दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे हड़ताल के कारण मरीज सभ परेशान छथिन्ह. एहि ठाम के जूनियर डॉक्टर सभ पाई बढ़ाबय के लेल हड़ताल कएने छथिन्ह. डॉक्टर सभ के हड़ताल के कारण कोनो मरीज के इलाज नहि भs रहल छनि. अस्पताल मे मरीज के भीड़ लागल अछि. डॉक्टर साहेब अइबो करय छथिन्ह मुदा मरीज के देखय नहि छथिन्ह. डॉक्टर साहेब पेशेंट के देखते मुंह फेर लैत छथिन्ह. डॉक्टर सभ के एहन व्यवहार सं पेशेंट के दुख आओर बढ़ि जा रहल छनि. लोक केतबो दुख सं परेशान रहय छथिन्ह. डॉक्टर सभ सं मिलला के बाद हुनका लगय छनि जे आब नीक भs जाएब. मुदा आब त डॉक्टर के पास अएलो पर जीबय के कोनो गांरटी नहि. आई काल्हि के डॉक्टर एतेक ह्रदय के कठोर भs गेल छथिन्ह जे बिना पाई के किछ नहि करय छथिन्ह. आब ओ जमाना गेल जखन लोक... डॉक्टर मानवता... सेवा भावना सं... परोककार के भावना सं मरीज के देखय छथिन्ह. आब त सय टाका फीस मे दस टका कम रहत त धकिया कs भगा देताह. सभ किछ पाई के भs गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार... स्वास्थ्य मंत्री नंद किशोर जी सभ डॉक्टर सभसं आग्रह कएलखिन्ह जे ई समय हड़ताल के नहि अछि....
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे