फेर खतरा...

कोसी मे बाढ़िक खतरा एहि बेर फेर बनि रहल अछि. पानिक दबाव काफी बढ़ि गेल अछि. एहन मे खबर अछि जे नेपालक कुसहा मे तटबंधक सुरक्षा मे लागल बिहार जल संसाधन विभागक इंजीनियर आओर कर्मचारी सभक संग मारि-पीट कएल गेल अछि. ई मारि-पीट ओहि ठामक लोकल बदमाश सभ कएलक. ओकरा सभ के रंगदारी चाहय छल. पुलिस मे शिकायत के बाद एकटा बदमाश पकड़ल गेल अछि. मारि-पीट के बाद तटबंध पर गश्त के काज रुकि गेल अछि. कर्मचारी सभ डरल अछि.
कुसहा चूंकि नेपाल मे अछि... एहि लेल बिहार सरकार एहि मामलाके नेपाल सरकार के संग उठाबय लेल केंद्र सरकार सं आग्रह करि सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम करय लेल कहलक अछि. बिहार सरकार के कहनाय अछि जे तुरंत कदम नहि उठाएल गेल तं खतरा बढ़ि सकैत अछि... आओर एहि सं तटबंधक सुरक्षा पर संकट आबि सकैत अछि.
दू साल पहिने 18 अगस्त 2008 मे एहि कुसहा मे तटबंध टूटय सं कोसी मे भारी बाढ़ि आएल छल. जेहि सं पूरा मिथिलांचल मे भारी तबाही मचल छल. चारुकात पानिए-पानि भs गेल छल. जानमालक भारी नुकसान भेल छल. लोक ओहि बाढ़ि के याद कs अखनो सिहर उठैत अछि. आब नेपाल मे पानि होए के कारण कुसहा के पास कोसी पर फेर सं दबाव बढ़ल जा रहल अछि. एहि ठाम दिन राति... चौबीसों घंटा निगरानी... गश्ती के जरूरी अछि. कोनो तरहक कोताही भारि पड़ि सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़