माडल डिग्री कॉलेज खुलत

हेलो मिथिला पर तीन मास पहिने चर्चा कएने छलहुं जे बिहार मे 25टा मॉटल डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. ई कॉलेज ओहन पिछड़ल इलाका मे खोलल जाएत जेहिठाम कॉलेज मे दाखिलाक दर राष्ट्रीय दर 12.4 प्रतिशत सं कम अछि. मुदा ओतेक दिन बितलाक बादहुं एहि मामले मे कोनो खास प्रगति नहि भेल अछि. एहि पर आबय वाला खर्चक एक तिहाई हिस्सा केंद्र सरकार देत. आब जखन केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री डी पुरंदेश्वरी पटना मे आबि एहि पर तेजी सं काज करय लेल कहलीह तखन फेर ई चर्चा जोर पकड़ल अछि. ओना मॉडल डिग्री कॉलेज के लेल जेहि जगह के चयन कएल गेल अछि ओहि मे बेसि मिथिलाक इलाका अछि. यानी कहि सकय छी जे शिक्षा... कॉलेज मे दाखिला के मामला मे अपन मिथिला काफी पिछड़ल अछि. 25 टा डिग्री कॉलेज मे सं जे मिथिला मे खुलत ओहि मे दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, पूर्णिया, अररिया, मधेपुरा, खगड़िया, कटिहार, सीतामढ़ी, शिवहर, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण आओऱ किशनगंज शामिल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

  1. सर्वप्रथम हम गर्वान्वित भय रहल छि,हेल्लो मिथिलाक संग में |
    अऔर धन्यबाद अहाँक निक विचार के लेल जाहिमे दरभंगा,मधुबनिक समाचार लिख रहल छि |

    ReplyDelete
  2. helo mithila per sab maithilibasi ke jurishital parwa(baishakhi) ke awsar pe hardik subhkamna.thore bahut mithila parwa per seho likhal jebak chahi.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

पूर्णिया मे सुखोई

कि इहे सभागाछी अछि ?

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो