Skip to main content

कोन दुनिया मे अछि कांग्रेस...

केंद्रीय सूचना प्रौद्योगिकी आओर संचार राज्य मंत्री सचिन पायलट जीक कहनाय छनि जे अगिला विधानसभा चुनाव मे लालू जीक पार्टी आरजेडी के सफाया भs जएतन्हि. सचिन पायलट जीक कहनाय छलन्हि जे लालूजीक पत्ता केंद्र सं तं कटिए गेल छनि आब जल्दीए राज्य सं सेहो साफ भs जएतन्हि. अहां सभके कि लगैत अछि ? कि लालूजीक पत्ता साफ भs रहल छनि ? यूपीए-1 के समय मनमोहन जीक सभसं भरोसमंद संगी लालू जी एतेक बांतरि भs गेलाह जे कांग्रेस आई सफाया के गप कs रहल अछि.
सभ सीटक महिमा अछि. लालूजीक स्थिति कनि कमजोर भेल नहि कि कांग्रेस घुड़की देबय लागल. मुदा लालूजी पलटवार के लेल तैयार छथिन्ह... अगर एहि बेर चुनाव मे लालू जीक नीक वोट मिल जाए आओर ओ सत्ता मे फेर सं लौट जएताह ..तखन तं कांग्रेस फेर सं हुनकर अगाड़ि-पछाड़ि करय लागत. ई राजनीति बड़का-बड़का के जमीन पर पटकि दैत अछि आओर जमीन वाला के गद्दी पर बैसा दैत अछि. फेर बिहार मे एहन स्थिति नहि कहल जा सकैत अछि जे नीतीश जी फेर सं सरकार बनाए लेताह. कोनो हंड्रेड पर्सेंट गारंटी नहि अछि. एहि ठाम ऑक्टोपस पॉल बाबा के भविष्यवाणी नहि चलय वाला छनि. एहि ठाम सभ पंडिताई घुसरि जएतन्हि.
लोकसभा चुनाव मे कमजोर प्रदर्शन के बाद सं लालूजी आओर पासवान जी अपन बेसि समय बिहारे पर दs रहल छथिन्ह. एहन मे हुनका कमजोर मानि कs नहि चलल जा सकैत अछि. फेर हिनकर सभsक अपन वोट बैंक त छनिए. आ बिहारक चुनाव सिर्फ विकासे पर नहि होएत अछि... जाति... धर्म... बिरादरी... निजी संबंध... अगिड़ा-पिछड़ा सभ सं तय होएत अछि. कखन कोन समीकरण बनत आ बिगड़त से नहि कहल जा सकैत अछि.
सभसं बड़का बात ई जे वोट देबय के समय विकासक बात करय वाला लोक घर सं बाहर निकलय कहां छथिन्ह. हुनका लेल तं ई छुट्टी के दिन रहय छनि... जमि क सुतय छथिन्ह या फेर पिकनिक मनाबय छथिन्ह. एहन मे वोट देबय लेल आगां आबय छथिन्ह गामे-घर के लोक सभ...आओर गाम- घर मे विकासक कोनो खास तस्वीर नहि दिखा रहल अछि. एहन मे विकासक गप पर चुनाव जीतनाय मुश्किल छनि.
विकासक ई हाल अछि जे हमर सासुर मे अखन धरि बिजली के त गप छोड़ू... पोल तक नहि गेल अछि... हमर गाम सं दू-तीन किलोमीटर दूर तक बिजली नहि गेल अछि...आजादी के एतेक साल बाद धरि. गाम मे एक बेर ट्रांसफर्मर जलल रहय तं चारि मास धरि लाइन नहि आएल रहय. चारि मास धरि बिना बिजली के. ई अछि जे रोड कनि नीक भेल अछि... मुदा बिजली... पानि... सिंचाई... खेती-बाड़ी... अस्पताल... स्कूल-कॉलेज... पढ़ाई-लिखाई सभ चौपट भेल अछि. चोरी-चपाटी फेर बढल जा रहल अछि. बटाईदारी वाला बात के लs क से लोक सभ डरल अछि. गाम-घरक समस्या शहरक समस्या सं अलग अछि. एहन मे नीतीश जी जीतय के दावा एकदम सं नहि कs सकय छथिन्ह.
आओर फेर बिहार मे टक्कर तं बीजेपी-जेडीयू बनाम आरजेडी-लोजपा अछि. नीतीश जीके कांटा के टक्कर देबय लेल लालू-पासवानजी ताल ठोंकने छथिन्ह. लालू-पासवानजी दिन राति एक कएने छथिन्ह. पूरा दम लगा देने छथिन्ह. एहन मे कांग्रेस के कहनाय जे आरजेडी के सफाया भ जाएत पचि नहि रहल अछि. दोसरा के सफाया के गप करय सं नीक कांग्रेस के अपन स्थिति पर ध्यान देबाक चाही.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर