Skip to main content

पहिल दौर के मतदान खत्म

बिहार विधानसभा चुनाव लेल प्रथम चरणक मतदान खत्म भ गेल अछि. आठ जिला के 47 विधानसभा क्षेत्र मे करीब 55% वोट पड़ल. छोट-मोट घटना के छोड़ि देल जाए त कहि सकय छी मतदान शांतिपूर्ण रहल. किछ ठाम सं मतदान के बहिष्कार करय के खबर मिलल. मुदा ओकर खास असर नहि रहल.

पहिल चरण मे जेहि ठाम वोट पड़ल अछि ओ मिथिलाक कोसी आओर सीमांचल वाला इलाका अछि. जेहि 47 सीट पर चुनाव भेल अछि ओहि मे अररिया के छह... सुपौल के पांच... किशनगंज के चारि...पूर्णिया के सात... कटिहार के सात...सहरसा के चारि...मधेपुरा के चारि आओर मधुबनी जिला के 10 सीट शामिल अछि.

एहि मतदान मे कइटा दिग्गज के भाग्य सेहो दांव पर अछि. जेहि मे नीतीश सरकार के चारिटा मंत्री सेहो शामिल छथिन्ह. एहि के संग आनंद मोहन के पत्नी लवली आनंद... पप्पू आनंद की पत्नी रंजीता रंजन सेहो मैदान मे छथीह. लवली आनंद आलमनगर सं आओर रंजीता रंजन बिहारीगंज सं कांग्रेस के उम्मीदवार छथीह.
जोकिहाट सं पूर्व केंद्रीय मंत्री तस्लीमुद्दीन के सुपुत्र सरफराज आलम जदयू सं ठाड़ छथिन्ह. बाहुबली दिलीप यादव आरजेडी के टिकट पर धमदाहा सं अपन धमक कायम राखय के कोशिश मे छथिन्ह. हिनकर मुकाबला पूर्व बाहुबली बुट्टन सिंह के पत्नी लेसी सिंह सं छनि... जखन कि पूर्व बाहुबली अवधेष मंडल के पत्नी बीमा भारती जेडीयू के टिकट पर रूपौली सं ठाड़ छथीह.

वोट देबय के लेल भोरे सं मतदाता के लाइन लगि गेल छल. लोक सभ उत्साह के संग वोट देबय लेल आगां अएलाह. ओना कई ठाम किछ ईवीएम मे खराबी के शिकायत सेहो आएल मुदा ओकरा ठीक करि लेल गेल. वोट देबय लेल काफी संख्या मे महिला सभ सेहो देर तक लाइन मे लागल रहलीह.वोटिंग के दौरान दिल के दौरा पड़य सं कटिहार आओर मधुबनी मे एक-एकटा चुनाव कर्मचारी के निधन सेहो भ गेलन्हि.

पहिल चरण मे वोटिंग खत्म होए के संग 631 उम्मीदवार के भाग्य ईवीएम मशीन मे बंद भ गेल अछि. एहि के लेल करीब साढ़े दस हजार बूथ बनाएल गेल छल. जेहि ठाम करीब 26 हजार ईवीएम मशीन सं वोटिंग भेल. वोटिंग के लेल सुरक्षा के तगड़ा इंतजाम कएल गेल छल. बिहार मे 243 सीट के लेल छह चरण मे मतदान होएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...