नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नालंदा विश्वविद्यालयक लेल संसद मे बिल

नालंदा के पुरान वैभव एक बेर फेर लोक से सामने आएत. नालंदा विश्वविद्यालय एक बेर फेर दुनिया के सर्वश्रेष्ठ शिक्षा संस्थान बनत. एहि के लेल संसद के मानसून सत्र मे एकटा विधेयक लाएल जाएत. दिल्ली मे प्रधानमंत्री के अध्यक्षता मे भेल मंत्रिमंडलक बैठक मे एहि बारे मे फैसला लेल गेल. नालंदा विश्वविद्यालय के फेर सं बनाबय मे करीब 1005 करोड़ रुपया खर्च होएत...एहि के लेल दिल्ली मे एकटा प्रोजेक्ट ऑफिस बनाएल जाएत... जे संसद मे विधेयक के पास होएतहि काज करनाए शुरू करि देत.
एहि विश्वविद्यालय के बनाबय के मुद्दा पर फैसला पिछला साल पूर्वी एशियाई देशक सम्मेलन मे भेल छल...आओर सभ देश एकरा बनाबय मे सहयोग करत... मुदा भारत मेजबान होए के कारण कनि बेसि खर्च करत. विशेष अनुदान के रूप मे योजना आयोग 50 करोड़ रुपया दओ देलक अछि. एहि विश्वविद्यालय मे बौद्ध अध्ययन... दर्शन शास्त्र ... धर्म... इतिहास... अंतरराष्ट्रीय संबंध एवं शांति... प्रबंधन..भाषा...साहित्य आओर पर्यावरण विषयक फैकल्टी रहत...
प्रोजेक्ट ऑफिस भने दिल्ली मे रहत मुदा विश्वविद्यालय नालंदा मे बनत... एकरा लेल शुरुआती तौर पर 500 एकड़ जमीन के अधिग्रहण भ चुकल अछि... 500 एकड़ जमीन के आओर कएल जाएत. एहि सं नालंदा के आसपासक लोक के फायदा सेहो होएतन्हि. पर्यटन के बढ़ावा मिलत. इंफ्रास्ट्रक्चर के बढ़ावा मिलत... लोक के नवका रोजगार मिलत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु