नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लालू- पासवान जीक परीक्षाक दौर

बिहार विधानसभा चुनाव के 48 सीट के लेल तेसर चरण के वोटिंग 28 अक्तूबर को होएत. गुरुवार के होए वाला एहि वोटिंग के लेल 785 उम्मीदवार मैदान मे अछि. करीब एक करोड़ मतदाता हिनकर भाग्य के फैसला करथिन्ह.

तेसर चरण मे पूर्वी चंपारण... पश्चिमी चंपारण... गोपालगंज... सीवान... सारण आओर वैशाली जिला मे वोट पड़य वाला अछि. पूर्वी चंपारण के सात... पश्चिमी चंपारण के नौ... गोपालगंज के छह... सीवान के आठ... सारण के 10 आओर वैशाली जिला के आठ विधानसभा सीट पर मतदान होएत. जेहि ठाम वोट पड़त ओकर नाम अछि-

 
वाल्मीकिनगर, रामनगर [अजा], नरकटियागंज, बगहा, लौरिया, नौतन, चनपटिया, बेतिया, सिकटा, रक्सौल, सुगौली, हरसिद्धि [अजा], गोविंदगंज, केसरिया, कल्याणपुर, मोतिहारी, बैकुंठपुर, बरौली, गोपालगंज, कुचायकोट, भोरे [अजा], हथुआ, सिवान, जीरादेई, दरौली [अजा], रघुनाथपुर, दरौंदा, बड़हरिया, गोरियाकोठी, महाराजगंज, एकमा, माझी, बनियापुर, तरैया, मढ़ौरा, छपरा, गरखा [अजा], अमनौर, परसा, सोनपुर, हाजीपुर, लालगंज, वैशाली, महुआ, राजापाकड़ [अजा], राघोपुर, महनार और पातेपुर [अजा].
एहि चरण के वोट आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी... एलजेपी प्रमुख रामविलास पासवान जी के लेल खास छनि. किएक त लालूजीक संसदीय क्षेत्र सारण आओर गृह जिला गोपालगंज मे वोट पड़त. संगहि-संग पासवानजीक क्षेत्र हाजीपुर...वैशाली मे सेहो चुनाव एहि चरण मे अछि. जेडीयू-बीजेपी के तैयारी देखैत ई एक तरह सं लालू आओर पासवान जीक लेल परीक्षाक दौर अछि.

विधानसभा मे विक्ष के नेता आओर पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी वैशाली के राघोपुर आओर सारण के सोनपुर सं ठाड़ छथीह. एहि चरण मे नीतीश जीक कइटा मंत्री सेहो मैदान मे छथिन्ह. जेहि मे जनार्दन सिंह सिग्रीवाल...गौतम सिंह...वृषिण पटेल आओर चंद्रमोहन राय शामिल छथिन्ह.

एहि चरण मे कांग्रेस आओर बीएसपी अड़तालीसों सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. बीजेपी 24...जेडीयू 24... आरजेडी 35 आओर एलजेपी 13 सीट पर अपन उम्मीदवार उतारने अछि. महुआ विधानसभा क्षेत्र सं सभसं बेसि 31 आओर रक्सौल सं सभसं कम सात उम्मीदवार ठाड़ अछि. 65 महिला उम्मीदवार सेहो ठाड़ छथीह.

विधानसभा के 243 सीट मे सं 48 सीट पर होए वाला मतदान के दौरान सुरक्षा के लेल भारी इंतजाम कएल गेल अछि. करीब -करीब हर केंद्र पर अर्धसैनिक बल के तैनात कएल गेल अछि. अखन धरि भेल दू दौर के वोटिंग शांतिपूर्ण रहल अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु