Skip to main content

जोर पकड़लक चुनाव प्रचार

बिहार विधानसभा चुनाव के लेल सभ पार्टी जोर-शोर सं प्रचार मे जुटि गेल अछि. वोटर के अपना पक्ष मे करय लेल... लुभाबय लेल जतेक जुगत होएत अछि करल जा रहल अछि. उम्मीदवार सभक नजर पार्टी के स्टार प्रचार पर लागि गेल छनि.

टिकट मिलला के बाद सभ पार्टी के उम्मीदवार आब एहि लेल जोर लगौने छथिन्ह जे बड़का-बड़का नेता हुनका विधानसभा क्षेत्र मे आबि लोक सभ के संबोधित करथुन्ह. उम्मीदवार सभ के उम्मीद छनि जे स्टार प्रचार के आबय के असर वोट पर पड़ि सकैत अछि.

जेडीयू के देखल जाए त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी खुद स्टार प्रचारक छथिन्ह आओर 8 तारीख सं जनादेश यात्रा पर निकलि रहल छथिन्ह. चारि दिन तक ओ पहिल चरण मे मतदान होए वाला क्षेत्र मे सं 26 ठाम जनसभा करथिन्ह.

जेडीयू के सभ उम्मीदवार के तरफ सं नीतीश जीक मांग छनि आओर मुख्यमंत्री जीक कोशिश हर ठाम जएबाक छनि. हुनका संग पार्टी नेता शरद यादव... शिवानंद तिवारी ... विजय कुमार चौधरी सेहो प्रचार लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह.

बिहार मे जेडीयू आओर बीजेपी के गठबंधन अछि. आओर उम्मीद कएल जा रहल अछि जे नीतीशजी बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी जीक संग जनसभा करताह. ई सेहो तय अछि जे नरेन्द्र मोदी आओर वरुण गांधी प्रचार नहि करताह.
बीजेपी के तरफ सं आडवाणी जीक संग-संग पार्टी अध्यक्ष नितिन गडकरी... मुरली मनोहर जोशी... सुषमा स्वराज... अरुण जेटली... उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी... बिहारी बाबू शत्रुघ्न सिन्हा...फिल्म अभिनेत्री हेमा मालिनी आओर स्मृति ईरानी प्रचार अभियान मे जान डालथिन्ह.

बीजेपी-जेडीयू के बाद लोक के सभ सं बेसि नजर लालू यादव जी पर रहतन्हि. लालू जीक प्रचार के अंदाज सभ सं निराला छनि. प्रचार मे हिनकर चुटकी लोक के लोट-पोट करि दैत अछि. आओर एहि बेर त ओ अपन पूरा फॉर्म मे छथिन्ह.

केंद्र मे मंत्री नहि रहला के कारण लालू जी एहि बेर अपन पूरा समय राज्य पर देलखिन्ह. आरजेडी मे हुनका अलावा खुद राबड़ी देवी जी...राम कृपाल यादव... अब्दुल बारी सिद्दीकी आओर हालहिं मे पार्टी मे शामिल प्रभुनाथ सिंह प्रचार के जिम्मेदारी संभालथिन्ह.
लालू जीक जकां रामविलास पासवान जी सेहो केंद्र मे मंत्री नहि बनय के कारण अपन बेसि समय राज्य मे गुजारलखिन्ह आओर पार्टी के बेस मजबूत करय मे लागल रहलखिन्ह. हिनकर पार्टी एलजेपी मे हिनकर संग रामचंद्र पासवान जी देथिन्ह.

अगर स्टार प्रचारक के हिसाब सं देखल जाए त बिहार चुनाव मे एहि बेर सभ सं बेसि अहां के कांग्रेस के तरफ सं देखय के लेल मिलि सकैत अछि. जे पार्टी जतेक कमजोर ओकर अमला ओतेक भारी. कांग्रेस एहि बेर एकसरे चुनाव मे ठाड़ अछि.

कांग्रेस के तरफ सं नेता सभ के नजर राहुल गांधी पर लागल छनि. राहुल गांधी मिशन बिहार के लेल केंद्र के तमाम बड़का नेता के बिहार भेज रहल छथिन्ह. ओ खुद त जोर -शोर से जुटल रहबे करताह.

अगिला हफ्ता राहुल गांधी आ फेर सोनिया गांधीजीक चुनाव कार्यक्रम भ सकैत अछि. स्टार प्रचारक मे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी सेहो शामिल छथिन्ह. हिनका संग कइटा केंद्रीय मंत्री आओर नेता सेहो बिहार दौरा पर आबि रहल छथिन्ह.
केंद्रीय नेता मे सं सचिन पायलट... ज्योतिरादित्य सिंधिया... अंबिका सोनी... अजय माकन... जतिन प्रसाद... सलमान खुर्शीद ...दिग्विजय सिंह... गुलाम नबी आजाद आओर मुकुल वासनिक प्रमुख छथिन्ह.

दिल्ली केर मुख्यमंत्री शीला दीक्षित... राजस्थान के मुख्यमंत्री अशोक गहलोत आओर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री अशोक राव चाह्मण सेहो प्रचार करताह. एकरे संग खबर अछि जे शाहरुख खान आओर प्रीति जिंटा पटना मे रोड शो करि सकय छथिन्ह.

बीएसपी के तरफ सं उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री मायावती आओर सपा के तरफ सं मुलायम सिंह यादव आओर अखिलेश सिंह यादव अएताह. एनसीपी सं शरद पवार आओर तारिक अनवर होताह...लेफ्ट सं प्रकाश करात...वृंदा करात... सीताराम येचुरी आबि सकय छथिन्ह.

त चुनाव तक बिहार मे रमन-चमन बनल रहत. रोज कोनो नहि कोनो नेता के भाषण.. जनसभा होएत. झंडा... बैनर लहराएत. जिंदाबाद-मुर्दाबाद के नारा लगत. त आनंद उठाउ. सुनु सभ के बस जे नीक लगए हुनका जीताउ.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. Delhi me eik Matra BJP Sa Bihari MLA Sh. Anil Jha Jee seho Prachar Karta. Anil Jha jee seho Star Pracharak Chhatheen.. Kaphi Young age me MLA bhela, Delhi BJP ke VP Seho chhait.

    ReplyDelete
  2. hum mla anil jha ke jha ji(Dr.Jairudra Jha)ke bhai chhi a akhan india news mein kaaj kari chhi.aahan ke ayee mahaabhiyaan mein humhun yodaan deva ke iksuk chhhi,yogdaan ke aadesh maargdarshan ke saath tarunjha@live.com va tarunjha4@gmail.com par dev. pratiksha mein......
    Tarun Jha
    Assignment
    India News

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर