Skip to main content

कॉमनवेल्थ गेम्स: विद्यापति संगीत

कॉमनवेल्थ गेम्स के अवसर पर अहां दिल्ली मे मैथिली गीतनाद के आनंद सेहो उठा सकय छी. संगीत नाटक अकादमी एहि दौरान 4 सं 13 अक्तूबर तक देश पर्व मना रहल अछि. जेहि मे भारतीय संगीतक मुख्य प्रादेशिक परंपरा खंड मे बिहारक विद्यापति संगीतक प्रस्तुति होएत. विद्यापति संगीत के पेश करताह मशहूर मैथिली लोकगायक कुंज बिहारी मिश्र जी.

गायन मे कुंज बिहारी मिश्र जीक संग देथिन्ह गोविन्द बिहारी मिश्र आओर चंद्र मोहन मिश्र जी. एहि के संग वाद्ययंत्र झल्लर पर सज्जन कुमार मिश्र... पखावज पर परशुराम सिंह...ढोलक पर अशोक यादव...मंजीरा पर मिथिलेश मंडल आओर तानपुरा पर अरुण कुमार मल्लिक संगत करथिन्ह. हिनकर कार्यक्रम करीब घंटा भरि चलत.

संगीत नाटक अकादमी के ई कार्यक्रम विद्यापति जीक नाम पर छनि ताहि लेल एहि मे हुनकर रचित जय जय भैरवि... उगना रे मोर कतए गेलाह... चानन भेल विषम... आजू नाथ एक व्रत प्रस्तुति सुनय लेल मिल सकैत अछि. कुंज बिहारी मिश्र जी अपन ग्रुप के संग अखन जोर -शोर सं एकर तैयारी मे लागल छथिन्ह.

कुंज बिहारी जी मैथिलीक लोकप्रिय गायक छथिन्ह. हिनकर कार्यक्रम देश भर मे होएत रहय छनि. हिनका कइटा अवार्ड सेहो मिलल छनि. हालहिं मे हिनका नेपालक उपराष्ट्रपति परमानन्द झा जीक हाथ सं मिथिला गौरव के सम्मान प्राप्त भेलन्हि. एहि सं पहिने मिश्र जी मिथिला रत्न सं सेहो सम्मानित भ चुकल छथिन्ह.
कुंज बिहारी मिश्र जी मधुबनी जिलाक जगतपुर वरैयाटोल के स्व. रामनंदन मिश्र जीक सुपुत्र छथिन्ह. शुरू मे अपन पिताजी सं संगीतक शिक्षा ग्रहण क बाद मे मशहूर ध्रुपद गायक श्री रामचतुर मल्लिक जी सं संगीतक शिक्षा प्राप्त करलखिन्ह. हिनकर कइटा कैसेट सेहो निकलल छनि जेहि मे सुबहक सुधि... शिव के नचारी... सिनोहिया...राम विवाह प्रसंग प्रमुख अछि.

कुंज जीके विद्यापति गायन मे महारत हासिल छनि...आओर दिल्ली वाला हिनकर विद्यापति संगीत कार्यक्रम मेघदूत थियेटर मे होएत. ई कार्यक्रम दिन मे 11 बजे शुरू भ जाएत. अगर कार्यक्रम के लाभ उठाबय चाहैत छी त समय पर पहुंच जाएब... आओर कोशिश करब जे अपना संग कम सं कम सामान ल जाए. आई-काल्हि खेल के लsक विशेष सतर्कता बरतल जा रहल अछि.

मेघदूत थियेटर मंडी हाउस मेट्रो स्टेशन के पास कॉपरनिकस मार्ग पर रवीन्द्र भवन मे अछि. कार्यक्रम के लेल कोनो टिकट नहि अछि. कार्यक्रम के बारे मे कोनो जानकारी अहां संगीत नाटक अकादमी सं 011- 65152243 आओर 23382059 पर ल सकय छी.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...