Skip to main content

Posts

Showing posts from July, 2010

मिथिलाक शादी मे रंगदारी !

मिथिला मे शादी टैक्स... डोली टैक्स...अछि न एकदम सं अजगुत समाचार. काल्हि राति हमहुं एकटा चैनल पर अपन मिथिलाक एहन खबर देखि दंग रहि गेलौं. कटिहार के मनिहारी थाना क्षेत्र मे एहन अछि. दुनिया भर के गप तं छोडु अपन मिथिलाक लोक मेहमान के आईओ-काल्हुक युग मे भगवान सं कम नहि मानय छथिन्ह... आओर ओहुं मे जमाय... पाहुनक गप होए तं पूरा गाम हुनकर आदर-सत्कार मे लागल रहय छथिन्ह. गाम-घर मे कोनो टोल मे... किनको घर मे शादी-विवाह होए. सभ लोक लड़की वाला के जमि कs मदद करय छथिन्ह. मेहमानक आवभगत मे कोनो कमी नहि छोड़य छथिन्ह. लोक के कोशिश रहय छनि जे पाहुन गाम सं गेलाह के बाद सदिखन आवभगत के याद रखथिन्ह. लोक के कोशिश रहय छनि जे अपने भने बिका जाए... मेहमान के कोनो कष्ट नहि होए. अपने भने भूखा रहि जाए... मुदा पाहुन के तरुआ-तरकारी जरूर होबाक चाही. एहि के लेल लोक जमीन... खेत तक बेच देय छथिन्ह...भरना राखि देय छथिन्ह. मुदा सत्कार मे कोनो कमी नहि होए देय छथिन्ह. एहन मे कटिहार जिलाक मनिहारीक खबर सुनि ठेस लागल. खबर मे ई रहय जे गामक कोनो घर सं तखन धरि कोनो डोली नहि उठैत अछि जखन धरि गामक रंगदार सभ के मुर्गा-भात...ताड़ी-दारु के ...

क्षमायाचना...

काल्हि प्रेसक्लब मे पुष्कर पुष्प जी आओर अमरेश झा जी सं गप होएत छल. गप के क्रम मे हेलो मिथिलाक बारे मे बात होए लागल... पुष्कर जी कहलाह जे अहांक हेलो मिथिला मे जे फ्रेंडफाइंडर के विज्ञापन लागल अछि... ओहि पर राति मे कहिओ-कहिओ खराब फोटो आबि जाइत अछि. ई सुनि हम सन्न रहि गेलहुं. अमरेश जी सेहो कहलाह जे हां भैया एहन तं अछि. हम कहलएन्हि... तं पहिने किएक नहि बतएलौं... तं हुनकर कहनाय छलन्हि जे हमरा लागल जे जखन अहां खुद लगौने छी तं अहांके पता होएत...आ फेर कोई ब्लॉग हैक कs लेने होएत. तखन हम कहलएन्हि कि तखनो बतएबाक चाह छल. ई सुनाला के बाद प्रेस क्लब मे मोन नहि लागल... सीधा डेरा पर भागलौं आ सभ सं पहिने हेलो मिथिला... मस्त गाने आओर मुस्कुराहट पर सं फ्रेंडफाइंडरक सभ लिंक हटएलौं. एहि के कारण अहां सभ के जे कष्ट भेल होएत... ओकरा क्षमा करैत... सभ किछ बिसरि फेर सं पहिनहि जकां अपन स्नेह दैत रहबय. असल मे आई-काल्हि ऑर्कुट... फेसबुक... हाई 5...फ्रेंडफाइंडर तरहक कइटा नेटवर्किंग साइट अछि... ओहि मे हमरा फ्रेंडफाइंडर विज्ञापनक लिंक हाथ लागल तं लगा देलौं. जेहि सं कि ब्लॉग किछ भरल-भरल लागय... नीक सेहो लागय... मुदा पु...

कतहुं बाढि कतहुं सूखा

मानसून आएल मुदा बिहारक जमीन सूखले रहि गेल. जेहि सावन मे गाम-घर....बाध-वन... खेत-खलिहान पानि सं डूबल रहैत छल...आई काल्हि सावन मे ओ जमीन सूखल अछि. खेत पानि के बिना फांटि रहल अछि. पानि नहि होए के कारण धान के रोपनी नीक सं नहि भs पाएल. लोक सभ माथा पर हाथ दs आकाश दिस ताsकि रहल छथिन्ह जे हे इंद्र भगवान कोनो तरहे कृपा करिऔं. एहि बेर त एहन अछि जे जतेक पानि होएत अछि ओकर आधो नहि भेल अछि. भीषण गर्मी सं पोखर–डबरा सभ सूखा रहल अछि. किसान भाई सभ के मुंह पर पपरी जमल जा रहल छनि. राज्य मे एहि हाल के देखि सरकार सेहो परेशान अछि. चुनाव के समय अछि... लोक परेशान तं ओकर असर सरकार पर पड़ि सकैत अछि. सभ जिला के अधिकारी सभ सं सूखा के बारे मे रिपोर्ट मांगल गेल अछि. कहल जा रहल अछि जे 38 मे सं 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल जा सकैत अछि...एहि पर विचार चलि रहल अछि.   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Ko...

नीतीश मैथिली विरोधी: कांग्रेस

कांग्रेस पार्टी के कहनाय अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मैथिली विरोधी छथि. कांग्रेस नेता प्रेमचंद मिश्र जीक कहनाय छनि जे चुनाव करीब देखि नीतीश जीके मैथिली आओर विद्यापति जीक याद अएलन्हि.  प्रेमचंद मिश्र जीक आरोप छनि जे अगर एहन नहि छनि तं ओ मैथिली के सिलेबस सं हटाकs ऐच्छिक विषयक सूची मे किएक डालि देलखिन्ह. संगहि संग मैथिली के हटाकs हिन्दी आओर उर्दू के संग बंगला के अप्रैल 2008 मे मातृभाषा के रूप मे शामिल  किएक  करि देलखिन्ह. जखन कि बिहार मे बंगला ओर मैथिली बोलय वाला केर संख्या मे जमीन- आसमानक अंतर अछि. असल मे मुख्यमंत्री नीतीश जीक मधुबनी आओर बिस्फी मे कार्यक्रम छनि. नीतीश जी मधुबनी मे थाना चौक के पास विद्यापति टावर के उद्घाटन करथिन्ह... एहिठाम सं मुख्यमंत्री जी बिस्फी जएताह जेहिठाम विद्यापति डीह पर ओ एकटा सांस्कृतिक कार्यक्रम मे शामिल होताह. चुनाव के करीब देखि सरकार के मैथिली आओर विद्यापति याद आएल अछि. देखल जाए तं कांग्रेसो के कहनाय बेजाए नहि अछि . हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, j...

राष्ट्रीय जनता दल नहि रहल राष्ट्रीय...

लालू प्रसाद यादव जीक राष्ट्रीय जनता दल...आरजेडी आब राष्ट्रीय पार्टी नहि रहल. चुनाव आयोग एकर राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे मान्यता समाप्त करि देलक अछि. ओना सिर्फ आरजेडीsटा नहि पांचटा आओर पार्टी के मान्यता खत्म करि देल गेल अछि.   लालू जी के ई झटका बिहार चुनाव सं ठीक पहिने लागल अछि. ओना एकर बिहार चुनाव पर कोनो खास असर नहि पडबाक चाही. किएक तं लालटेन पार्टी के चुनाव चिन्ह बनल रहत. मुदा पार्टी के राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे जे सुविधा मिलैत छल ओ नहि मिलतन्हि हुनका. राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे चुनाव के समय आकाशवाणी आओर दूरदर्शन पर जे प्रचार के समय मिलैत अछि से नहि मिलतैन्हि...आओर वोटर लिस्ट के लेल पाई सेहो देबय पडतन्हि. असल मे राष्ट्रीय पार्टी के दर्जा पाबय लेल कम सं कम चारि राज्य मे पार्टी राज्यस्तरीय दर्जा होबाक चाही... संगहि संग पार्टी के कुल वोटक कम सं कम छह प्रतिशत वोट मिलबाक चाही. मुदा बिहार के संग झारखंड...मणिपुर आओर नगालैंड मे भेल पिछला चुनाव मे पार्टी के प्रदर्शन स्तरीय नहि रहल. जेहि कारण चुनाव आयोग राष्ट्रीय पार्टी के दर्जा खत्म करि देलक.      हमर ईमेल:-hellomith...

बीमार कांग्रेस आओर डॉक्टर राहुल...

कांग्रेस बिहार मे बीमार अछि. ई हम आ कांग्रेस के कोनो विरोधी पार्टी के नहि कहनाय अछि... खुद कांग्रेस ऐना मानैत अछि. कांग्रेस के सीनियर नेता छथिन्ह सलमान खुर्शीद जी... ओ केंद्र मे अल्पसंख्यक मामला के मंत्री सेहो छथिन्ह. हुनकर साफ कहनाय छनि जे कांग्रेस बिहार मे बीमार अछि... मुदा पार्टी के एकटा नीक डॉक्टर मिल गेल छनि राहुल गांधी जी. सलमान जीक कहनाय छनि जे राहुल जीक दवा सं हुकहुकाएत कांग्रेस के नवका प्राण मिलत...पार्टी मे नवका जान आएत. पार्टी के माननाय अछि जे राहुल गांधी के कारण बिहार मे पार्टी एहि बेरक चुनाव मे नीक प्रदर्शन करत. पिछला किछ दिन सं राहुल गांधी जी मिशन बिहार मे जोर-शोर सं जुटल छथि. हुनकर टीम बिहार के नजर राज्य चुनाव पर लागल अछि. पार्टी कोनो तरहे एहि स्थिति मे आबय के कोशिश करि रहल अछि जेहि सं चुनाव बाद जोड़-तोड़...मोलभाव के स्थिति मे होए. पार्टी काफी दिन सं बिहारक कुर्सी सं बाहर अछि. लालू-राबड़ीजीक बाद नीतीश जी कुर्सी पर जमल छथिन्ह... कांग्रेस के कोशिश अछि जे अगर एहि बेर नीक सं पूरा जोर लगा चुनाव लड़ल जाए तं पार्टी के नीक सीट मिल सकैत अछि अगर बेसि सीट नहिओ मिलय त वोट प्रतिशत ...

हाई स्कूल मे मिड-डे मील !

हाई स्कूल मे मिड-डे मील... ई खबर देख अचरज भेल. मिड-डे मील तं सिर्फ प्राइमरी आओर मिडिल स्कूल के लेल छल. पूरा खबर देखलौं तं पता लागल जे नियंत्रक महालेखा परीक्षक...कैग के रिपोर्ट मे खुलासा भेल अछि जे पिछला वित्तीय वर्ष 2009-2010 मे हाई स्कूल के 38 लाख 80 हजार 200 विद्यार्थी के मिड-डे मील देल गेल. स्कूल मे पकल-पकाएल खाना देल गेल. आब लोक सभ सेहो हैरान छथिन्ह जे ई केना भेल... जखन कि हाई स्कूल के लेल ई स्कीम अछिए नहि... आओर हुनकर कोनो हाईस्कूली बालक के स्कूल मे खाना देले नहि गेल. एहि सं विपक्ष के बैसल-बैसाएल मुद्दा हाथ लगि रहल अछि. जे नीतीश कुमार पांच साल धरि पाक-साफ रहलाह... चुनाव आबैत-आबैत दस तरहक आरोप सं घिर रहल छैथि. किछ दिन पहिने तक नीतीश जी विकास यात्रा... विश्वास यात्रा सं लोक के भरोस दैत छलखिन्ह. ई सभ देख लोकक भरोस डोलि रहल छनि. ई भs सकैत अछि जे एहि मे नीतीश जीक कोई लेना-देना नहि होए मुदा जे भs रहल अछि ओकर दायित्व तं हुनका लेबहे पड़तन्हि. लोक के कहनाय छनि जे अफसर पर बेसि् भरोस करनाय के कारण ई भेल अछि. एहि सं पहिने के रिपोर्ट मे कहल गेल जे 11 हजार करोड़ सं बेसि के बिल जमा नहि अछि. खर्च...

छोट राज्य नहि स्थानीय नेता चाही

आशीष झा समाज जखन भावनाक धार मे बहैत अछि, त ओकर दृष्टि बहुत सीमित आ संकुचित भ जाइत अछि। एहन मे समाज मे रहनिहार विद्वान कए सेहो दूर तक नहि देखबा स वंचित भ जाइत छथि। कहनो-कहनो ओ एहन समूहक संग एहन फैसला लेल मांग उठा दैत छथि, जे आगू चलि कए समाज लेल विनाशकारी साबित होइत अछि। किछु एहने आइ-काल्हि देश मे भ रहल अछि। बिहार कए बांटि कए मिथिला राज्य बनेबा लेल लगातार मांग भ रहल अछि। इ मांग नव नहि अछि, मुदा तेलंगाना कए केंद्र स सकारनत्मक उत्तर भेटलाक बाद देश मे कुल नौ- दस टा नव राज्यक मांग तेज भ गेल। एहि राज्य क गठन क मांगक पाछु मंशा जे हुए, मुदा कारण सब विकास बता रहल अछि। छोट राज्यक गठनक लेल सबस पैघ आधार बनल विकास आइ बहस क मुद्दा बनि गेल अछि। हमर विरोध छोट राज्यक गठन स नहि अछि, मुदा सवाल उठैत अछि जे की छोट राज्य विकास क पर्याय अछि। निश्चित रूप स एकर सर्वमान्य उत्तर नहि अछि। केंद्र सरकार 11 दिसंबर, 2009 कए जखन आंध्रप्रदेश स अलग तेलंगाना राज्य बनेबाक मांग कए स्वीकृति देलक, त तेलंगानावासी कए लगल जे हुनकर पुरान सपना आब सच भ रहल अछि। अलग राज्य बनला पर ओ आब अपन संग भ रहल बेमा...

कांग्रेस हमर आदर्श कहियो नहि रहल: लालू

दरभंगा । राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद कहला अछि जे कांग्रेस हुनकर आदर्श कहियो नहि रहल, मुदा फिरकापरस्त ताकत कए केन्द्र क सत्ता स अलग रखबा लेल ओ कांग्रेस क संग देलथि। स्थानीय राज मैदान मे राजद आ लोक जनशक्ति पार्टी क संयुक्त रैली कए संबोधित करैत कहला जे केन्द्र मे कांग्रेस सरकार बनेबा मे सहयोग करनिहार 80 प्रतिशत अल्पसंख्यक आइ अपना कए छलबा स दुखीं छथि। हुनकर विकास क लेल बनाउल गेल सच्चर कमेटी, रंगनाथ मिश्रा कमेटी आ फातमी कमेटी क अनुशंसा आइ धरि लागू नहि भ सकल अछि। जाहि स आब हुनकर मोह कांग्रेस स टूटि गेल अछि। ओ दावा केलथि जे अल्पसंख्यक क भला राजद आ लोजपा कए छोडि किया नहि करि सकैत अछि। राजद अध्यक्ष कहला जे नीतीश कुमार सरकार शिक्षक बहाली क नव नियमावली बनाकए उर्दू शिक्षक क संग विश्वासघात केलक अछि। महिला विधेयक क चर्चा करैत ओ कहला जे कांग्रेस महिला क नाम पर मुसलमान कए सियासत स बाहर करबाक साजिश करि रहल अछि। ओ कमड़तोड़ महंगाई क लेल केन्द्र क कांग्रेस सरकार क संग-संग बिहार क नीतीश कुमार क सरकार कए सेहो दोषी करार देलथि। लालू कहलथि जे बिहार मे लोक भूख स मरी रहल अछि आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पंच...

मिथिला राज्य कतेक सार्थक !!

-कुसुम ठाकुर - ओना तs हमर स्वभाव अछि हम नहि लोक के उपदेश दैत छियैक आ नहि अपन मोनक भावना लोकक सोझां में प्रकट होमय दैत छियैक  । हम सुनय सबकेर छियैक मुदा हमरा मोन में जे ठीक बुझाइत अछि ओतबा धरि करैत छियैक। एकर परिणाम इ होइत अछि जे हमरा सलाह देबय वाला केर कमी नहि छैक। सब के होइत छैन्ह जे ओ जे कहताह कहतिह से हम अवश्य मानि लेबैन्ह ।अपन अपन भावना केर हमरा पर थोपय के कोशिश बहुत लोक करय छथि। परोपदेश देनाइयो आसान होइत छैक । मुदा हमर भलाई केर विषय में के सोचि रहल छथि इ ज्ञान तs हमरा अछि ।  मुदा दोसराक विचार सुनालाक किछु फायदा सेहो छैक। लोकक विचार सुनि अपन विचार व्यक्त करय में आसानी होइत छैक आ आत्म विशवास सेहो बढैत छैक।   एकटा कहबी छैक "कोठा चढ़ी चढ़ी देखा सब घर एकहि लेखा " सब ठाम कमो बेसी एके स्थिति छैक, मुदा दोसरा केर विषय में कम बुझय में, आ देरी सs बुझय में आबैत छैक, अपन तs लोक के सबटा बुझल रहैत छैक। पारिवारिक हो सामाजिक हो वा देशक, सब ठाम आपस में विचार में मतान्तर होइत रहैत छैक जे कि मनुष्य मात्र के लेल स्वाभाविक छैक आ हेबाक सेहो चाहि । जखैन...

Ajit Anjum - GOENKA AWARD VIDEO

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

मिथिलांचलक पत्रकार के रामनाथ गोयनका अवार्ड

मिथिलांचल के लेल नीक खबर अछि. मिथिलांचलक बेटा-बेटी के पत्रकारिताक सभसं पैघ सम्मान मे सं एक रामनाथ गोयनका अवार्ड सं सम्मानित कएल गेलन्हि.  संयोग एहन जे दूनु पति-पत्नी सेहो छथिन्ह.  दूनु छथिन्ह न्यूज़ 24 चैनलक अजित अंजुम जी आओर आउटलुक पत्रिकाक गीताश्री जी.  अजीत जी बेगूसराय सं छथिन्ह जखन कि गीताश्री जी मुजफ्फरपुर सं.  अजीत जीके ब्राडकास्ट कैटगरी मे पॉलिटकल रिपोर्टिंग के लेल... जखन कि गीताश्री जीक हिंदी पत्रकारिताक प्रिंट कैटगरी मे सम्मानित कएल गेलन्हि. अजीत अंजुम जीक नाम मीडिया सर्किल के लेल जानल पहचानल नाम छनि.  अजीत जी न्यूज 24 चैनल मे छथिन्ह.  ई चैनल अनुराधा प्रसाद जीक छनि... जे कांग्रेस नेता आओर वरिष्ठ पत्रकार राजीव शुक्ला जीक पत्नी छथीह. बिहारक अनुराधा जी बीजेपी नेता रविशंकर प्रसाद जीक बहिन सेहो छथीह. हिनकर प्रोडक्शन ग्रुप के नाम छनि बीएजी. अजीत अंजुम जी बीएजी सं 15 साल सं बेसि सं जुड़ल छथिन्ह. आओर हिनका बारे मे कहल जाए छनि जे अजीत जी जेहि प्रोग्राम मे हाथ लगा दैत छथिन्ह ओ हिट भs जाएत अछि. अजीत जी बीएजी के लेल जतेक कार्यक्रम बनएलखिन्ह टीआरपी ...

पवन के नजर मे बिहारक मारिपीट…

आई के पटना हिन्दुस्तान मे पवन के एकटा नीक कार्टून छपल अछि. एहि मे काल्हि बिहार विधानसभा मे भेल मारिपीट पर नीक कमेंट कएल गेल अछि. उम्मीद अछि अहां के सेहो पसंद आएत . हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कि ममता के रेलमंत्री बनल रहबाक चाही?

ममता बनर्जी जेहिआ सं रेलमंत्री बनलीह तेहिआ सं रेल दुर्घटना मे करीब 250 लोक मारल जा चुकल छथि. 15 मास मे 250 लोक कम नहि होएत अछि. रेल मंत्रालय सं बेसि टाइम हुनकर पश्चिम बंगालक राजनीति मे गुजरय छनि. हुनकर नजर रायटर्स बिल्डिंग पर लागल छनि. अगर एतबे छनि तं ओ रेलमंत्री पद छोड़ि किएक नहि छथीह? मनमोहन सरकार के सेहो मजबूरी जे हुनका किछ कहि नहि सकैत छथिन्ह. अगर एतबे मजबूरी छनि तं बिना विभाग के मंत्री बना देथुन्ह जेना कि तरुण विजय जीक कहनाय छनि. लालूजी ओर पासवान जी सेहो कहलखिन्ह जे ममता जी या त रेल मंत्रालय पर ध्यान देतीह या पश्चिम बंगाल पर. अपन राजनीति के कारण ओ लोक के बलि पर किएक चढाबय छथिन्ह. लालूजी कहलखिन्ह जे जेहिआ सं ममता जी रेलमंत्री बनलीह तेहिआ सं रेल हादसा बढ़ल अछि. असल में सभ मंत्रालय मे टाइम नहि द पाबय के कारण अछि. बस हुनका एतबा रहय छनि जे पश्चिम बंगाल के लेल कोन रेल प्रोजेक्ट शुरू कएल जाए जेहि सं वोट मिलय. वोटक राजनीति मे लोक पिसा रहल अछि. बंगाल के चक्कर मे बिहारक उपेक्षा सेहो भs रहल अछि. एहन मे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजनीति चमकाबय के चक्कर मे लालूजी पर आरोप लगाबय छथिन्ह. ममत...

ई बिहारक पेरिस अछि...

सौजन्य:  तुबाह ( एनडीटीवी इंडिया) हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

बिहारक बालक के मदद के जरूरत

आई के पटना, हिन्दुस्तान मे पहिल पन्ना पर एकटा खबर छपल अछि. ‘बिहार के सपूत का जीवन संकट में’   विश्व का यंगेस्ट एनिमेटर बच सकता है, अगर आप चाहें तो... अखबारक खबर के मुताबिक पटना राजेन्द्रनगर के 14 सालक शिवम एकटा लाइलाज बीमारी सं पीड़ित अछि. बीमारी के नाम अछि मल्टीपल क्लिपेल ट्रेनॉने वेबर सिंड्रोम. अखन एहि बीमारी के इलाज नहि खोजल गेल अछि. खोज जारी अछि. दुनिया भर के वैज्ञानिक सभ एहि पर रिसर्च करि रहल छथिन्ह. अमेरिका के रोचेस्टर मेनिसोटा मे 23-24 जुलाई के एकटा कॉन्फ्रेंस होबय जा रहल अछि ओहि मे दुनिया भर के एक्सपर्ट सभ एहि पर चर्चा करथिन्ह. शिवम के सेहो एहि के लेल बुलाएल गेल. पासपोर्ट-वीजा बिन गेल अछि. मुदा शिवम के मां-पापा के पास एतेक पाई नहि छनि जे ओ अमेरिका जा पएथिन्ह. शिवम मे बाबूजी तृतीय श्रेणी के कर्मचारी छथिन्ह आओर चौदह साल सं शिवम के बीमारी के खर्चा उठाबैत-उठाबैत आब केहुना कs घर चला रहल छथिन्ह. ओना हिनकर बाबूजी डीके गुप्ता मुख्यमंत्री आओर एनजीओ सभ सं मदद के गुहार कएलखिन्ह. अगर अहां सभ शिवम के मदद करय चाहय छी तं 09431800540 पर सम्पर्क कs सकय छी. शिवम कंप्यूटर पर बड़ नीक एनिमेश...

सोनिया गांधीक बिहार दौरा

बिहार मे दुर्गापूजा के करीब विधानसभा चुनाव होएत. मुदा कांग्रेस अखने सं पूरा जोर लगा देने अछि. कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी अगिला मास बिहार दौरा पर जा रहल छथीह. उम्मीद अछि सोनिया जी 15 अगस्त के बाद बिहार जएतीह. सोनिया जी पटना के गांधी मैदान मे एकटा रैली के संबोधित करतीह. एहि रैली के सफल बनाबय के लेल कांग्रेसी नेता सभ जी-जीन लगा देने छथिन्ह. रैली के सफल बनाबय आओर चुनाव अभियान मे जान डालय लेल कांग्रेसक केंद्रीय मंत्री सभक राज्य दौरा जारी अछि. पिछला दिन मुकुल वासनिक...ज्योतिरादित्य सिंधिया... मुनियप्पा... श्रीप्रकाश जायसवाल दौरा कs क गेलाह. लाइन मे कइटा नेता छथि. भs सकैत अछि एहि मास बाद मे राज बब्बर...कृष्णा तीरथ... भरत सिंह सोलंकी सेहो अएताह. गांधी मैदान मे सोनिया जीक ई रैली पांच साल बाद होबय जा रहल अछि. ओहि समय कांग्रेस के संग आरजेडी आओर एलजेपी छल...लालू जी आओर पासवान जी छलाह. मुदा एहि बेर कांग्रेस एकसरे ठाड़ होए जा रहल अछि. ओना अखन बिहार विधानसभाके स्थिति देखल जाए तं पार्टी के हाल निराशाजनक अछि... आओर प्रदेश नेतृत्व मे सिरफुटौव्वल भs रहल अछि. मुदा कांग्रेस नेता राहुल गांधी अपन मिशन बिह...

सोनिया गांधी मुजफ्फरपुर तलब

हिन्दू धर्म के अपमान करय के एकटा मामला मे कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी के खिलाफ समन जारी कएल गेल अछि. ई समन जारी भेल अछि मुजफ्फरपुर के एकटा सेशन कोर्ट सं. ई समन वकील सुधीर कुमार ओझा जीक शिकायत पर कएल गेल अछि. समन मे सोनिया गांधी के 29 जुलाई के कोर्ट मे पेश होए लेल कहल गेल अछि. समन मे कहल गेल अछि जे सोनिया जी खुद आ वकील के माध्यम सं अपन पक्ष राखि सकय छथीह. यूपीए अध्यक्ष सोनिया जीक अलावा उत्तर प्रदेश कांग्रेस समितिक अध्यक्ष रीता बहुगुणा आओर मुरादाबाद जिला पार्टी इकाई प्रमुख के सेहो कोर्ट मे पेश होए लेल समन जारी कएल गेल अछि. शिकायतकर्ता के तरफ सं आरोप लगाएल गेल अछि जे 21 जून 2007 के अखबार मे सोनिया जीक एकटा फोटो छपल जेहि मे हुनका देवी दुर्गा के रूप मे पेश कएल गेल छलीह. ई हिन्दू धर्मक अपमान अछि. शिकायत मे इहो कहल गेल अछि जे एहि चित्र के मुरादाबाद कांग्रेस कार्यालय मे सेहो राखल गेल. ओझा जीक आरोप छनि जे सोनिया गांधी दोसर लोक के संग मिलि कs ऐना कएलीह जेहि सं हिन्दू धर्मक अपमान भs सकय. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur...

कोन दुनिया मे अछि कांग्रेस...

केंद्रीय सूचना प्रौद्योगिकी आओर संचार राज्य मंत्री सचिन पायलट जीक कहनाय छनि जे अगिला विधानसभा चुनाव मे लालू जीक पार्टी आरजेडी के सफाया भs जएतन्हि. सचिन पायलट जीक कहनाय छलन्हि जे लालूजीक पत्ता केंद्र सं तं कटिए गेल छनि आब जल्दीए राज्य सं सेहो साफ भs जएतन्हि. अहां सभके कि लगैत अछि ? कि लालूजीक पत्ता साफ भs रहल छनि ? यूपीए-1 के समय मनमोहन जीक सभसं भरोसमंद संगी लालू जी एतेक बांतरि भs गेलाह जे कांग्रेस आई सफाया के गप कs रहल अछि. सभ सीटक महिमा अछि. लालूजीक स्थिति कनि कमजोर भेल नहि कि कांग्रेस घुड़की देबय लागल. मुदा लालूजी पलटवार के लेल तैयार छथिन्ह... अगर एहि बेर चुनाव मे लालू जीक नीक वोट मिल जाए आओर ओ सत्ता मे फेर सं लौट जएताह ..तखन तं कांग्रेस फेर सं हुनकर अगाड़ि-पछाड़ि करय लागत. ई राजनीति बड़का-बड़का के जमीन पर पटकि दैत अछि आओर जमीन वाला के गद्दी पर बैसा दैत अछि. फेर बिहार मे एहन स्थिति नहि कहल जा सकैत अछि जे नीतीश जी फेर सं सरकार बनाए लेताह. कोनो हंड्रेड पर्सेंट गारंटी नहि अछि. एहि ठाम ऑक्टोपस पॉल बाबा के भविष्यवाणी नहि चलय वाला छनि. एहि ठाम सभ पंडिताई घुसरि जएतन्हि. लोकसभा चुनाव मे कमजो...

मिथिला के लंदन मे सम्मान…

आकाशवाणी दरभंगा सं जुड़ल ह्रषिकेश सुलभ जीके लंदन मे सम्मानित कएल गेलन्हि... मशहूर कथाकार...नाटककार ह्रषिकेष जी के लंदनक हाउस ऑफ कॉमन्स मे 16वां इंदु शर्मा कथा यूके सम्मान सं सम्मानित कएल गेलन्हि. ह्रषिकेश जीके ई सम्मान हुनकर कथा संकलन ‘वसंत के हत्यारे ’ के लेल देल गेलन्हि . सौजन्य: बीबीसी सुलभ जी के सम्मान मे एकटा प्रशस्ति पत्र... प्रतीक चिन्ह देल गेलन्हि. सुलभजी अमली...मिट्टी की गाड़ी...आओर भिखारी ठाकुर के जीवन पर आधारित नाटक बटोही सेहो लिख चुकल छथिन्ह. ब्रिटेन मे भारतक उच्चायुक्त नलिन सुरी हिनका सम्मानित कएलखिन्ह . नलिन सूरी जीक कहनाय छलन्हि जे कथा यूके केर ई आयोजन विभिन्न भाषाई समुदाय केर लोक के जोड़य मे अहम भूमिका निभा रहल अछि. हृषिकेश सुलभ जीक कहनाय छलन्हि जे हुनका लेल तं लिखनाय जीबय केर लेल एकटा जरूरी शर्त जकां अछि. बिहार के जेहि इलाका सं ओ अबैत छथिन्ह ओहि ठाम लोक के एक- एक पल के लेल... एक- एक सांस के लेल संघर्ष करय पड़ैत अछि...सुलभ जी इहो कहलखिन्ह जे हमर सभक साझा संस्कृति के राजनीतिक नज़र लागि गेल अछि...जकरा हम सभ बचाबय के कोशिश में लागल छी. एहि अवसर पर ब्रिटन मे बस...

फेर खतरा...

कोसी मे बाढ़िक खतरा एहि बेर फेर बनि रहल अछि. पानिक दबाव काफी बढ़ि गेल अछि. एहन मे खबर अछि जे नेपालक कुसहा मे तटबंधक सुरक्षा मे लागल बिहार जल संसाधन विभागक इंजीनियर आओर कर्मचारी सभक संग मारि-पीट कएल गेल अछि. ई मारि-पीट ओहि ठामक लोकल बदमाश सभ कएलक. ओकरा सभ के रंगदारी चाहय छल. पुलिस मे शिकायत के बाद एकटा बदमाश पकड़ल गेल अछि. मारि-पीट के बाद तटबंध पर गश्त के काज रुकि गेल अछि. कर्मचारी सभ डरल अछि. कुसहा चूंकि नेपाल मे अछि... एहि लेल बिहार सरकार एहि मामलाके नेपाल सरकार के संग उठाबय लेल केंद्र सरकार सं आग्रह करि सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम करय लेल कहलक अछि. बिहार सरकार के कहनाय अछि जे तुरंत कदम नहि उठाएल गेल तं खतरा बढ़ि सकैत अछि... आओर एहि सं तटबंधक सुरक्षा पर संकट आबि सकैत अछि. दू साल पहिने 18 अगस्त 2008 मे एहि कुसहा मे तटबंध टूटय सं कोसी मे भारी बाढ़ि आएल छल. जेहि सं पूरा मिथिलांचल मे भारी तबाही मचल छल. चारुकात पानिए-पानि भs गेल छल. जानमालक भारी नुकसान भेल छल. लोक ओहि बाढ़ि के याद कs अखनो सिहर उठैत अछि. आब नेपाल मे पानि होए के कारण कुसहा के पास कोसी पर फेर सं दबाव बढ़ल जा रहल अछि. एहि ठाम दिन र...

नालंदा विश्वविद्यालयक लेल संसद मे बिल

नालंदा के पुरान वैभव एक बेर फेर लोक से सामने आएत. नालंदा विश्वविद्यालय एक बेर फेर दुनिया के सर्वश्रेष्ठ शिक्षा संस्थान बनत. एहि के लेल संसद के मानसून सत्र मे एकटा विधेयक लाएल जाएत. दिल्ली मे प्रधानमंत्री के अध्यक्षता मे भेल मंत्रिमंडलक बैठक मे एहि बारे मे फैसला लेल गेल. नालंदा विश्वविद्यालय के फेर सं बनाबय मे करीब 1005 करोड़ रुपया खर्च होएत...एहि के लेल दिल्ली मे एकटा प्रोजेक्ट ऑफिस बनाएल जाएत... जे संसद मे विधेयक के पास होएतहि काज करनाए शुरू करि देत. एहि विश्वविद्यालय के बनाबय के मुद्दा पर फैसला पिछला साल पूर्वी एशियाई देशक सम्मेलन मे भेल छल...आओर सभ देश एकरा बनाबय मे सहयोग करत... मुदा भारत मेजबान होए के कारण कनि बेसि खर्च करत. विशेष अनुदान के रूप मे योजना आयोग 50 करोड़ रुपया दओ देलक अछि. एहि विश्वविद्यालय मे बौद्ध अध्ययन... दर्शन शास्त्र ... धर्म... इतिहास... अंतरराष्ट्रीय संबंध एवं शांति... प्रबंधन..भाषा...साहित्य आओर पर्यावरण विषयक फैकल्टी रहत... प्रोजेक्ट ऑफिस भने दिल्ली मे रहत मुदा विश्वविद्यालय नालंदा मे बनत... एकरा लेल शुरुआती तौर पर 500 एकड़ जमीन के अधिग्रहण भ चुकल अछि... 500...

नीतीश सरकार के रिपोर्ट कार्ड

नीतीश कुमार सरकारक आई रिपोर्ट कार्ड आएत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सरकार के साढ़े चार साल के कामकाज के लेखाजोखा पेश करताह. एहि मौका पर एनडीए सरकार के सभ मंत्री सेहो रहताह...एहि साल राज्य मे चुनाव होए वाला अछि ताहि लेल उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि रिपोर्ट कार्ड मे सरकार अपन उपलब्धि के जमि क बखान करत. सरकारक रिपोर्ट कार्ड मे अल्पसंख्यक...महादलित... आओर अतिपिछड़ा लेल चलाएल गेल सरकार के योजनाक विशेष चर्चा होएत... नीतीश सरकारक कोशिश अपन शासन काल के सभ काज के जमता के सामने लानाय रहत .. जेहि सं चुनाव के समय जनता सं वोट मांगय मे दिक्कत नहि होए. मुदा विपक्ष एकरा सरकारक नौटंकी करार देलक अछि. विपक्ष के कहनाय अछि जे सरकार के अपन सफलता के संग संग विफलता के सेहो रिपोर्ट पेश करबाह चाही. ऐना नहि भेलाह पर विपक्ष खुद सरकारक विफलताक रिपोर्ट कार्ड पेश करत. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bi...

तत्काल टिकट के लेल पहचान पत्र !

रेलक तत्काल सेवा टिकट के लेल पहचान पत्र जरूरी करय पर विचार भs रहल अछि. अखन तं एतेक अछि जे भोर मे आठ सं नौ बजे तक तत्काल टिकट एजेंट के कटाबय पर रोक लगा देल गेल अछि.. एहि फैसला के असर तं सिर्फ ओहि एजेंट पर पड़त जे नेट सं टिकट काटि बेचैत अछि.. मुदा लाइन मे लगि बुकिंग काउंटर सं टिकट कटाबय पर रोक नहि लागल अछि. अहां केना जानबय जे कोन आदमी एजेंट अछि आओर कोन नहि ? कोन दलाल अछि कोन नहि ? फेर एजेंट खुद आम लोक के तरह नेट सं टिकट कटाएत तं अहां केना रोकबय? एहि काज के एजेंट दोसर कम्प्यूटर.... दोसर ठाम सं कs सकैत अछि. दोसर दस नाम सं कs सकैत अछि. एहि पर रोक लगनाय मुश्किल अछि....सवाल एजेंटो सभ के रोटी-रोटी कमाय-खाय के छै एहि लेल ओ सभ सेहो कोनो नहि कोनो काट तं खोजबे करत. तखनो रेल मंत्रालय के ई एकटा नीक कदम अछि जे तत्काल टिकट एजेंट के माध्यम सं नहि होएत... मुदा एहि पर पूरा रोक तखने लागत जखन पहचान पत्र सं टिकट मिलत. आओर रेलवे एकरा लागू करय पर विचार करि रहल अछि... एहि बारे मे चर्चा भेलाह के बाद किछ निर्णय आबि सकैत अछि.. अखन तं बुकिंग काउंटर खुलल नहि कि खिड़की पर दलालक कब्जा. बीच-बीच मे छापेमारी सेहो होएत...

पासवानजी बनताह मंत्री !

दिल्ली मे आई-काल्हि हवा गर्म अछि जे रामविलास पासवानजी मनमोहन सरकार मे मंत्री बनि सकय छथि. सत्ता के गलियारा मे चर्चा अछि जे 15 जुलाई के करीब केंद्रीय मंत्रिमंडल मे फेरबदल होएत जेहि मे हिनका जगह मिलय के संभावना छनि... असल मे 26 जुलाई सं मानसून सत्र शुरू होए वाला अछि जकरा हंगामेदार रहय के पूरा संभावना अछि... सत्र के दौरान महंगाई... नक्सल... भोपाल गैस...एंडरसन आओर परमाणु दायित्व विधेयक मामला पर सरकार के मुश्किल के सामना करय पड़ि सकैत अछि. एहि सं बचय के लेल सरकार अगिला सत्र मे महिला आरक्षण बिल लाबि सकैत अछि... आओर लोकदल के अजित सिंह के संग लोजपा के रामविलास पासवान जीके मंत्री बना राजनीति साधय के कोशिश करि सकैत अछि. केंद्र सरकार के भने ममता बनर्जी जीक समर्थन मिलल अछि... मगर ममताजीक रुख कखन केहन रहत ई सरकार के सेहो नहि पता रहैत अछि. एहि लेल सरकार एहतियात बरैत रहल अछि. संगहि संग अजित जीक मंत्री बनला सं जाट आओर पासवान जीक मंत्री बनला सं दलित के खुश राखय के कोशिश होएत. फेर आगां एहि साल बिहार मे चुनाव सेहो होए वाला अछि. कांग्रेस भने कहैत होए कि बिहार विधानसभा चुनाव मे ओ असगरे ठाड़ होएत मुदा पार्...