नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विश्व बैंक सं मिलत 800 करोड़...

कोसी क्षेत्र मे पुनर्निर्माण के लेल विश्वबैंक बिहार के आठ सय करोड़ रुपया के कर्ज देत. दू साल पहिने आएल कोसी नदी मे बाढ़ि सं एकटा बड़का इलाका प्रभावित भेल छल. सहरसा... सुपौल... मधेपुरा... पूर्णिया सं लागल इलाका मे भारी तबाही भेल छल. ओहि तबाही सं लोक अखन धरि उबरि नहि पएलाह. ओना तं एहि इलाका मे सरकार के तरफ सं कई तरहक विकासक... पुननिर्माणक काज चलि रहल अछि. मुदा ओहि मे तेजी लाबय लेल राज्य सरकार के पाए के जरूरत अछि... आओर विश्व बैंक राज्य सरकार के आठ सय करोड़ के कर्ज देबय लेल राजी भs गेल अछि.
एहि संबंध मे विश्व बैंक के साउथ एशिया रिजनल को-आर्डिनेटर (डिजास्टर रिस्क मैनेजमेंट एण्ड ग्लोबल फैसिलिटी फार डिजास्टर रिस्क रिडक्शन एण्ड रिकवरी) क्रिस्टोफ पुच मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजीक संग एकटा बैसार कएलखिन्ह. एहि मे तय भेल जे विश्व बैंक पहिल चरण मे नव मकान बनाबए लेल... टूटल-खसल मकान के मरम्मत के लेल... सड़क-पुल-पुलिया बनाबय लेल आओर लोक के जीवनयापन के लेल शुरू कएल गेल किछ परियोजना के लेल आठ सय करोड़ रूपया देत. पाए आबय के जरूरी औपचारिकता पूरा होए मे करीब तीन-चारि मास के समय लागि सकैत अछि.
विश्व बैंक के अधिकारी सभ बाढ़ि प्रभावित मधेपुरा... सुपौल के किछ इलाका के दौरा सेहो कएलखिन्ह. अखन बाढ़ि प्रभावित लोकक लेल जे काज चलि रहल अछि ओकरा सेहो देखलखिन्ह. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे विश्व बैंक सं रुपया मिलला के बाद इलाका मे काज मे तेजी आएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


3 टिप्‍पणियां:

  1. Dewlance.com  India Web Hosting
    कम पैसे मे वेबहोस्टिंग लें या खुद का रिसेलर होस्टिंग बिजनेस भी चला सकते हैं।

    डिवलेंस आपको 99.9% सर्वर अपटाईम प्रदान करता है ईससे आपका साईट 24/7/365 तक चलता रहता है।


    SMS - आप हमसे sms से भी जानकारी ले सकते हैं।

    1GB Web Hosting + Domain = Rs.1499 Year

    50GB Reseller Hosting = Rs.349 month और Rs.4199 मे एक साल के लिये



    Accept Bank Payments, Courier Payment,etc...


    India's Best Web Hosting

    एक बार मेरा साईट जरूर देखीयेगा......

    जवाब देंहटाएं
  2. hamra t bujhait achhi je nitish ji ke bahut pahine apan pad par aaybak chhiahi

    जवाब देंहटाएं
  3. बाढ़ि प्रभावित लोकक लेल इ एकटा निक कदम अछि | जानकारीक लेल धन्यबाद

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु