Skip to main content

लोहियाक चेला क राज मे ‘लाल’ क जलवा

सुशांत झा
बिहार चुनाव मे एहि बेर ‘लाल’ क चांदी अछि। ओना त एहि बेर इ नहि पहिल बेर भ रहल अछि आ नहि आखरि बेर। मुदा जे पार्टी एहि गप पर गर्व करैत छल जे हुनकर पार्टी मे पारिवारिक संपर्क क आधार पर टिकट नहि बांटल जाइत अछि ओ सेहो एहि मे पाछु नहि रहलाह। गप करि नीतीश कुमार क जेडी-यू क, त हुनकर लिस्ट मे दूटा पूर्व मुख्यमंत्री-जगन्नाथ मिश्र आ राम सुंदर दास क दुलारूआ क नाम अहम अछि। ओना त जगन्नाथ मिश्र क बेटा पहिने सेहो एहि पार्टी स विधायक रहि चुकल छथि। नीतीश मिश्र कए फेर स झंझारपुर स टिकट देल गेल अछि, जखकि रामसुंदर दास क बेटा संजय कुमार कए राजपाकड़ विधानसभा सीट स उम्मीदवार बनाउल गेल अछि। जेडीयू जहानाबाद क सांसद जगदीश शर्मा क बेटा राहुल शर्मा कए घोसी स टिकट देलक अछि। घोसी ओ सीट अछि जतए स शर्मा खानदान 1977 स लगातार जीत रहल अछि। पिछला लोकसभा मे चुनल गेलाक बाद जगदीश शर्मा अपन कनिया कए ओहि ठाम स निर्दलीय जितवा देलथि। नीतीश कुमार, एहि ताकतवर क्षत्रप क दुस्साहस पर किछु नहि करि सकलाह। आब हुनकर बेटा कए टिकट देल गेल अछि। नीतीश सरकार क दोसर कद्दावर मंत्री नरेंद्र सिंह क बेटा अजय प्रताप सिंह कए जमुई स जेडी-यू टिकट भेटल अछि। एहि स पहिने अजय क भाई अभय प्रताप सिंह ओहि ठाम स विधायक छलाह, जे अपन पुत्री आ कनिया क हत्या क बाद आत्महत्या करि लेलथि। जेडी-यू तस्लीमुद्दीन क सुपुत्र सरफराज आलम कए जोकीहाट स टिकट देलक अछि, जे पिछला बेर आरजेडी क टिकट पर मैदान मे उतरल छलाह।
गौर करि जे पार्टी अपन सुशासन आ अपराध-मुक्त छवि कए ताक पर राखि किछु अपराधी क भाई आ कनिया कए टिकट सेहो देलक अछि। तकनीकी तौर पर एहि मे कोनो दोष नहि, मुदा व्यावहारिक गन सब जानैत छी। पार्टी कईटा आपराधिक मामला मे फंसल विधायक शशि कुमार राय क भाई नंद कुमार राय कए बरुराज स टिकट देलक अछि त फुलपरास स हत्या क आरोपी पूर्व विधायक देवनाथ यादव क पत्नी गुलजार देवी कए टिकट देलक अछि। ओना जेडी-यू एकटा मामला मे सचमुच अलग पार्टी लगैत अछि जे इ बेटा त बेटा, नेता क बाप कए सेहो टिकट देलक अछि। पार्टी लोकसभा सांसद महेश्वर हजारी क पिता रामसेवक हजारी कए टिकट देलक अछि, त सांसद विश्वमोहन शर्मा क पत्नी सुजाता देवी सेहो टिकट क लिस्ट मे छथि।
जेडी-यू पूर्व नौकरशाह आ सांसद रहल सैयद शहाबुद्दीन क बेटी परवीन अम्मानुल्लाह कए साहिबपुर कमल स टिकट देलक अछि। परवीन क पति अफजल अम्मानुल्लाह आईएएस छथि आ नीतीश सरकार मे गृह सचिव क ओहदा सम्हारि चुकल छथि। कहल जाइत अछि जे अम्मानुल्लाह ओ अधिकारी छथि जे रथयात्रा क दौरान आडवाणी क गिरफ्तारी मे अहम भूमिका निभेलथि। परवीन सेहो गुजरात मसला पर भाजपा क घनघोर आलोचना करि चुकल छथि आ हुनकर पिता सैयद शहाबुद्दीन त बाबरी मस्जिद आन्दोलन क सूत्रधार मे रहल छथि। मुदा परवीन आइ राजग क उम्मीदवार छथि, भाजपा क ताऱीफ सेहो करि रहल छथि।
हालांकि पार्टी क आन्तरिक समीकरण क वजह स जेडी-यू मुजफ्फरपुर क कद्दावर सांसद कैप्टन जयनारायण निषाद क लाल कए टिकट नहि देलक। दोसर दिस गोपालगंज क सांसद पूर्णमासी राम क बेटा विजय कुमार राम कए सेहो टिकट नहि देल गेल। विजय कुमार राम कांग्रेस मे जुगाड़ लगेलथि आ हरसिधी स टिकट पाबि लेलथि। जखन कि कांग्रेस निषाद क पुतहु कए हाजीपुर स टिकट देलक अछि।
एहि बेर एहन खूब देखल जा रहल अछि जे पिता जेडी-यू या आरजेडी मे जुगाड़ नहि लगा पौलथि त पुत्र विपक्षी पार्टी स टिकट झपट लेलक। आब एहने उदाहरण अछि सांसद महाबली सिंह आ जगदानंद सिंह क बेटा क। जेडी-यू सांसद महाबली सिंह क बेटा कए आरजेडी टिकट देलक अछि, त आरजेडी क कद्दावर सांसद जगदानंद क बेटा बीजेपी स बक्सर सीट क लेल उम्मीदवार बनि गेलथि अछि।
आरजेडी सेहो नेताक पुत्रों कए खूब तरजीह देलक अछि। लालू क खास रहल रघुनाथ झा क बेटा अजीत झा कए आरजेडी फेर शिवहर स उम्मीदवार बनेलक अछि। पूर्व मंत्री सीताराम सिंह क बेटा राणा रणधीर कए आरजेडी मधुबन सीट पर टिकट देलक अछि। दरभंगा क पूर्व सांसद अली अशरफ फातमी क बेटा फराज फातमी कए राजद केवटी स टिकट देलक अछि।
लोजपा सुप्रीमो रामविलास पासवान क दूटा भाई मैदान मे छथि। पूर्व सांसद रामचंद्र पासवान आ पशुपति पारस दूनू विधायक बनबा लेल ताल ठोकि रहल छथि। रामचंद्र पासवान कुशेश्वर स्थान स मैदान मे छथि जखन कि पारस अलौली स। पासवान क एकटा संबंधी सरिता देवी सोनबरसा स टिकट लेलथि अछि। लोजपा क राज्यसभा सांसद साबिर अली क पत्नी यास्मीन अली, नरकटिया गंज स टिकट लेलथि अछि, त पार्टी क उपाध्यक्ष सुरजभान सिंह क सार रमेश सिंह विभूतिपुर स मैदान मे छथि। लोजपा गोविंदगंज स राजू तिवारी कए मैदान मे उतारक अछि जिनकर भाई राजन तिवारी हत्या क आरोप मे जेल मे बंद छथि।
बिहार चुनाव मे राजनीतिक दल क उम्मीदवार क लिस्ट देखिकए लगैत अछि जे लोहिया क शिष्यसब जमिकए खानदानवाद क पैरवी केलक अछि। नीतीश कुमार कई बेर इ इम्प्रेशन देबाक कोशिश केलथि जे हुनकर पार्टी मे परिवार क आधार पर टिकट नहि बांटल जाइत, मुदा इ गप एहि बेर हवाई साबित भेल। लालू आ पासवान त कहियो एहन वादे नहि केलथि। कुल मिलाकए, कुलीन क कुनबा बढ़ै वाला अछि।
साभार - www.esamaad.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...