नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पासवानजी बनताह मंत्री !

दिल्ली मे आई-काल्हि हवा गर्म अछि जे रामविलास पासवानजी मनमोहन सरकार मे मंत्री बनि सकय छथि. सत्ता के गलियारा मे चर्चा अछि जे 15 जुलाई के करीब केंद्रीय मंत्रिमंडल मे फेरबदल होएत जेहि मे हिनका जगह मिलय के संभावना छनि... असल मे 26 जुलाई सं मानसून सत्र शुरू होए वाला अछि जकरा हंगामेदार रहय के पूरा संभावना अछि... सत्र के दौरान महंगाई... नक्सल... भोपाल गैस...एंडरसन आओर परमाणु दायित्व विधेयक मामला पर सरकार के मुश्किल के सामना करय पड़ि सकैत अछि. एहि सं बचय के लेल सरकार अगिला सत्र मे महिला आरक्षण बिल लाबि सकैत अछि... आओर लोकदल के अजित सिंह के संग लोजपा के रामविलास पासवान जीके मंत्री बना राजनीति साधय के कोशिश करि सकैत अछि.
केंद्र सरकार के भने ममता बनर्जी जीक समर्थन मिलल अछि... मगर ममताजीक रुख कखन केहन रहत ई सरकार के सेहो नहि पता रहैत अछि. एहि लेल सरकार एहतियात बरैत रहल अछि. संगहि संग अजित जीक मंत्री बनला सं जाट आओर पासवान जीक मंत्री बनला सं दलित के खुश राखय के कोशिश होएत. फेर आगां एहि साल बिहार मे चुनाव सेहो होए वाला अछि. कांग्रेस भने कहैत होए कि बिहार विधानसभा चुनाव मे ओ असगरे ठाड़ होएत मुदा पार्टीक राज्य मे जे हाल अछि ओकरा देखैत कांग्रेस कोनो विकल्प नहि छोडय चाहैत अछि.
अहां के याद होएत जे पासवानजी पिछले दिन राज्यसभा सांसद बनलाह... आओर पिछले हफ्ता हिनकर जन्मदिन सेहो छलन्हि. जन्मदिन के मौका पर यूपीए अध्यक्ष सोनिया गांधी खुद रामविलास जीके फोन कs जन्मदिनक बधाई देने छलीह..... ई सभ किछ एहन सूत्र जुड़ि रहल अछि जे एहि संभावना के बल द रहल अछि. आओर पासवान जी मंत्री बनय छथि तं ई बिहार के लेल नीके गप होएत.
एकरे संग एम्हर कृषि मंत्री शरद पवार आईसीसी अध्यक्ष बनलाके बाद प्रधानमंत्री सं अपन भार किछ कम करय लेल आग्रह कएलखिन्ह...हिनका पास अखन तीनटा मंत्रालय छनि...कृषि के संग हिनका पास खाद्य एवं नागरिक आपूर्ति मंत्रालय आओर उपभोक्ता मामला के मंत्रालय सेहो छनि. ओना हिनकर मंत्रालय के एनसीपी अपने संग राखय चाहैत अछि... भs सकैत अछि जे छगन भुजबल के सेहो दिल्ली लाबय के कोशिश होए. सलमान खुर्शीदजी आओर ए राजा पर सेहो किछ निर्णय भs सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु