कि ममता के रेलमंत्री बनल रहबाक चाही?

ममता बनर्जी जेहिआ सं रेलमंत्री बनलीह तेहिआ सं रेल दुर्घटना मे करीब 250 लोक मारल जा चुकल छथि. 15 मास मे 250 लोक कम नहि होएत अछि. रेल मंत्रालय सं बेसि टाइम हुनकर पश्चिम बंगालक राजनीति मे गुजरय छनि. हुनकर नजर रायटर्स बिल्डिंग पर लागल छनि. अगर एतबे छनि तं ओ रेलमंत्री पद छोड़ि किएक नहि छथीह? मनमोहन सरकार के सेहो मजबूरी जे हुनका किछ कहि नहि सकैत छथिन्ह. अगर एतबे मजबूरी छनि तं बिना विभाग के मंत्री बना देथुन्ह जेना कि तरुण विजय जीक कहनाय छनि.
लालूजी ओर पासवान जी सेहो कहलखिन्ह जे ममता जी या त रेल मंत्रालय पर ध्यान देतीह या पश्चिम बंगाल पर. अपन राजनीति के कारण ओ लोक के बलि पर किएक चढाबय छथिन्ह. लालूजी कहलखिन्ह जे जेहिआ सं ममता जी रेलमंत्री बनलीह तेहिआ सं रेल हादसा बढ़ल अछि. असल में सभ मंत्रालय मे टाइम नहि द पाबय के कारण अछि. बस हुनका एतबा रहय छनि जे पश्चिम बंगाल के लेल कोन रेल प्रोजेक्ट शुरू कएल जाए जेहि सं वोट मिलय. वोटक राजनीति मे लोक पिसा रहल अछि. बंगाल के चक्कर मे बिहारक उपेक्षा सेहो भs रहल अछि.
एहन मे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजनीति चमकाबय के चक्कर मे लालूजी पर आरोप लगाबय छथिन्ह. ममता सं बिहारक लोक ओहिना खिसिआएल अछि. नीतीश जी बेसि पक्ष लेथिन्ह तं चुनाव बेसि दिन नहि छनि...ममता के पक्ष लेनाय उल्टा पड़ि सकय छनि.अहां अपन राय जरूर भेजब जे कि होबाक चाही?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

  1. hunkaa our 2-3 ta mantraalay d del jaay...jansankhya niyantran ke lel theek rahataik....

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड