नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिलाक शादी मे रंगदारी !

मिथिला मे शादी टैक्स... डोली टैक्स...अछि न एकदम सं अजगुत समाचार. काल्हि राति हमहुं एकटा चैनल पर अपन मिथिलाक एहन खबर देखि दंग रहि गेलौं. कटिहार के मनिहारी थाना क्षेत्र मे एहन अछि.
दुनिया भर के गप तं छोडु अपन मिथिलाक लोक मेहमान के आईओ-काल्हुक युग मे भगवान सं कम नहि मानय छथिन्ह... आओर ओहुं मे जमाय... पाहुनक गप होए तं पूरा गाम हुनकर आदर-सत्कार मे लागल रहय छथिन्ह. गाम-घर मे कोनो टोल मे... किनको घर मे शादी-विवाह होए. सभ लोक लड़की वाला के जमि कs मदद करय छथिन्ह. मेहमानक आवभगत मे कोनो कमी नहि छोड़य छथिन्ह. लोक के कोशिश रहय छनि जे पाहुन गाम सं गेलाह के बाद सदिखन आवभगत के याद रखथिन्ह.
लोक के कोशिश रहय छनि जे अपने भने बिका जाए... मेहमान के कोनो कष्ट नहि होए. अपने भने भूखा रहि जाए... मुदा पाहुन के तरुआ-तरकारी जरूर होबाक चाही. एहि के लेल लोक जमीन... खेत तक बेच देय छथिन्ह...भरना राखि देय छथिन्ह. मुदा सत्कार मे कोनो कमी नहि होए देय छथिन्ह.
एहन मे कटिहार जिलाक मनिहारीक खबर सुनि ठेस लागल. खबर मे ई रहय जे गामक कोनो घर सं तखन धरि कोनो डोली नहि उठैत अछि जखन धरि गामक रंगदार सभ के मुर्गा-भात...ताड़ी-दारु के लेल पैसा नहि देल जाएत अछि. एतबे नहि जमाय जेहि बेर गाम आबय छथिन्ह रंगदार के चुमान देबय पड़य छनि.
एना नहि करला पर घरबैया के संग मारि पीट तं होएते अछि बारात...पाहुन सभ के सेहो लाठी-थापरि सं स्वागत कएल जाएत अछि. गाम मे कइटा बारातक लोक मारि खा चुकल छैथि.
आओर हां ई नहि अछि जे पुलिस- प्रशासन के एकर खबर नहि अछि. सभ पता अछि... मुदा ओ अपना के असहाय पाबय छथिन्ह. किएक तं ओहि टीवी न्यूज मे पुलिस अधिकारी के बाइट सेहो छल. पुलिस अधिकारी के साफ कहनाय छलन्हि जे हुनका एहि बातक पता छनि...आ जांच भs रहल अछि.
पुलिस जांच होए के बात करि अपन पल्ला झाड़ि लैत अछि. पुलिस के छोड़ु... ई पूरा मिथिलाक लेल शर्मक गप अछि. मिथिलाक बारे मे देश-दुनिया मे ढोल पीटय वाला पदाधिकारी सभ के एहि पर गंभीरता सं विचार करबाक चाही. इलाका के स्वयंसेवी संगठन सभ के सेहो आगां अएबाक चाही. अहां सभ के सेहो एहि बारे मे लोक के जागरूक करबाक चाही. एकरा खिलाफ ठाड़ होबाक चाही.
Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु