नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सोनिया गांधीक बिहार दौरा

बिहार मे दुर्गापूजा के करीब विधानसभा चुनाव होएत. मुदा कांग्रेस अखने सं पूरा जोर लगा देने अछि. कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी अगिला मास बिहार दौरा पर जा रहल छथीह. उम्मीद अछि सोनिया जी 15 अगस्त के बाद बिहार जएतीह. सोनिया जी पटना के गांधी मैदान मे एकटा रैली के संबोधित करतीह. एहि रैली के सफल बनाबय के लेल कांग्रेसी नेता सभ जी-जीन लगा देने छथिन्ह.
रैली के सफल बनाबय आओर चुनाव अभियान मे जान डालय लेल कांग्रेसक केंद्रीय मंत्री सभक राज्य दौरा जारी अछि. पिछला दिन मुकुल वासनिक...ज्योतिरादित्य सिंधिया... मुनियप्पा... श्रीप्रकाश जायसवाल दौरा कs क गेलाह. लाइन मे कइटा नेता छथि. भs सकैत अछि एहि मास बाद मे राज बब्बर...कृष्णा तीरथ... भरत सिंह सोलंकी सेहो अएताह.
गांधी मैदान मे सोनिया जीक ई रैली पांच साल बाद होबय जा रहल अछि. ओहि समय कांग्रेस के संग आरजेडी आओर एलजेपी छल...लालू जी आओर पासवान जी छलाह. मुदा एहि बेर कांग्रेस एकसरे ठाड़ होए जा रहल अछि. ओना अखन बिहार विधानसभाके स्थिति देखल जाए तं पार्टी के हाल निराशाजनक अछि... आओर प्रदेश नेतृत्व मे सिरफुटौव्वल भs रहल अछि. मुदा कांग्रेस नेता राहुल गांधी अपन मिशन बिहार शुरू कs पार्टी मे जान डालय के कोशिश शुरू कएलखिन्ह.
राहुल गांधी के मिशन बिहार के कारण केंद्रीय मंत्री आओर पार्टी के वरिष्ठ नेता सभक बिहार दौरा शुरू अछि. पार्टी बिहार विधान सभा चुनाव पर विशेष ध्यान दs रहल अछि. पार्टी के कोशिश नीतीश कुमार के खिलाफ अभियान तं चलाबय के अछिए... संगहि-संग कोशिश इहो रहत जे लालूजीक पार्टी के बेसि सीट नहि मिलि पाबय...यानी खेल बिगाड़य के कोशिश.
एम्हर नीतीश सरकार के खिलाफ घोटाला के जांच मामला सं विपक्षी पार्टी सभ के हाथ एकटा बड़का मामला लागि गेल अछि. कांग्रेस सेहो एकरा जोर-शोर सं उठाबय के कोशिश करत. मुदा नीतीश जीक पार्टी के कहनाय अछि जे चुनाव के समय जे कांग्रेसी नेता सभक बिहार मे टपकनाय शुरू भेल अछि अगर ओ शुरूए सं रहैत तं बिहार के किछ आओर मदद भेल रहैत...आओर लोक के कल्याण सेहो भेल रहैत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु