Skip to main content

Posts

Showing posts from April, 2010

विश्व बैंक सं मिलत 800 करोड़...

कोसी क्षेत्र मे पुनर्निर्माण के लेल विश्वबैंक बिहार के आठ सय करोड़ रुपया के कर्ज देत. दू साल पहिने आएल कोसी नदी मे बाढ़ि सं एकटा बड़का इलाका प्रभावित भेल छल. सहरसा... सुपौल... मधेपुरा... पूर्णिया सं लागल इलाका मे भारी तबाही भेल छल. ओहि तबाही सं लोक अखन धरि उबरि नहि पएलाह. ओना तं एहि इलाका मे सरकार के तरफ सं कई तरहक विकासक... पुननिर्माणक काज चलि रहल अछि. मुदा ओहि मे तेजी लाबय लेल राज्य सरकार के पाए के जरूरत अछि... आओर विश्व बैंक राज्य सरकार के आठ सय करोड़ के कर्ज देबय लेल राजी भs गेल अछि. एहि संबंध मे विश्व बैंक के साउथ एशिया रिजनल को-आर्डिनेटर (डिजास्टर रिस्क मैनेजमेंट एण्ड ग्लोबल फैसिलिटी फार डिजास्टर रिस्क रिडक्शन एण्ड रिकवरी) क्रिस्टोफ पुच मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजीक संग एकटा बैसार कएलखिन्ह. एहि मे तय भेल जे विश्व बैंक पहिल चरण मे नव मकान बनाबए लेल... टूटल-खसल मकान के मरम्मत के लेल... सड़क-पुल-पुलिया बनाबय लेल आओर लोक के जीवनयापन के लेल शुरू कएल गेल किछ परियोजना के लेल आठ सय करोड़ रूपया देत. पाए आबय के जरूरी औपचारिकता पूरा होए मे करीब तीन-चारि मास के समय लागि सकैत अछि. विश्व बैंक के ...

नीतीश जीक ब्लॉग हिट...

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक ब्लॉग हिट भs गेल अछि. हुनकर ब्लॉग के बड़ हिट मिलि रहल छनि. सिर्फ एक दिन मे हुनकर पहिल पोस्ट पर करीब साढ़े तीन सय कमेंट मिललन्हि. अहां कहि सकय छी जे नेट के दुनिया मे नीतीश जी छाएल जा रहल छथिन्ह. नीतीश जी अपन ब्लॉग nitish speaks पर 19 अप्रैल के पहिल पोस्ट मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना के नाम सं लिखलखिन्ह. हुनकर एहि पोस्ट पर आम लोकक जमि कs कमेंट मिलि रहल छनि. अपन कमेंट मे लोक हुनकर काम-काज के तारीफ तं कए रहल छथिन्ह...कई तरहक सवाल सेहो पूछि रहल छथिन्ह. एक तरहे कहल जा सकय अ कि नीतीश जीक लोक सं संवाद करय के ई पहल कामयाब भs रहल छनि. एहि मंच के माध्यम सं ओ अपन काम-काज...राज्यक विकास के बात तं लोक तक पहुंचएबे करताह... लोकक परेशानी सं अवगत सेहो होताह. लोक सभ के सेहो एकर फायदा उठएबाक चाही. सीधा मुख्यमंत्री सं संवाद के मौका मिलि रहल छनि हुनका. आओर आबय वाला चुनाव के देखैत लोक के तं अपन परेशानी... समस्या...पिछड़ापन के खुलि कS मुख्यमंत्री के सामने रखबाक चाही. किएक तं ओकर हल होए के अखन किछ बेसिए उम्मीद अछि. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

नीतीश बनलाह ब्लॉगर...

कम्प्यूटरक... नेटक दुनिया मे ब्लॉग लिखय के प्रचलन काफी बढ़ि गेल अछि. अमिताभ बच्चन... नरेन्द्र मोदी... अमर सिंह जकां हस्ती सभ आब ब्लॉग लिख लोक सं सीधा संवाद करय छथिन्ह. आब जखन सभ लोक एकर माध्यम सं लोक सं जुड़ि रहल छथिन्ह तखन बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केना पाछां रहताह. आब नीतीशजी सेहो ब्लॉग लिखनाए शुरू करि देलाह. हुनकर ब्लॉगक नाम अछि Nitish Speaks  . आब ओ ब्लॉगक माध्यम सं लोक सं बात करताह... हुनकर परेशानी जानथिन्ह... दूर करय के कोशिश करथिन्ह. ब्लॉगक माध्यम सं ओ सरकार के उपलब्धि लोक के सामने राखि पएथिन्ह. हुनकर पहिल ब्लॉग मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना पर अछि. एहि ब्लॉग मे मुख्यमंत्री लिखय गेल अछि. पिछला तीन साल मे एहि योजना सं करीब नौ लाख स्कूली छात्रा के साइकिल लेल दू- दू हजार रुपया देल गेल अछि. एहि दू हजार रुपया सं साइकिल खरीद लड़की सभ छथिन्ह जे ओना तं बिहार सरकार कइटा योजना शुरू कएने अछि मुदा मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना हुनकर दिलक करीब अछि. एहि योजना सं राज्यक तस्वीर एक तरहे बदलि आब रोज स्कूल जाए छथीह. एहि योजना के कारण स्कूल आबए वाली लकड़ी सभ के संख्या तं बढ़बे कएल अछ...

बिहारी छात्र के आईआईटी सं बाहर राखय के साजिश !

एहि बेरक आईआईटी परीक्षा मे किछ गड़बड़ी के शिकायत आएल अछि. एहि बारे मे सुपर-30 के आनंदजी बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं मुलाकात सेहो करलखिन्ह. आनंदजी हुनका एहि बेरक आईआईटी परीक्षा मे भेल गड़बड़ी के बारे मे ध्यान दिलैलखिन्ह. आनंदजीक कहनाय छलन्हि जे एहि बेरक परीक्षा मे एकहि सवाल के लेल हिंदी आओर अंग्रेजी मे अलग-अलग मार्क्स देल गेल छल. हिंदी मे समान सवाल के लेल जतय तीन अंक निर्धारित छल... ओतय अंग्रेजी माध्यमक सवाल के लेल आठ अंक निर्धारित कएल गेल छल. ई हिंदी भाषी छात्र के संग एकटा बड़का धोखा अछि... बडका पक्षपात अछि. बिहार... उत्तर प्रदेश के काफी विद्यार्थी हिंदी माध्यम सं आईआईटी परीक्षा दए छथिन्ह. मगर एहि सं तं हिंदी भाषी छात्र के बड़ नुकसान अछि. खबर अछि जे हिंदी के किछ सवाल गलत आओर सिलेबस सं बाहर के सेहो छल. एकरा तं हिंदी भाषी छात्र के आईआईटी सं बाहर राखय के साजिश सेहो कहल जा सकैत अछि. आनंदजीक अनुरोध के बाद नीतीशजी केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बलजी सं बात कs अपन शिकायत दर्ज करा देलखिन्ह. सिब्बल जी सं एहि बेरक आईआईटी फेर सं लेबय के आग्रह सेहो कएलखिन्ह. सुपर -30 आओर दोसर संस्थान...

दैनिक भास्कर के पत्रकारक जरूरत...

देश के सभसं बड़का अखबार मे सं एक दैनिक भास्कर जल्दीए बिहार आओर झारखंड सं शुरू होए वाला अछि. एहिके लेल दैनिक भास्कर के पत्रकार सभक जरूरत अछि. दैनिक भास्कर अखबार मे एहि बारे मे एकटा भारी भरकम विज्ञापन निकलल अछि. अखबार के लेल जतेक पद अछि सभ बिहार आओर झारखंड सं जुड़ल लोक के लेल अछि. जेहि पद के लेल विज्ञापन निकलल अछि ओ अछि... समाचार संपादक... उप समाचार संपादक... मुख्य उप संपादक... उप संपादक... प्रशिक्षु उप संपादक... चीफ रिपोर्टर... डिप्टी चीफ रिपोर्टर... रिपोर्टर... प्रशिक्षु रिपोर्टर... वाणिज्य संवाददाता... खेल संवाददाता... ब्यूरो प्रमुख ... वरिष्ठ संवाददाता... संवाददाता... फोटोग्राफर... कार्टूनिस्ट... डिजाईनर...मैगजीन/ फीचर संपादक. कुल 16 पद के लेल सैकड़ों वैकेंसी अछि. ओना एकरा सभ के लेल 5 साल के अनुभव मांगल गेल अछि मुदा अगर अहां मे जोश... उत्साह... किछ करय के जज्बा अछि त कोनो दिक्कत नहि. मुदा एक बात ध्यान राखब 21 अप्रैल तक अहांक आवेदन अखबार के पास पहुंचि जएबाक चाही. अहां अपन फोटो लागल बॉयोडाटा/ रिज्यूमे एहि पर भेज सकय छी : groupeditor@bhaskarnet.com अगर डाक सं भेजय चाहय छी त पचा अछि सम...

प्रभात खबर के पत्रकारक जरूरत...

दैनिक भास्कर के पटना आओर रांची सं आबय के खबर सं बिहार आओर झारखंडक मीडिया इंडस्ट्री मे हलचल मचि गेल अछि. पटना... रांची के पहिने सं जमल-जमाएल अखबार मे बेचैनी अछि. हिन्दुस्तान... प्रभात खबर... दैनिक जागरण के लागि रहल अछि कि ओकर पत्रकार सभ दैनिक भास्कर मे जा सकैत अछि आओर एक-दोसरा के पत्रकार के तोड़य के सिलसिला चलि सकैत अछि. भीतरका खबर अछि जे एहि सभ पहिनहि सं तैयार रहय लेल प्रभात खबर किछ पत्रकार के राखय जा रहल अछि. जे पत्रकार तत्काल राखल जाएत ओहि मे प्रशिक्षु, उप संपादक, आओर मुख्य उप संपादक शामिल अछि. त देर नहि करु . अगर प्रभात खबर सं पत्रकारिता करय के इच्छुक छी तं अहां ओहि ठाम सम्पर्क करबाक कोशिश करु. हम एहिठाम अहांक सुविधा लेल प्रभात खबर के मुख्य संपादकजीक ईमेल एहि ठाम द रहल छी. ओना एहि बारे मे अखन कोनो विज्ञापन नहि निकलल अछि. मुदा भीतरे –भीतरे राखय के तैयारी चलि रहल अछि. एहि लेल बिहार झारखंड मे रहय वाला पत्रकार भाई सभ के सीधा एकर हेड ऑफिस सं सम्पर्क करनाय नीक रहत. Mr Harivansh (Chief Editor) email : harivansh@prabhatkhabar.in Direct No ::+91.651.3053126(PA to CE) Head Office : Prabhat...

ककर ग़लती

कतेक दिवससँ सोचैत रही जे गाम जाएब परञ्च दिल्लीक उथल-धक्कासँ मुक्त होएब तखन ने। पछिला दशहरामे जखन गाम पहुँचलहुँ तँ आड़ि पकड़ि टोल अबैत रही। ओहि ब्रह्मबाबाक ठामपर एकटा स्त्रिगण बैसलि रहथि की कहू, धक्कसँ रहि गेलहुँ कंठक थूक कंठहिमे सुखा गेल स्त्रिगण कोनो भूत नहि छलीह ओ कोनो डाइन-जोगिन सेहो नहि रहथि ओ गौरी दाइ छलीह बियाहक ठामे साल विधवा भेल ताहि दिनसँ ओ नवयुवती उजरा नुआ पहिरैत छथि सीथमे चुटकी भरि सेनूर नहि, गुमसुम रहैत समय काटि रहल छथि। तँ हुनका देखि सदिखन सोचैत छी की यैह मिथिला थिक यैह हमर संस्कृति थिक मनकेँ मारि कए एकटा नवयुवती जीवन काटि रहल अछि ओकरा कियो देखनिहार नहि छैक ओ नवयुवतीक सिउथ जुआनीमे उजड़ि गेल ताहि दिनसँ ओकरापर की बितैत होएत जे पति बीमारीसँ मरि गेलखिन एकरामे गौरी दाइक की दोख दोख तँ हुनक पिताक छनि जिनका वरक बीमारीक जानकारी नहि छल मुदा ओहो की करताह घटक बनि कऽ गेल रहथि द्वितीकार जे कहलन्हि सैह ने सत्य मानितथि ई गप सत्य छल जे गौरी दाइ अपन पिताक गलतीक सजा भोगि रहल छथि भाग्यकेँ कोसि रहल छथि आब की कही देश-परदेशमे तँ वर- कनिया बदलि जाइत अछि जेना छः मासपर बद...

कॉलेज देखलक बौआ

अपने छी हम मैट्रिक गरीबीक चक्की मे पिसा क' फेल भेल हमर बैटरी चिंता सं हम पेरायल छलहुं मुदा तइयो भरोस भेल कॉलेज देखलक बौआ टिभी केबल छल कटल घरक राशन छल घटल बुझि सकै छी, की कहू ? अभावो कें देखि ओ फैशनक हिसाबे कीनलक जींस झमकौआ किछु दिन कॉलेज क' बढौलक ओ हिप्पी अप्पन उमेर देखि सधलहुं हम चुप्पी खा गेल ओ हमरो तहिये जहिया ओकर मोंछ कटलकै नौआ एकदिन छ्गुन्ता लागल ओकर जींसक पतलून सं गुटखा बहरायल बुझय मे आबि गेल करैत होयत ई कत्ते नशाक सेवन नुकौआ घींच-घाचि क' थर्ड ईयर मे अछि हे उच्चैठक महरानी, अहीं पर लगबियौ भरोस एक्को रत्ती नहि अछि मैया अहीं कें गोहरबै छी जं भेल ई पास त' चढायब छागर हम जौआ खर्चक पहाड़ सं देलक ई नमरा बेचीं घरारी आ की बेचीं हम डबरा कर्जो नहि भेटै छै , कहियौ हम ककरा ई त' कुपात्र भेल, ठेस लागल हमरा एकरा सं किछु छुटल नहि छै कए खेप ई चिखने होयत पौआ फैशन सं लैस भ' जेबी मे किछु कैश ल' चलैए अनबिसेख एना हो शाहरुख़ , सलमान जेना आब ने उजियाएत ई हमर मोन भेल कौआ आब हम नियारल बियाह करा दी एकर घट्टक अबैए ढेर -ढाकी कनिया हम चिक्कन ताकी दिन-दुनिया ठीक क...

माडल डिग्री कॉलेज खुलत

हेलो मिथिला पर तीन मास पहिने चर्चा कएने छलहुं जे बिहार मे 25टा मॉटल डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. ई कॉलेज ओहन पिछड़ल इलाका मे खोलल जाएत जेहिठाम कॉलेज मे दाखिलाक दर राष्ट्रीय दर 12.4 प्रतिशत सं कम अछि. मुदा ओतेक दिन बितलाक बादहुं एहि मामले मे कोनो खास प्रगति नहि भेल अछि. एहि पर आबय वाला खर्चक एक तिहाई हिस्सा केंद्र सरकार देत. आब जखन केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री डी पुरंदेश्वरी पटना मे आबि एहि पर तेजी सं काज करय लेल कहलीह तखन फेर ई चर्चा जोर पकड़ल अछि. ओना मॉडल डिग्री कॉलेज के लेल जेहि जगह के चयन कएल गेल अछि ओहि मे बेसि मिथिलाक इलाका अछि. यानी कहि सकय छी जे शिक्षा... कॉलेज मे दाखिला के मामला मे अपन मिथिला काफी पिछड़ल अछि. 25 टा डिग्री कॉलेज मे सं जे मिथिला मे खुलत ओहि मे दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, पूर्णिया, अररिया, मधेपुरा, खगड़िया, कटिहार, सीतामढ़ी, शिवहर, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण आओऱ किशनगंज शामिल अछि. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

विद्यापतिक आँखि मे नोर

देखि हमरा चिंता भेल घोर, विद्यापतिक आँखि मे नोर। नहि देखल ई स्वप्न मे , देखलहुं गिरीश पार्कक एक कात मे , हुनक श्वेत प्रतिमा जेना हो , पार्कक अन्य लता, पुष्प ओ तरु सभ सं एकदम बारल, कोनो व्यथा सं झमारल, समय छल शीतकालक भोर। पहिने विश्वास नहि भेल नजरि पर , देखलहुं निहारि क' प्रतिमा पर , हुनक नेत्र सं खसयबला छल नोर एक ठोप , कोढ धरकय लागल छल जेना चलल हो तोप, भेल छल ई हुनक नोर नहि , भ' सकैछ शीतक बूंद, तखने टप सं खसल महि पर नोरक एक बूंद, विश्वास भेल, देखलियनि हुनक कांपति ठोर। हम कहलियनि-की मामिला छैक ? अहांक नेत्र सजल , किएक ? की , अहांक यशोगान मे कतहु कोताही ? ढेर उपलब्धि सभ अछि, आब कत्ते चाही ? कहू , मिथिला- मैथिलीक स्वर अछि दबल ? वा एकर विरोधी तत्व भेल अछि सबल ? थिर होऊ, नहि छोड़ब कोनो कसरि कोर। मिथिला- मैथिलीक स्वर अछि प्रबल, की कहै छियह सुनह कलबल , आम मैथिल जाबे बुझत नहि मैथिलीक मोल, ताबे की हेतह पीटने ढोल ? ई भेलह जे जरि ठूंठ आ फुनगी हरियर , मुरही कम आ घुघनी झलगर, खाली हमर गुण गएने किछु हेतह थोड़ ? एतबे कहि ओ पुनः भए गेलाह पाथरक प्रतिमा , धोआ गे...

मधुबनी अएलाह आईआईएम छात्र...

अहांक मिथिला... मधुबनी पेंटिंग दुनिया भर छाएल जा रहल अछि. एकर चर्चा चारुकात भs रहल अछि. लोक मिथिला...मधुबनी पेंटिंग के बारे मे बेसि सं बेसि जानय चाहय छथिन्ह...अध्ययन करय चाहय छथिन्ह. एहि क्रम मे देशक अग्रणी प्रबंधन संस्थान इंडियन इंस्टीच्यूट ऑफ मैनेजमेंट...आईआईएम, अहमदाबादक किछ छात्र लोकनिक आई-काल्हि मधुबनी आएल छथिन्ह. छात्र सभ मधुबनी के आसपास लहेरियागंज... रांटी... जितवारपुर मे जा अपन काज शुरू कs देलखिन्ह. अध्ययन लेल अहमदाबाद सं 6टा छात्र आएल छथिन्ह. एहि छात्र मे एकटा बिहार के छात्र सेहो शामिल छथिन्ह. अपन दस दिनक यात्रा के दौरान ओ मधुबनी पेंटिंग के बारे मे बारिकी सं अध्ययन करथिन्ह. छात्र लोकनि मधुबनी पेंटिंग सं जुड़ल गाम-घर मे जा ई देखथिन्ह कि आखिर एहि पेंटिंग मे एहन कि अछि जे ई दुनिया भर मे लोक के दिल-दिमाग मे अपन जगह बना रहल अछि ? आखिर देवाल... घर-आंगना मे बनाएल जाए वाला ई पेंटिंग किएक एतेक लोकप्रिय भs रहल अछि ? आईआईएम के विद्यार्थी इहो देखथिन्ह जे एहि काज मे लोकक आर्थिक-सामाजिक स्थिति केहन छनि ? समाज मे हुनकर कि स्थिति छनि ? नीके अछि... अध्ययन के बाद हिनकर वास्तविक स्थिति दुनिया के...

मकान बनाबए लेल 55 हजार रुपया

कोसी बाढ़ि सं प्रभावित लोक के मकान बनाबए लेल परिवार के हिसाब सं 55 हजार रुपया मिलत. एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सुपौल जिला के वीरपुर मे कएलखिन्ह. कोसी मे आएल बाढ़ि सं लाखों लोक प्रभावित भेल छलाह. ओहि समय पुनर्वास के लेल केंद्र सरकार के तरफ सं हर संभव मदद के भरोस खुद प्रधानमंत्री देने छलखिन्ह. मुदा मुख्यमंत्री जीक कहनाय छनि जे केंद्र सं एको पाइ के मदद नहि मिलल. ई हाल तखन अछि जखन कि प्रधानमंत्री एकरा राष्ट्रीय आपदा घोषित कएने छलखिन्ह. मुख्यमंत्री केंद्र पर पक्षपात करय के आरोप सेहो लगएलखिन्ह. नीतीशजी वीरपुर 750 करोड़ रुपयाक सिंचाई योजना... पूर्वी कोसी नहर प्रणाली विस्तार आओऱ जीर्णोद्धार योजना के शुरु करय आएल छलखिन्ह. एहि सभ योजना के दू साल के भीतर पूरा करि लेल जाएत. काज पूरा भS गेलाह के बाद इलाका के करीब 6 लाख हेक्टेयर जमीन पर सिंचाई के सुविधा मिलि सकत... आओर सभसं पैघ गप ई जे लोक के बाढ़ि सं निजात सेहो मिलत. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Pu...

जरा रहल छी श्रद्धा-दीप

उत्तर मे छैक उमकी उठल, दच्छिन मे हिलकोर। पश्चिम मे पपियाहक तांडव, पूब तकै छी भोर॥ पूब तकै छी भोर, मुदा बटतक्की अछि लागल। राति जेना बनि गेल अहद्दी, हम छी बनल अभागल॥ अन्हार बढ़ल, छी कतय नुकायल दिनकर-दीनानाथ। प्रकाश पसारब छोडि कतय, तकै छी कोन-कोन लाथ॥ तकै छी कोन-कोन लाथ, जगत मे पसरल हाहाकार। निशाचरक अछि तांडव बढ़ल, असह्य भेल प्रहार॥ डुमल बाइढ सं अयाचिक बारी, उपजत कतय साग। पेट भरब भेल मोश्किल, पहिरब की टोपी-पाग॥ पहिरब की टोपी पाग , आगि लागल अछि सउँसे हाट। कप्पार पकडि कय कानय जन-गण, खा उपेक्षाक चाट॥ रामक धरती पर शान सं, चलबइए रावण राज । सता संत कें ठिठियाइत कनिको , लगैछ ने ककरो लाज ॥ लगैछ ने ककरो लाज, कतय सुतल छी रघुबीर । की ध्वंश भेल अछि धनुष, आ बिझा गेल अछि तीर ॥ प्राण पियासल आतंकीक भय सं, लोकक अछि उपरे दम। हाट, बजार वा टीशन सगरो, फुटैछ फटक्का बम॥ फुटैछ फटक्का बम , तें जिनगीक ने कोनो ठीक। जनता भेल बेहाल मुदा , सरकारक ने डोलैछ टीक॥ अजगुत लगैछ देखि चहुँदिस , जग-जमानाक चालि। क्यो कुहरय , क्यो कानय बैसल, क्यो पीटि रहल अछि झालि ॥ क्यो पीटि रहल अछि झालि, भेल अपने मे विभोर ...

मधुबनी पेंटिंग मे नवदुर्गा

कि नीतीश जी बीजेपी सं नाता तोड़ताह?

बिहार मे होए वाला अगिला चुनाव मे बेसि दिन नहि अछि. सभ पार्टी चुनावक तैयारी मे लागल अछि. लालू प्रसाद यादवजी आओर रामविलास पासवानजी सेहो लोकसभा चुनाव के बादहिं सं बिहार मे अपन पार्टी... संगठन के मजबूत करय मे लागल छथिन्ह. चुनाव के लेल रणनीति बना रहल छथिन्ह. आय सं अधिक संपत्ति के मामला मे सुप्रीम कोर्ट सं राहत मिलला सं लालूजीक मनोबल आओर बढ़ि गेलन्हि. पार्टी हुनका संग आओर मजबूती सं ठाड़ भs गेल अछि. एहन हाल मे अगिला चुनाव मे ओ जोरदार टक्कर देबय लेल तैयार छथिन्ह. मुदा सबसं बड़का सवाल अछि कि अगिला चुनाव बीजेपी आओर जेडीयू संगे-संग लड़त? बिहार मे जे हालात बनि रहल अछि ओ तं किछ आओर इशारा करि रहल अछि. राजनीतिक जानकार लोक के मानय जाए तं एहि बेरक चुनाव सं पहिने बीजेपी-जेडीयू के राह अलग-अलग भs सकैत अछि. ओना बीजेपी के केंद्रीय नेतृत्वक पूरा कोशिश छै जे गठबंधन बनल रहय आओर नीतीश जीक संग सरकार फेर सं बनय. मुदा आसार ओहन नहि दिखि रहल अछि. चाहे बिहार दिवस के कार्यक्रम होए आ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद के कार्यकर्ताक पिटाई... बीजेपी नेताक कोनो खास तरजीह... वैल्यू नहि देल गेल. बीजेपी सांसद शत्रुघ्न सिन्हा के ...