मकान बनाबए लेल 55 हजार रुपया

कोसी बाढ़ि सं प्रभावित लोक के मकान बनाबए लेल परिवार के हिसाब सं 55 हजार रुपया मिलत. एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सुपौल जिला के वीरपुर मे कएलखिन्ह. कोसी मे आएल बाढ़ि सं लाखों लोक प्रभावित भेल छलाह. ओहि समय पुनर्वास के लेल केंद्र सरकार के तरफ सं हर संभव मदद के भरोस खुद प्रधानमंत्री देने छलखिन्ह. मुदा मुख्यमंत्री जीक कहनाय छनि जे केंद्र सं एको पाइ के मदद नहि मिलल. ई हाल तखन अछि जखन कि प्रधानमंत्री एकरा राष्ट्रीय आपदा घोषित कएने छलखिन्ह. मुख्यमंत्री केंद्र पर पक्षपात करय के आरोप सेहो लगएलखिन्ह. नीतीशजी वीरपुर 750 करोड़ रुपयाक सिंचाई योजना... पूर्वी कोसी नहर प्रणाली विस्तार आओऱ जीर्णोद्धार योजना के शुरु करय आएल छलखिन्ह. एहि सभ योजना के दू साल के भीतर पूरा करि लेल जाएत. काज पूरा भS गेलाह के बाद इलाका के करीब 6 लाख हेक्टेयर जमीन पर सिंचाई के सुविधा मिलि सकत... आओर सभसं पैघ गप ई जे लोक के बाढ़ि सं निजात सेहो मिलत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com




Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड