नीतीश बनलाह ब्लॉगर...

कम्प्यूटरक... नेटक दुनिया मे ब्लॉग लिखय के प्रचलन काफी बढ़ि गेल अछि. अमिताभ बच्चन... नरेन्द्र मोदी... अमर सिंह जकां हस्ती सभ आब ब्लॉग लिख लोक सं सीधा संवाद करय छथिन्ह. आब जखन सभ लोक एकर माध्यम सं लोक सं जुड़ि रहल छथिन्ह तखन बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केना पाछां रहताह. आब नीतीशजी सेहो ब्लॉग लिखनाए शुरू करि देलाह. हुनकर ब्लॉगक नाम अछि Nitish Speaks . आब ओ ब्लॉगक माध्यम सं लोक सं बात करताह... हुनकर परेशानी जानथिन्ह... दूर करय के कोशिश करथिन्ह. ब्लॉगक माध्यम सं ओ सरकार के उपलब्धि लोक के सामने राखि पएथिन्ह.
हुनकर पहिल ब्लॉग मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना पर अछि. एहि ब्लॉग मे मुख्यमंत्री लिखय गेल अछि. पिछला तीन साल मे एहि योजना सं करीब नौ लाख स्कूली छात्रा के साइकिल लेल दू- दू हजार रुपया देल गेल अछि. एहि दू हजार रुपया सं साइकिल खरीद लड़की सभ छथिन्ह जे ओना तं बिहार सरकार कइटा योजना शुरू कएने अछि मुदा मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना हुनकर दिलक करीब अछि. एहि योजना सं राज्यक तस्वीर एक तरहे बदलि आब रोज स्कूल जाए छथीह. एहि योजना के कारण स्कूल आबए वाली लकड़ी सभ के संख्या तं बढ़बे कएल अछि... लड़की सभ मे आत्मविश्वास सेहो बढ़ल अछि. पहिने गाम-घरक जे बेटी-बहिन घर सं बाहर निकलय मे डरय-शरमाय छलीह... आए ओ साइकिल पर पैडिल मारैत आराम सं स्कूल जाए छथीह. घर-बाजारक काम-काज सेहो कए लए छथीह.
मुख्यमंत्रीजीक ब्लॉग काफी हिट भs रहल अछि. ब्लॉग के काफी हिट मिल रहल अछि. काल्हिए ब्लॉग शुरू भेल आओर करीब तीन सय फॉलोवर बनि गेल. ओना अखन ई ब्लॉग अंग्रेजी मे अछि मुदा नीतीशजी जल्दीए हिंदी मे सेहो लिखताह. आब ओ ब्लॉग के माध्यम सं रोज जनता सं संवाद बना राज्य के विकास... खुशहाली के लेल काज करताह. कहि सकय छी ई हुनकर कम्प्यूटर पर जनता दरबार होएत. नीक अछि कोनो तरहे बस लोक के परेशानी दूर होबाक चाही... संवाद कायम रहबाक चाही... आखिर बात करले सं तं बात बनैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

बिहार के एकटा आओर सम्मान

भाई बहिन केर प्रेमक पावनि सामा-चकेवा...

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)