कतहुं बाढि कतहुं सूखा

मानसून आएल मुदा बिहारक जमीन सूखले रहि गेल. जेहि सावन मे गाम-घर....बाध-वन... खेत-खलिहान पानि सं डूबल रहैत छल...आई काल्हि सावन मे ओ जमीन सूखल अछि. खेत पानि के बिना फांटि रहल अछि. पानि नहि होए के कारण धान के रोपनी नीक सं नहि भs पाएल.
लोक सभ माथा पर हाथ दs आकाश दिस ताsकि रहल छथिन्ह जे हे इंद्र भगवान कोनो तरहे कृपा करिऔं. एहि बेर त एहन अछि जे जतेक पानि होएत अछि ओकर आधो नहि भेल अछि. भीषण गर्मी सं पोखर–डबरा सभ सूखा रहल अछि. किसान भाई सभ के मुंह पर पपरी जमल जा रहल छनि.
राज्य मे एहि हाल के देखि सरकार सेहो परेशान अछि. चुनाव के समय अछि... लोक परेशान तं ओकर असर सरकार पर पड़ि सकैत अछि. सभ जिला के अधिकारी सभ सं सूखा के बारे मे रिपोर्ट मांगल गेल अछि. कहल जा रहल अछि जे 38 मे सं 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल जा सकैत अछि...एहि पर विचार चलि रहल अछि.
Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड