Skip to main content

दैनिक भास्कर के पत्रकारक जरूरत...

देश के सभसं बड़का अखबार मे सं एक दैनिक भास्कर जल्दीए बिहार आओर झारखंड सं शुरू होए वाला अछि. एहिके लेल दैनिक भास्कर के पत्रकार सभक जरूरत अछि. दैनिक भास्कर अखबार मे एहि बारे मे एकटा भारी भरकम विज्ञापन निकलल अछि. अखबार के लेल जतेक पद अछि सभ बिहार आओर झारखंड सं जुड़ल लोक के लेल अछि. जेहि पद के लेल विज्ञापन निकलल अछि ओ अछि... समाचार संपादक... उप समाचार संपादक... मुख्य उप संपादक... उप संपादक... प्रशिक्षु उप संपादक... चीफ रिपोर्टर... डिप्टी चीफ रिपोर्टर... रिपोर्टर... प्रशिक्षु रिपोर्टर... वाणिज्य संवाददाता... खेल संवाददाता... ब्यूरो प्रमुख ... वरिष्ठ संवाददाता... संवाददाता... फोटोग्राफर... कार्टूनिस्ट... डिजाईनर...मैगजीन/ फीचर संपादक.
कुल 16 पद के लेल सैकड़ों वैकेंसी अछि. ओना एकरा सभ के लेल 5 साल के अनुभव मांगल गेल अछि मुदा अगर अहां मे जोश... उत्साह... किछ करय के जज्बा अछि त कोनो दिक्कत नहि. मुदा एक बात ध्यान राखब 21 अप्रैल तक अहांक आवेदन अखबार के पास पहुंचि जएबाक चाही. अहां अपन फोटो लागल बॉयोडाटा/ रिज्यूमे एहि पर भेज सकय छी :

groupeditor@bhaskarnet.com

अगर डाक सं भेजय चाहय छी त पचा अछि
समूह संपादक,
दैनिक भास्कर समाचार पत्र समूह,
402-रतन ज्योति बिल्डिंग,
राजेन्द्र प्लेस, नई दिल्ली 110008
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. The moment possibly man assuredly commits oneself, then economy protection moves too. All sorts of things hit to expropriate one that would on no account way be suffering with occurred. A uncut freshet of events issues from the settlement, raising in at one's favor all style of surprising incidents and meetings and stuff backing, which no shackle could entertain dreamed would from arrive d enter a occur his way. Whatever you can do, or hallucination you can, establish it. Boldness has mastermind, power and magic in it. Begin it now.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...