नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दैनिक भास्कर के पत्रकारक जरूरत...

देश के सभसं बड़का अखबार मे सं एक दैनिक भास्कर जल्दीए बिहार आओर झारखंड सं शुरू होए वाला अछि. एहिके लेल दैनिक भास्कर के पत्रकार सभक जरूरत अछि. दैनिक भास्कर अखबार मे एहि बारे मे एकटा भारी भरकम विज्ञापन निकलल अछि. अखबार के लेल जतेक पद अछि सभ बिहार आओर झारखंड सं जुड़ल लोक के लेल अछि. जेहि पद के लेल विज्ञापन निकलल अछि ओ अछि... समाचार संपादक... उप समाचार संपादक... मुख्य उप संपादक... उप संपादक... प्रशिक्षु उप संपादक... चीफ रिपोर्टर... डिप्टी चीफ रिपोर्टर... रिपोर्टर... प्रशिक्षु रिपोर्टर... वाणिज्य संवाददाता... खेल संवाददाता... ब्यूरो प्रमुख ... वरिष्ठ संवाददाता... संवाददाता... फोटोग्राफर... कार्टूनिस्ट... डिजाईनर...मैगजीन/ फीचर संपादक.
कुल 16 पद के लेल सैकड़ों वैकेंसी अछि. ओना एकरा सभ के लेल 5 साल के अनुभव मांगल गेल अछि मुदा अगर अहां मे जोश... उत्साह... किछ करय के जज्बा अछि त कोनो दिक्कत नहि. मुदा एक बात ध्यान राखब 21 अप्रैल तक अहांक आवेदन अखबार के पास पहुंचि जएबाक चाही. अहां अपन फोटो लागल बॉयोडाटा/ रिज्यूमे एहि पर भेज सकय छी :

groupeditor@bhaskarnet.com

अगर डाक सं भेजय चाहय छी त पचा अछि
समूह संपादक,
दैनिक भास्कर समाचार पत्र समूह,
402-रतन ज्योति बिल्डिंग,
राजेन्द्र प्लेस, नई दिल्ली 110008
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


1 टिप्पणी:

  1. The moment possibly man assuredly commits oneself, then economy protection moves too. All sorts of things hit to expropriate one that would on no account way be suffering with occurred. A uncut freshet of events issues from the settlement, raising in at one's favor all style of surprising incidents and meetings and stuff backing, which no shackle could entertain dreamed would from arrive d enter a occur his way. Whatever you can do, or hallucination you can, establish it. Boldness has mastermind, power and magic in it. Begin it now.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु