नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कि नीतीश जी बीजेपी सं नाता तोड़ताह?

बिहार मे होए वाला अगिला चुनाव मे बेसि दिन नहि अछि. सभ पार्टी चुनावक तैयारी मे लागल अछि. लालू प्रसाद यादवजी आओर रामविलास पासवानजी सेहो लोकसभा चुनाव के बादहिं सं बिहार मे अपन पार्टी... संगठन के मजबूत करय मे लागल छथिन्ह. चुनाव के लेल रणनीति बना रहल छथिन्ह. आय सं अधिक संपत्ति के मामला मे सुप्रीम कोर्ट सं राहत मिलला सं लालूजीक मनोबल आओर बढ़ि गेलन्हि. पार्टी हुनका संग आओर मजबूती सं ठाड़ भs गेल अछि. एहन हाल मे अगिला चुनाव मे ओ जोरदार टक्कर देबय लेल तैयार छथिन्ह.
मुदा सबसं बड़का सवाल अछि कि अगिला चुनाव बीजेपी आओर जेडीयू संगे-संग लड़त? बिहार मे जे हालात बनि रहल अछि ओ तं किछ आओर इशारा करि रहल अछि. राजनीतिक जानकार लोक के मानय जाए तं एहि बेरक चुनाव सं पहिने बीजेपी-जेडीयू के राह अलग-अलग भs सकैत अछि. ओना बीजेपी के केंद्रीय नेतृत्वक पूरा कोशिश छै जे गठबंधन बनल रहय आओर नीतीश जीक संग सरकार फेर सं बनय. मुदा आसार ओहन नहि दिखि रहल अछि.
चाहे बिहार दिवस के कार्यक्रम होए आ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद के कार्यकर्ताक पिटाई... बीजेपी नेताक कोनो खास तरजीह... वैल्यू नहि देल गेल. बीजेपी सांसद शत्रुघ्न सिन्हा के तं न्योत सेहो नहि देल गेल. आओर परिषद के कार्यकर्ता सभके जमिsक पीटल गेल. एहिके लsक परिषदक नेता सभ बीजेपी के सीनियर नेता सभ सं काफी नाराज छथिन्ह. उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सं लsक रविशंकर प्रसाद तक सभ पर तमसाएल छथिन्ह. छात्र नेता सभ के साफ कहनाय छनि जे चुनाव सं पहिने ई नीक काज नहि भs रहल अछि.
ओम्हर कांग्रेस से बीजेपी के अलग-थलग करि जेडीयू के अपना संग लाबय चाहैत अछि. एकर प्रस्तावना महिला आरक्षण बिल के समय देखय लेल मिल गेल होएत. नीतीश कुमार सभ के साइडलाइन करि बिल के समर्थन करि देलथिन्ह. एहन मे कांग्रेस बिहार के लेल विशेष पैकेज देबय के घोषणा करि नीतीशके अपना संग मिला लए तेहि मे कोनो अचरज नहि होबाक चाही. बिहार मे अखन जे हाल अछि ओहि मे अहां पूरा गारंटी के संग नहि कहि सकय छी जे नीतीश जी जीत जएताह. एहन मे नीतीशजी कांग्रेसक संग जा अपन सरकार दोबारा लाबय के पूरा कोशिश करताह. आरक्षण... अगिड़ा-पिछिड़ा... जाति समीकरण...सिर्फ कागज पर विकास... अफसरशाहीके बढ़ैत दबदबा... कमीशनखोरी आओर रिश्वतराज के देखैत बिहारक राजनीति एहि बेर सभ के परेशान कएने अछि. एहन मे राहुल गांधी बिहारक राजनीति के चुनाव सं पहिने एकटा नया मोड़ दs देथिन्ह तं ओहि मे कोनो नव बात नहि. तं देखैत रहुं अगिला किछ दिन मे कि सभ भs रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु