Skip to main content

मिथिला मे कि होएत?

बिहार मे विधानसभा चुनाव के लेल पहिल चरण मे जेहि 47 सीट पर वोटिंग भ रहल अछि ओ मिथिलाक इलाका अछि. एहि मिथिला क्षेत्र मे कोसीक

बाढ़ि वाला इलाका सेहो शामिल अछि. ई सीट आठ जिला मधुबनी... अररिया... सुपौल... किशनगंज... पूर्णिया... कटिहार... सहरसा आओर मधेपुरा मे फैलल अछि. मिथिलाक आओर सीट पर अगिला चरण मे वोट पड़त.

अगर सैंतालीसों सीट के हिसाब सं देखल जाए त पहिल चरण मे हरलाखी... बेनीपट्टी... खजौली... बाबूबरही... बिस्फी... मधुबनी... राजनगर (सुरक्षित)... झंझारपुर... फुलपरास... लौकहा... निर्मली... पिपरा... सुपौल... त्रिवेणीगंज (सुरक्षित)... छातापुर... नरपतगंज... रानीगंज (सुरक्षित)... फारबिसगंज... अररिया... जोकीहाट... सिकटी... बहादुरगंज... ठाकुरगंज... किशनगंज... कोचाधामन... अमौर... बायसी... कसबा... बनमनखी (सुरक्षित)... रूपौली... धमदाहा... पूर्णियां... कटिहार... कदवा... बलरामपुर... प्राणपुर... मनिहारी (सुरक्षित)... बरारी... कोढ़ा (सुरक्षित)... आलमनगर... बिहारीगंज... सिंहेश्वर (सुरक्षित)... मधेपुरा... सोनवर्षा (सुरक्षित)... सहरसा... सिमरी बख्तियारपुर आओर महिषी शामिल अछि.

ई 47 सीट पहिने 48 सीट छल. मुदा परिसीमन मे मधेपुर विधानसभा क्षेत्र खत्म करि देल गेल. पिछला विधानसभा चुनाव के हिसाब सं देखल जाए त एहि ठाम जेडीयू- बीजेपी नीक हालत मे अछि. ओहि हिसाब सं नीतीश जीक पास 47 मे सं बीजेपी के मिलाsक 33 सीट छनि... जेडीयू के 20 आओर बीजेपी के 13 सीट छल एहि इलाका सं... पांच सीट आरजेडी... चारि सीट कांग्रेस आओर बाकी दोसर के पास छनि. बिस्फी के निर्दलीय विधायक हरिभूषण सिंह ठाकुर एहि बेर जेडीयू सं ठाड़ छथिन्ह.

आरजेडी के लेल झटका के बात ई अछि कि एक त मधेपुर सीट नहि रहल दोसर रूपौली के आरजेडी विधायक बीमा भारती जी एहि बेर जेडीयू टिकट पर ठाड़ छथीह. एकरे संग पूर्व मंत्री तस्लीमुद्दीन के सुपुत्र सेहो पार्टी छोड़ जेडीयू सं मैदान मे छथिन्ह. दू टा एमएलए के दोसर पार्टी सं लड़नाए लालू जीक लेल बड़का चुनौती छनि. एकर भरपाई के लेल ओ दिन राति एक कएने छथिन्ह.

कांग्रेस एहि बेर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. बिहार मे लालू-राबड़ी राज सं पहिने कांग्रेस के मिथिला मे नीक स्थिति छल. खासकर मधुबनी...दरभंगा मे. मैथिल ब्राह्मण मे नीक पैठ छल पार्टी के. पहिल चरण मे मधुबनी मे चुनाव भ रहल अछि. आब देखय के अछि जे कांग्रेस अपन पुरान कैडर के वापस लाबय मे कामयाब रहैत अछि कि नहि?

ओना कांग्रेस एहि बेर सोनिया गांधी... राहुल गांधी...मनमोहन सिंह सं लsक अपन सभ केंद्रीय नेता आओर पैघ नेता के प्रचार मे उतारि देलक. कांग्रेस जी-जान लगौने अछि एहि बेरक चुनाव मे. कांग्रेस टिकट बांटय मे सावधानी बरतैत अल्पसंख्यक उम्मीदवार के सेहो नीक टिकट देने अछि. मुदा एकर नुकसान नीतीश जी सं बेसि लालू यादव जीके उठाबय पड़तन्हि.

लालू जी सेहो पिछड़ा आओर मुस्लिम उम्मीदवार सभ के उतारने छथिन्ह. मुदा एहि के काट के लेल नीतीश जी सेहो अति पिछड़ा... महादलित कार्ड खेलने छथिन्ह. भने एहि बेरक चुनावी लड़ाई मे विकासक मुद्दा छाएल अछि मुदा जाति समीकरण... माई समीकरण... अगड़ा...पिछड़ा... महादलित सभ सेहो अपन-अपन ठाम कायम अछि.

कई ठाम त एहन अछि जे नीतीश जीक खिलाफ आरजेडी आओर कांग्रेस दूनु मुस्लिम उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. एहि सं मुस्लिम वोट बंटि सकैत अछि. लालू जीके एकर नुकसान भ सकय छनि. आ फेर ई होएत जे जीतय वाला उम्मीदवार के संकेत मिलला पर ओम्हर वोटर के एकजुटता भ जाए. ओना चुनाव सं पहिले कि कहल जाए. वोट गिनति भेलाह के बादे किछ कहल जा सकय अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...