नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

फेर खतरा...

कोसी मे बाढ़िक खतरा एहि बेर फेर बनि रहल अछि. पानिक दबाव काफी बढ़ि गेल अछि. एहन मे खबर अछि जे नेपालक कुसहा मे तटबंधक सुरक्षा मे लागल बिहार जल संसाधन विभागक इंजीनियर आओर कर्मचारी सभक संग मारि-पीट कएल गेल अछि. ई मारि-पीट ओहि ठामक लोकल बदमाश सभ कएलक. ओकरा सभ के रंगदारी चाहय छल. पुलिस मे शिकायत के बाद एकटा बदमाश पकड़ल गेल अछि. मारि-पीट के बाद तटबंध पर गश्त के काज रुकि गेल अछि. कर्मचारी सभ डरल अछि.
कुसहा चूंकि नेपाल मे अछि... एहि लेल बिहार सरकार एहि मामलाके नेपाल सरकार के संग उठाबय लेल केंद्र सरकार सं आग्रह करि सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम करय लेल कहलक अछि. बिहार सरकार के कहनाय अछि जे तुरंत कदम नहि उठाएल गेल तं खतरा बढ़ि सकैत अछि... आओर एहि सं तटबंधक सुरक्षा पर संकट आबि सकैत अछि.
दू साल पहिने 18 अगस्त 2008 मे एहि कुसहा मे तटबंध टूटय सं कोसी मे भारी बाढ़ि आएल छल. जेहि सं पूरा मिथिलांचल मे भारी तबाही मचल छल. चारुकात पानिए-पानि भs गेल छल. जानमालक भारी नुकसान भेल छल. लोक ओहि बाढ़ि के याद कs अखनो सिहर उठैत अछि. आब नेपाल मे पानि होए के कारण कुसहा के पास कोसी पर फेर सं दबाव बढ़ल जा रहल अछि. एहि ठाम दिन राति... चौबीसों घंटा निगरानी... गश्ती के जरूरी अछि. कोनो तरहक कोताही भारि पड़ि सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु