नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कांग्रेस हमर आदर्श कहियो नहि रहल: लालू

दरभंगा । राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद कहला अछि जे कांग्रेस हुनकर आदर्श कहियो नहि रहल, मुदा फिरकापरस्त ताकत कए केन्द्र क सत्ता स अलग रखबा लेल ओ कांग्रेस क संग देलथि। स्थानीय राज मैदान मे राजद आ लोक जनशक्ति पार्टी क संयुक्त रैली कए संबोधित करैत कहला जे केन्द्र मे कांग्रेस सरकार बनेबा मे सहयोग करनिहार 80 प्रतिशत अल्पसंख्यक आइ अपना कए छलबा स दुखीं छथि।
हुनकर विकास क लेल बनाउल गेल सच्चर कमेटी, रंगनाथ मिश्रा कमेटी आ फातमी कमेटी क अनुशंसा आइ धरि लागू नहि भ सकल अछि। जाहि स आब हुनकर मोह कांग्रेस स टूटि गेल अछि। ओ दावा केलथि जे अल्पसंख्यक क भला राजद आ लोजपा कए छोडि किया नहि करि सकैत अछि। राजद अध्यक्ष कहला जे नीतीश कुमार सरकार शिक्षक बहाली क नव नियमावली बनाकए उर्दू शिक्षक क संग विश्वासघात केलक अछि। महिला विधेयक क चर्चा करैत ओ कहला जे कांग्रेस महिला क नाम पर मुसलमान कए सियासत स बाहर करबाक साजिश करि रहल अछि।
ओ कमड़तोड़ महंगाई क लेल केन्द्र क कांग्रेस सरकार क संग-संग बिहार क नीतीश कुमार क सरकार कए सेहो दोषी करार देलथि।
लालू कहलथि जे बिहार मे लोक भूख स मरी रहल अछि आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पंचायत स्तर पर सस्ता रोटी क दुकान क जगह पर दारू क दुकान खोलबा मे लागल छथि।
:- www.esamaad.com -: 

1 टिप्पणी:

  1. कांग्रेस हुनकर आदर्श कहियो नहि रहल, मुदा फिरकापरस्त ताकत कए केन्द्र क सत्ता स अलग रखबा लेल ओ कांग्रेस क संग देलथि।...eah kahi o 15 saal bihar par raaj kayalaah.....bihar ke lok boori nahi chhaik...aab sabta bujhait chaik.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु