नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी अएलाह आईआईएम छात्र...

अहांक मिथिला... मधुबनी पेंटिंग दुनिया भर छाएल जा रहल अछि. एकर चर्चा चारुकात भs रहल अछि. लोक मिथिला...मधुबनी पेंटिंग के बारे मे बेसि सं बेसि जानय चाहय छथिन्ह...अध्ययन करय चाहय छथिन्ह. एहि क्रम मे देशक अग्रणी प्रबंधन संस्थान इंडियन इंस्टीच्यूट ऑफ मैनेजमेंट...आईआईएम, अहमदाबादक किछ छात्र लोकनिक आई-काल्हि मधुबनी आएल छथिन्ह. छात्र सभ मधुबनी के आसपास लहेरियागंज... रांटी... जितवारपुर मे जा अपन काज शुरू कs देलखिन्ह. अध्ययन लेल अहमदाबाद सं 6टा छात्र आएल छथिन्ह. एहि छात्र मे एकटा बिहार के छात्र सेहो शामिल छथिन्ह. अपन दस दिनक यात्रा के दौरान ओ मधुबनी पेंटिंग के बारे मे बारिकी सं अध्ययन करथिन्ह. छात्र लोकनि मधुबनी पेंटिंग सं जुड़ल गाम-घर मे जा ई देखथिन्ह कि आखिर एहि पेंटिंग मे एहन कि अछि जे ई दुनिया भर मे लोक के दिल-दिमाग मे अपन जगह बना रहल अछि ? आखिर देवाल... घर-आंगना मे बनाएल जाए वाला ई पेंटिंग किएक एतेक लोकप्रिय भs रहल अछि ? आईआईएम के विद्यार्थी इहो देखथिन्ह जे एहि काज मे लोकक आर्थिक-सामाजिक स्थिति केहन छनि ? समाज मे हुनकर कि स्थिति छनि ? नीके अछि... अध्ययन के बाद हिनकर वास्तविक स्थिति दुनिया के सामने आएत.. जेहि के बाद सरकार सेहो हिनका सभ के मदद करय लेल आएत. किएक त अखन धरि जे मदद... सहयोग मिलबाक चाही से नहि मिलि रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु