लालू प्रसाद यादव जीक राष्ट्रीय जनता दल...आरजेडी आब राष्ट्रीय पार्टी नहि रहल. चुनाव आयोग एकर राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे मान्यता समाप्त करि देलक अछि. ओना सिर्फ आरजेडीsटा नहि पांचटा आओर पार्टी के मान्यता खत्म करि देल गेल अछि.
लालू जी के ई झटका बिहार चुनाव सं ठीक पहिने लागल अछि. ओना एकर बिहार चुनाव पर कोनो खास असर नहि पडबाक चाही. किएक तं लालटेन पार्टी के चुनाव चिन्ह बनल रहत. मुदा पार्टी के राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे जे सुविधा मिलैत छल ओ नहि मिलतन्हि हुनका. राष्ट्रीय पार्टी के रूप मे चुनाव के समय आकाशवाणी आओर दूरदर्शन पर जे प्रचार के समय मिलैत अछि से नहि मिलतैन्हि...आओर वोटर लिस्ट के लेल पाई सेहो देबय पडतन्हि.
असल मे राष्ट्रीय पार्टी के दर्जा पाबय लेल कम सं कम चारि राज्य मे पार्टी राज्यस्तरीय दर्जा होबाक चाही... संगहि संग पार्टी के कुल वोटक कम सं कम छह प्रतिशत वोट मिलबाक चाही. मुदा बिहार के संग झारखंड...मणिपुर आओर नगालैंड मे भेल पिछला चुनाव मे पार्टी के प्रदर्शन स्तरीय नहि रहल. जेहि कारण चुनाव आयोग राष्ट्रीय पार्टी के दर्जा खत्म करि देलक.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

der sahi faishla durust ayal
जवाब देंहटाएं