नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला मे कि होएत?

बिहार मे विधानसभा चुनाव के लेल पहिल चरण मे जेहि 47 सीट पर वोटिंग भ रहल अछि ओ मिथिलाक इलाका अछि. एहि मिथिला क्षेत्र मे कोसीक

बाढ़ि वाला इलाका सेहो शामिल अछि. ई सीट आठ जिला मधुबनी... अररिया... सुपौल... किशनगंज... पूर्णिया... कटिहार... सहरसा आओर मधेपुरा मे फैलल अछि. मिथिलाक आओर सीट पर अगिला चरण मे वोट पड़त.

अगर सैंतालीसों सीट के हिसाब सं देखल जाए त पहिल चरण मे हरलाखी... बेनीपट्टी... खजौली... बाबूबरही... बिस्फी... मधुबनी... राजनगर (सुरक्षित)... झंझारपुर... फुलपरास... लौकहा... निर्मली... पिपरा... सुपौल... त्रिवेणीगंज (सुरक्षित)... छातापुर... नरपतगंज... रानीगंज (सुरक्षित)... फारबिसगंज... अररिया... जोकीहाट... सिकटी... बहादुरगंज... ठाकुरगंज... किशनगंज... कोचाधामन... अमौर... बायसी... कसबा... बनमनखी (सुरक्षित)... रूपौली... धमदाहा... पूर्णियां... कटिहार... कदवा... बलरामपुर... प्राणपुर... मनिहारी (सुरक्षित)... बरारी... कोढ़ा (सुरक्षित)... आलमनगर... बिहारीगंज... सिंहेश्वर (सुरक्षित)... मधेपुरा... सोनवर्षा (सुरक्षित)... सहरसा... सिमरी बख्तियारपुर आओर महिषी शामिल अछि.

ई 47 सीट पहिने 48 सीट छल. मुदा परिसीमन मे मधेपुर विधानसभा क्षेत्र खत्म करि देल गेल. पिछला विधानसभा चुनाव के हिसाब सं देखल जाए त एहि ठाम जेडीयू- बीजेपी नीक हालत मे अछि. ओहि हिसाब सं नीतीश जीक पास 47 मे सं बीजेपी के मिलाsक 33 सीट छनि... जेडीयू के 20 आओर बीजेपी के 13 सीट छल एहि इलाका सं... पांच सीट आरजेडी... चारि सीट कांग्रेस आओर बाकी दोसर के पास छनि. बिस्फी के निर्दलीय विधायक हरिभूषण सिंह ठाकुर एहि बेर जेडीयू सं ठाड़ छथिन्ह.

आरजेडी के लेल झटका के बात ई अछि कि एक त मधेपुर सीट नहि रहल दोसर रूपौली के आरजेडी विधायक बीमा भारती जी एहि बेर जेडीयू टिकट पर ठाड़ छथीह. एकरे संग पूर्व मंत्री तस्लीमुद्दीन के सुपुत्र सेहो पार्टी छोड़ जेडीयू सं मैदान मे छथिन्ह. दू टा एमएलए के दोसर पार्टी सं लड़नाए लालू जीक लेल बड़का चुनौती छनि. एकर भरपाई के लेल ओ दिन राति एक कएने छथिन्ह.

कांग्रेस एहि बेर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. बिहार मे लालू-राबड़ी राज सं पहिने कांग्रेस के मिथिला मे नीक स्थिति छल. खासकर मधुबनी...दरभंगा मे. मैथिल ब्राह्मण मे नीक पैठ छल पार्टी के. पहिल चरण मे मधुबनी मे चुनाव भ रहल अछि. आब देखय के अछि जे कांग्रेस अपन पुरान कैडर के वापस लाबय मे कामयाब रहैत अछि कि नहि?

ओना कांग्रेस एहि बेर सोनिया गांधी... राहुल गांधी...मनमोहन सिंह सं लsक अपन सभ केंद्रीय नेता आओर पैघ नेता के प्रचार मे उतारि देलक. कांग्रेस जी-जान लगौने अछि एहि बेरक चुनाव मे. कांग्रेस टिकट बांटय मे सावधानी बरतैत अल्पसंख्यक उम्मीदवार के सेहो नीक टिकट देने अछि. मुदा एकर नुकसान नीतीश जी सं बेसि लालू यादव जीके उठाबय पड़तन्हि.

लालू जी सेहो पिछड़ा आओर मुस्लिम उम्मीदवार सभ के उतारने छथिन्ह. मुदा एहि के काट के लेल नीतीश जी सेहो अति पिछड़ा... महादलित कार्ड खेलने छथिन्ह. भने एहि बेरक चुनावी लड़ाई मे विकासक मुद्दा छाएल अछि मुदा जाति समीकरण... माई समीकरण... अगड़ा...पिछड़ा... महादलित सभ सेहो अपन-अपन ठाम कायम अछि.

कई ठाम त एहन अछि जे नीतीश जीक खिलाफ आरजेडी आओर कांग्रेस दूनु मुस्लिम उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. एहि सं मुस्लिम वोट बंटि सकैत अछि. लालू जीके एकर नुकसान भ सकय छनि. आ फेर ई होएत जे जीतय वाला उम्मीदवार के संकेत मिलला पर ओम्हर वोटर के एकजुटता भ जाए. ओना चुनाव सं पहिले कि कहल जाए. वोट गिनति भेलाह के बादे किछ कहल जा सकय अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु