बिहारक बालक के मदद के जरूरत

आई के पटना, हिन्दुस्तान मे पहिल पन्ना पर एकटा खबर छपल अछि. ‘बिहार के सपूत का जीवन संकट में’ 
विश्व का यंगेस्ट एनिमेटर बच सकता है, अगर आप चाहें तो...
अखबारक खबर के मुताबिक पटना राजेन्द्रनगर के 14 सालक शिवम एकटा लाइलाज बीमारी सं पीड़ित अछि. बीमारी के नाम अछि मल्टीपल क्लिपेल ट्रेनॉने वेबर सिंड्रोम. अखन एहि बीमारी के इलाज नहि खोजल गेल अछि. खोज जारी अछि. दुनिया भर के वैज्ञानिक सभ एहि पर रिसर्च करि रहल छथिन्ह. अमेरिका के रोचेस्टर मेनिसोटा मे 23-24 जुलाई के एकटा कॉन्फ्रेंस होबय जा रहल अछि ओहि मे दुनिया भर के एक्सपर्ट सभ एहि पर चर्चा करथिन्ह. शिवम के सेहो एहि के लेल बुलाएल गेल. पासपोर्ट-वीजा बिन गेल अछि. मुदा शिवम के मां-पापा के पास एतेक पाई नहि छनि जे ओ अमेरिका जा पएथिन्ह. शिवम मे बाबूजी तृतीय श्रेणी के कर्मचारी छथिन्ह आओर चौदह साल सं शिवम के बीमारी के खर्चा उठाबैत-उठाबैत आब केहुना कs घर चला रहल छथिन्ह. ओना हिनकर बाबूजी डीके गुप्ता मुख्यमंत्री आओर एनजीओ सभ सं मदद के गुहार कएलखिन्ह. अगर अहां सभ शिवम के मदद करय चाहय छी तं 09431800540 पर सम्पर्क कs सकय छी.
शिवम कंप्यूटर पर बड़ नीक एनिमेशन बनाबय छथिन्ह. पढ़ाई लिखाई मे बड़ तेज छथिन्ह. 26/11 पर हिनकर ‘टेरर अटैक: प्रोजेक्ट फतह’ गेम काफी सराहल गेल छल.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ