Skip to main content

मिथिलांचलक पत्रकार के रामनाथ गोयनका अवार्ड

मिथिलांचल के लेल नीक खबर अछि. मिथिलांचलक बेटा-बेटी के पत्रकारिताक सभसं पैघ सम्मान मे सं एक रामनाथ गोयनका अवार्ड सं सम्मानित कएल गेलन्हि.  संयोग एहन जे दूनु पति-पत्नी सेहो छथिन्ह.  दूनु छथिन्ह न्यूज़ 24 चैनलक अजित अंजुम जी आओर आउटलुक पत्रिकाक गीताश्री जी.  अजीत जी बेगूसराय सं छथिन्ह जखन कि गीताश्री जी मुजफ्फरपुर सं.  अजीत जीके ब्राडकास्ट कैटगरी मे पॉलिटकल रिपोर्टिंग के लेल... जखन कि गीताश्री जीक हिंदी पत्रकारिताक प्रिंट कैटगरी मे सम्मानित कएल गेलन्हि.
अजीत अंजुम जीक नाम मीडिया सर्किल के लेल जानल पहचानल नाम छनि.  अजीत जी न्यूज 24 चैनल मे छथिन्ह.  ई चैनल अनुराधा प्रसाद जीक छनि... जे कांग्रेस नेता आओर वरिष्ठ पत्रकार राजीव शुक्ला जीक पत्नी छथीह. बिहारक अनुराधा जी बीजेपी नेता रविशंकर प्रसाद जीक बहिन सेहो छथीह. हिनकर प्रोडक्शन ग्रुप के नाम छनि बीएजी.
अजीत अंजुम जी बीएजी सं 15 साल सं बेसि सं जुड़ल छथिन्ह. आओर हिनका बारे मे कहल जाए छनि जे अजीत जी जेहि प्रोग्राम मे हाथ लगा दैत छथिन्ह ओ हिट भs जाएत अछि. अजीत जी बीएजी के लेल जतेक कार्यक्रम बनएलखिन्ह टीआरपी के मामला मे ओ सभं काफी कामयाब रहल. हिनकर शुरू कएल गेल कार्यक्रम मे 'सनसनी'... 'रेड अलर्ट'... 'पोल-खोल'... 'कौन है'... ‘रेड अलर्ट’ आओर ‘रोजाना’ शामिल अछि.
गीताश्री सेहो करीब 15-17 साल सं पत्रकारिता मे छथीह. हिनका पहिनहुं कइटा सम्मान मिल चुलक छनि. गीताश्री जीके आदिवासी लड़की सभक ट्रैफिकिंग आओर तस्करक गिरोह के पर्दाफाश करय वाला स्टोरी के लेल बेस्ट इनवेस्‍टीगेटिव फीचर कैटगरी मे यूएनएफपीए-लाडली मीडिया अवार्ड मिलि चुकल छनि. गीताश्री प्रिंट के संग संग इलेक्‍ट्रॉनिक आओर वेब मे सेहो काज कs चुकल छथीह. गीताश्री जी वेबदुनिया डाट काम के लेल दिल्ली मे ब्यूरो चीफ छलीह. टीवी कार्यक्रम रोजाना के लेल काज कs चुकल छथीह. कइटा किताब लिख आओर सम्पादन सेहो कs चुकल छथीह. नुक्कड़ नाम सं हिनकर ब्लॉग सेहो छनि.
दूनु पति-पत्नी के दिल्ली मे शुक्र दिन राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल 31 दोसर पत्रकारक संग सम्मानित कएलखिन्ह. रामनाथ गोयनका अवार्ड प्रिंट आओर इलेक्ट्रॉनिक मीडिया के ओहि पत्रकार के देल जाएत अछि जे खबरक नैतिकता... निर्भयता आओर सच्चाई केर मानक के पालन करय छथिन्ह. एहि अवार्ड के 2006 मे रामनाथ गोयनका जीक शताब्दी वर्ष मे शुरू कएल गेल छल. अहां के इहो बताबय चाहब जे गोयनका जीक जन्म दरभंगा मे भेल छलन्हि. आओर देशक सभ सं पैघ अखबार मे सं एक इंडियन एक्सप्रेस आओर जनसत्ता शुरू कएने छलखिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...