिला के 10 सीट शामिल अछि.

एहि मतदान मे कइटा दिग्गज के भाग्य सेहो दांव पर अछि. जेहि मे नीतीश सरकार के चारिटा मंत्री सेहो शामिल छथिन्ह. एहि के संग आनंद मोहन के पत्नी लवली आनंद... पप्पू आनंद की पत्नी रंजीता रंजन सेहो मैदान मे छथीह. लवली आनंद आलमनगर सं आओर रंजीता रंजन बिहारीगंज सं कांग्रेस के उम्मीदवार छथीह.
जोकिहाट सं पूर्व केंद्रीय मंत्री तस्लीमुद्दीन के सुपुत्र सरफराज आलम जदयू सं ठाड़ छथिन्ह. बाहुबली दिलीप यादव आरजेडी के टिकट पर धमदाहा सं अपन धमक कायम राखय के कोशिश मे छथिन्ह. हिनकर मुकाबला पूर्व बाहुबली बुट्टन सिंह के पत्नी लेसी सिंह सं छनि... जखन कि पूर्व बाहुबली अवधेष मंडल के पत्नी बीमा भारती जेडीयू के टिकट पर रूपौली सं ठाड़ छथीह.

वोट देबय के लेल भोरे सं मतदाता के लाइन लगि गेल छल. लोक सभ उत्साह के संग वोट देबय लेल आगां अएलाह. ओना कई ठाम किछ ईवीएम मे खराबी के शिकायत सेहो आएल मुदा ओकरा ठीक करि लेल गेल. वोट देबय लेल काफी संख्या मे महिला सभ सेहो देर तक लाइन मे लागल रहलीह.वोटिंग के दौरान दिल के दौरा पड़य सं कटिहार आओर मधुबनी मे एक-एकटा चुनाव कर्मचारी के निधन सेहो भ गेलन्हि.

पहिल चरण मे वोटिंग खत्म होए के संग 631 उम्मीदवार के भाग्य ईवीएम मशीन मे बंद भ गेल अछि. एहि के लेल करीब साढ़े दस हजार बूथ बनाएल गेल छल. जेहि ठाम करीब 26 हजार ईवीएम मशीन सं वोटिंग भेल. वोटिंग के लेल सुरक्षा के तगड़ा इंतजाम कएल गेल छल. बिहार मे 243 सीट के लेल छह चरण मे मतदान होएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु