Skip to main content

केवटी सं के ?

हमर गाम आओर विधानसभा क्षेत्र केवटी मे 24 अक्तूबर के वोट पड़य वाला अछि. परिसीमन के बाद एकर चुनाव क्षेत्र मे किछ बदलाव आएल अछि. ओना त जिला दरभंगा अछि मुदा परिसीमन के बाद लोकसभा क्षेत्र मधुबनी मे आबि गेल अछि.

केवटी सं अखन अशोक कुमार यादव विधायक छथिन्ह. बीजेपी विधायक अशोकजी पूर्व केंद्रीय मंत्री हुकुमदेव नारायण यादव जीक के सुपुत्र छथिन्ह. 38 साल के अशोक जी तेसर बेर विधायक बनय चाहय छथिन्ह.

अशोक जीक मानल जाए त हुनकर कहनाय छनि कि पिछला विधानसभा चुनाव के दौरान ओ जतेक वादा कएने छलखिन्ह ओकरा करीब-करीब पूरा करि देने छथिन्ह. सिंघवाड़ा मे 34 करोड़ रुपया सं पुल बनएलाह...महम्मदपुर मे सेहो पुल बनि रहल अछि. दूटा पुल लाइन मे अछि.

मौजूदा एमएलए साहब के इहो कहनाय छनि जे कइटा दोसर काज के संग ओ 30 बेडवाला एकटा पीएचसी आओर दोसर 12 प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के लेल मंजूरी ल लेने छथिन्ह. हिनकर कहनाय छनि जे एहि बेर पार्टी के स्थिति पिछला बेर सं बेसि मजबूत अछि.

केवटी असेम्बली क्षेत्र मे यादव वोट करीब पचास हजार अछि. अशोक जी यादव वोट के संग अगिड़ा-पिछड़ा दूनु वोट मिलय के उम्मीद करि रहल छथिन्ह. हिनका मुस्लिम वोट बंटय के फायदा सेहो मिल सकय छनि.

केवटी विधानसभा क्षेत्र मे हिनकर मुकाबला मुख्यरुप सं आरजेडी के फराज फातमी आओर कांग्रेस के मो. मोहसीन जी सं छनि. फराज फातमी पूर्व केंद्रीय मंत्री मो. अली अशरफ फातमी जीक सुपुत्र छथिन्ह. चुनाव के लsक फराज जी उत्साह सं भरल छथिन्ह.

28 साल के युवा चेहरा फराज फातमी जीके चुनाव मे जीताबय के लेल फातमी जी खुद दिन-राति एक कएने छथिन्ह. फराज अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय... एएमयू सं डॉक्टर छथिन्ह. मुस्लिम बहुल केवटी मे जीत के उम्मीद करय छथिन्ह.

फातमी जीक उत्साह पर पानि फेर सकैत अछि कांग्रेस. कांग्रेस सं उम्मीदवार मो. मोहसीन हिनका लेल वोटकटवा साबित भ सकय छथिन्ह. हिनका संग 6 टा दोसर आओर मुस्लिम उम्मीदवार ठाड़ छथिन्ह.

अगर केवटी विधानसभा क्षेत्र के वोटिंग परसेंटेज के हिसाब सं देखय जाए त बेसि वोट पड़ला पर मुस्लिम उम्मीदवार के जीतय के उम्मीद रहय छनि. मतदान के प्रतिशत कम रहला पर एहि ठाम सं दोसर उम्मीदवार जीत सकैत अछि.

अगर 1977 के विधानसभा चुनाव सं देखय जाए त एहि साल 53.52 फीसदी वोट पड़ल जेहि सं दुर्गादास राठौर जी चुनाव जीतय मे कामयाब रहला. मुदा एहि के बाद 1980 मे मतदान प्रतिशत बढ़ि क 68.16 भेलाह पर कांग्रेस के शमाएले नबी जीतलाह.

एहिना 1985 मे वोटिंग परसेंट 59.45 रहलाह पर कांग्रेस के प्रो. कलीम अहमद जीतलाह. 1990 मे ई प्रतिशत बढ़ि क 67.30 भ गेल आओर जनता दल के गुलाम सरवर जी चुनाव जीतलाह. 59.66 वोटिंग भेलाह पर सरवर जी 1995 मे फेर जीत गेलाह.

सन 2000 मे गुलाम सरवर आरजेडी सं लड़लाह. मुदा एहि बेर फेर भारी मतदान 68.93 फीसदी होए के कारण ओ जीतए मे कामयाब रहलाह. गुलाम सरवर जी लालू-राबड़ी सरकार मे विधानसभा अध्यक्ष आओर मंत्री सेहो रहलाह.

मुदा फरवरी 2005 आओर अक्तूबर 2005 के चुनाव मे वोटिंग कम होए के कारण अशोक कुमार यादव जीतय मे कामयाब रहलाह. फरवरी 2005 मे 41.91 मतदान भेल जखन कि अक्तूबर 2005 मे 41.50 प्रतिशत.

एहि सं कहल जा सकैत अछि जे अगर मुस्लिम वोट के बंटवारा नहि भेल आओर भारी मतदान भेल त फराज फातमी आ फेर मो. मोहसीन आगां निकलि सकय छथिन्ह. मुदा मतदान प्रतिशत कम रहल त अशोक जी के राह आसान भ जएतन्हि.

ओना ई अखन तक चलय आबि रहल परिपाटी के मुताबिक अछि. आगां सेहो एहिना होएत नहि कहल जा सकैत अछि. एहि मे बदलाव सेहो भ सकैत अछि. गुप्त मतदान मे मतदाता एक तरह सं राजा होएत अछि. जिनका वोट पर मोहर लगा देथिन्ह एमएलए बना देथिन्ह.

(फोटो सौजन्य: मैप्स ऑफ इंडिया)

-:केवटी सं ठाड़ उम्मीदवार के नाम:-
अशोक कुमार यादव- बीजेपी
फराज फातमी-आरजेडी
मो मोहसीन- कांग्रेस
मो एम. इस्लाम- निर्दलीय
मधु रंजन प्रसाद- बीएसपी
रामबाबू साहू- सीपीआईएमएल
बालकृष्ण झा- निर्दलीय
नजरे आलम- निर्दर्लीय
वसी अहमद खान- निर्दलीय
निसार अहमद- निर्दर्लीय
मो सदरे आलम- निर्दर्लीय
मो जुनैद सत्तार- निर्दलीय

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर