बिहार के मिथिला मे पालिटेक्निक संस्थान... कॉलेज खोलय के लेल केंद्र सरकार सं 12-12 करोड़ रुपया देल गेल अछि. पालिटेक्निक कॉलेज मधुबनी... सीतामढ़ी... शिवहर... सुपौल... अररिया... कटिहार... पूर्वी चम्पारण... पश्चिमी चम्पारण मे खोलल जाएत. हर संस्थान के लेल शुरुआती तौर पर 12-12 करोड़ रुपया देल गेल अछि. पालिटेक्निक कॉलेज के इंफ्रास्ट्रक्चर...आधारभूत संरचना आओर दोसर चीज के इंतजाम मे एहि पाई के इस्तेमाल कएल जाएत. सरकार... प्रशासन सं एहि के लेल जरूरी इंतजाम करय के लेल कहि देल गेल अछि. एकरा लेल जमीन आओर दोसर चीज के व्यवस्था कएल जा रहल अछि. एहि सं स्थानीय स्तर पर विकास त होएबे करत...लोक के रोजगार सेहो मिलत. स्थानीय लड़का सभ के फायदा सेहो मिलतन्हि. हुनका सभ के एकटा आओर विकल्प मिलतन्हि पढ़ाई-लिखाई के लेल. ई नीक कदम अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Prasanshneey.
ReplyDelete( Treasurer-S. T. )